14 जे बात हमे तोरा सिखैलियौ छे ऊ बात विश्वासीसिके घुरी-घुरी सिखा। आर प्रभुके समनामे कडा आज्ञा दहैं कि ऊसब बेकारके शब्दसिके विषयमे बहस नैकरै, जे भलाइ नैकरैछै, मगर यी सुनेवाला आदमीसिके हानी पहुँचाबैछै।
तुहें संसारमे सभे चीज प्राप्त करि लेल्हैं मगर परमेश्वरके संगे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबैके मौका खतम क्या देल्हैं ते, तोरा कोनो फैदा नैहैतौ। कि यी सम्भव छै कि कोय कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबैके लिए परमेश्वरके कुछु दिए सकैछै? नै, ऊ कुछु नैदिये सकैछै।
विश्वासमे कमजोर आदमीके ओकर मान्यताके विषयमे ल्याके कोनो भी शंकाके बिना ही स्वीकार कर मगर ओकरा कि करना चाही आर कि नैकरना चाही यी विषयमे ओकरसंगे बहस नैकर।
कहिनेकी शारीरिक कसरत तोरसिके शरीरके फैदा कर्तौ, मगर भक्ति सभे प्रकारसे फैदाके हैछै, कहिनेकी यी बात धर्तीमे जिन्दा रहैके समयमे आर मर्लके बाद भी इनामके प्रतिज्ञा करैछै।