Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 1:4 - केवट नया कारार

4 हमरा याद छै कि हमे तोरा छोडिके जैके समयमे तुहें बहुते कान्लहैं रहे। हमे तोर भेट करैले चाहैछियै ताकी हमे आनन्दित हुए सकियै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 1:4
19 Iomraidhean Croise  

अहिने करिके एखनी तुहेंसब शोक मनाबैछैं, मगर फेर हमे तोरासिके दिखाई देबौ आर तखनी तुहेंसब आनन्दित हैभैं। आर तोरसिके आनन्द कोय छिने नैसक्तौ।


एखनतक तुहेंसब हमर चेला हुऐके नातासे पितासे कुछु नैमाँग्लहैं छे। माँग ते तोरासिके देल जैतौ। ताकी तुहेंसब पुरा आनन्दित भ्याजहैं।


बहुते विनम्रतासे आर लोर बहैते उटा संकटके समयमे भी, जे यहूदी आदमीसिके षड्यन्त्रके बदौलत हमरापर ऐलै रहे, हमे प्रभुके सेवा कर्ते रहैलियै।


सेल्याके होशियार रह आर मनमे याद राख कि तीन बरसतक दिन-रात लोर बहैते सभे आदमीके हमे चेतावनी देते रहियै।


कहिनेकी हमरा तोरसिसे मिलैके बहुते इच्छा छै ताकी तोरासिके विश्वासमे मजगुत बनाबैके लिए हमे तोरासिके परमेश्वरके आत्मासे कुछु आत्मिक आशिष दियौ।


परमेश्वर हमर गवाह छै, कि हमर ह्रदय तोरसिके प्रति ख्रीष्ट येशूके प्रेमसे भरि गेलै छे आर हमे तोरासिके सभैके देखैके लिए तर्सैछियै।


कहिनेकी तोरसिके सभैके भेट करैके लिए ऊ बहुते इच्छा कैल्कौ छे, आर यी बातसे चिन्तित छौ कि तुहेंसब ऊ बेमार भेल बात सुनी लेल्हैं छे।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, जब हमेसब कुछु समयके लिए मनमे नै, मगर शारीरिक रुपसे तोरसिसे अलग भ्या गेलियै रहे ते, हमेसब बडा ललसाके साथ तोरासिके देखैके लिए आरहौ बेसी कोशिश कैलियै।


जाड शुरु हुऐसे पहलहै आबैके कोशिश कर। युबुलस तोरा नमस्कार भेजल्कौ छे आर पुडेस, लिनस, क्लौडिया आर सभे विश्वासी भ्यासब तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छे।


तिमोथी तुहें हमरलगत जल्दी आबैके कोशिश कर।


यी बात हमेसब इहे कारणसे लिखैछियौ कि आपनसिके आनन्द पुरा भ्याजै।


परमेश्वर ओकरसिके आँखीसे सभे लोर पोछि देतै। कोय भी आदमी कहियो नैमर्तै या कहियो भी दुःख महसुस नैकर्तै या नैकान्तै या दरदके अनुभव नैकर्तै। कहिनेकी पुरना संसार आब अस्तित्वमे नैछै।”


कहिनेकी बलि-भेंडा जे सिंहासनके बीचमे छै, ओकरसिके देखभाल कर्तै ओहिने करिके जेरंके एकटा चरवाहा आपन भेंडाके देखभाल करैछै, आर ओकरासिके ताजा पानी पियैके लिए ल्याजैतै जे आदमीसिके जीवन दैछै, आर परमेश्वर ओकरसिके आँखीसे सभे लोर पोछि देतै।”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan