1 सेल्याके तिमोथी, तुहें जे हमर बेटाके जुगुर छैं, येशू ख्रीष्टमे परमेश्वर तोरा देल अनुग्रहके द्वारा अपने आपके निरन्तर मजगुत बना।
होशियार र, विश्वासमे स्थिर र, साहासी आदमी बन आर विश्वासमे मजगुत बन।
आब अन्तमे, आत्मिक रुपसे प्रभुके अपार शक्तिसे मजगुत बन।
ख्रीष्टके द्वारा जे हमरा शक्ति दैछै ओकर सहायतासे हमे सभे कुछु करे सकैछियै।
तिमोथी तुहें जे हमर बेटाके जुगुर छैं, हमर देल आदेशसब यी छै: हमे तोरासे बिन्ती करैछियौ कि परमेश्वरके वक्तासब पहेला तोर विषयमे कहेल बात याद कर। ऊ झुट्ठा शिक्षकसिके विरुद्धमे खुश-खबरीके सच्चाईके लिए बढियाँसे लडैके लिए उटा शब्दसब प्रयोग कर।
हमे यी चिट्ठी तिमोथीके लिखैछियै। तुहें हमर आपने बेटाके जुगुर छैं कहिनेकी तुहें भी ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर पिता आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह, कृपा आर शान्ति दौ।
हमे, पावल, यी चिट्ठी लिखैछियै। परमेश्वर हमरा इहे ल्याके चुनल्कै कि हमे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला बनियै ताकी हमे यी सन्देशके प्रचार करे सकियै कि परमेश्वर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दियैके प्रतिज्ञा कैल्कै छे, जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैसे आबैछै।
तिमोथी, हमे यी चिट्ठी तोरा लिखैछियौ, आर तुहें हमर लिए एकटा प्यारा बेटाके जुगुर छैं। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर पिता आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरा अनुग्रह, कृपा आर शान्ति दौ।
कहिनेकी परमेश्वर अपनासिके डरपोक नैबनैल्कै छे। मगर ओकर आत्मा आपनसिके ह्रदयके शक्ति दैछै, अपनासिके दोसर आदमीसिसे प्रेम करैले सहायता करैछै, आर अपनासिके आत्म-संयम दैछै।
सेल्याके परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके फैदाके लिए हमे सभे दुःख सहैछियै, ताकी उहोसब भी येशू ख्रीष्टमे विश्वास करे सकै आर बचे सकै, आर सभे दिन रहेवाला आदर ऊसब पाबे सकै।
मगर प्रभु हमरसंगे खडा भेलै आर ऊ हमरा शक्ति देल्कै, आर हमे येशू ख्रीष्टके बारेमे साफसे खुश-खबरी प्रचार कैलियै ताकी अदालतमे भेल सभे गैर-यहूदी आदमीसब सुने सकै, आर भुख्ल शेरसे बचैल जुगुर परमेश्वर हमरा मौतसे बचैल्कै।
मगर तोरासिके आपनसिके प्रभु आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके अनुग्रहके आरहौ बेसीसे बेसी अनुभव करना चाही आर ओकर प्रति आपन समझमे बढना चाही। ओकर महिमा एखन आर सभे दिनके लिए हैते रहै। आमेन।