13 यदि अपनासब ख्रीष्टके प्रति वफादार नै भी हैबै ते, ऊ आपनसिके प्रति वफादार रहतै कहिनेकी ऊ झुट्ठा भ्याके खुद अपने आपके विरुद्ध नैहुए सकैछै।
आकाश आर धर्ती खतम हैतै, सभे दिनके लिए नैरहतै, मगर हमे जे कहैलियै छे उटा सभे दिनके लिए रहतै।”
यदि कुछु यहूदी आदमीसब परमेश्वरके प्रति विश्वासयोग्य नैरहै ते कि भेलै? ओकरसिके विश्वासयोग्य नैहुऐके कारणसे कि परमेश्वर ओकरसिके संगे कैल आपन प्रतिज्ञा पुरा करैमे विश्वासयोग्य नैहैतै?
मगर परमेश्वर आपन प्रतिज्ञा पुरा करैमे विफल नैभेलै छे। कहिनेकी सभे इस्राएलके सन्तान सच्कोर इस्राएली नैछै।
परमेश्वर यी काम कर्तौ कहिनेकी परमेश्वर जे बोलैछै उटा बात करैमे ऊ विश्वासयोग्य छै आर ऊ तोरासिके आपन बेटा, आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके संगे सम्बन्धमे बोलैल्कौ छे।
तोरासिके बोलाबेवाला विश्वासयोग्य छौ। ऊ तोरासिके पवित्र हुऐके लिए बोलाबैके कारणसे तोरासिके पवित्र हुऐले सक्षम बनैतौ।
मगर तुहेंसब प्रभुके पुरा रुपसे भरोसा करे सकैछैं। ऊ तोरासिके आत्मिक रुपसे मजगुत बनैतौ आर तोरासिके शैतानसे बचैतौ।
नतिजा स्वरुप, ऊसब परमेश्वरसंगे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन जियैके आशा करैछै कहिनेकी कहियो झुठ नैबोलेवाला परमेश्वर यी संसारके सृष्टि करैसे पहेला ही यी प्रतिज्ञा कैल्कै कि ओकर आदमीसब सभे दिन जितै।
आब एत्ते दीटा बात छै, ओकर प्रतिज्ञा आर ओकर कसम, जे कहियो नै बदले सकैछै आर जकर बारेमे परमेश्वर कहियो झुठ नैकहे सकैछै। सेल्याके अपनासब जेसब परमेश्वरके लगत सुरक्षा पाबैके लिए ऐलियै छे आर जे आशा ऊ अपनासिके देल्कै छे, ओकरा थाम्ले छियै आर बहुते उत्साहित छियै।