Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 1:3 - केवट नया कारार

3 हमे परमेश्वरके धन्यवाद दैछियै, जकरा हमे आर हमर पुर्खासब साफ विवेकके साथ आराधना कैलियै छे। हमे सभे दिन तोर लिए प्रार्थना करैछियै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 1:3
21 Iomraidhean Croise  

आर आब ऊ चौरासी साल पुग्ल रहै। ऊ कहियो परमेश्वरके मन्दिर नै छोड्ते रहै आर उपास प्रार्थनाके साथ दिनरात आराधना कर्तै रहै।


“हमे ते यहूदी आदमी छियै। हमर जनम किलिकिया प्रदेशके टार्सस सहरमे भेलै, मगर हमर पालन-पोषण इहे यरूशलेम सहरमे ही भेलै। हमे गुरुजी गमलिएलके चरणमे रहिके आपनसिके बाप-पुर्खाके विधि-विधानसिके निष्ठा पूर्वक पालन करैके लिए विस्तारसे सिखलियै आर हम्हुँ परमेश्वरके लिए एरं जुनूनसे भर्ल रहियै, जेरं ऐज तुहेंसब छह।


पावल महासभाके सदस्यसिके महर एकटक लग्याके देखल्कै आर कहैल्कै, “हे हौ भैय्या आर बहिनसब, ऐजके दिनतक परमेश्वरके नजरमे हमे शुद्ध विवेकके जीवन जिलियै छे।”


मगर हमे यी तोरे समनामे स्वीकार करैछियै, कि हमे आपन बाप-पुर्खासिके परमेश्वरके आराधना प्रभुके पथके अनुयायीके रुपमे करैछियै, जकरा यहूदी अगुवासब झुट्ठा पथ कहिके कहैछै। सभे कुछु जे विधि-विधान आर परमेश्वरके वक्तासिके लेखके मुताबिक छै, ओकरा हमे पुरा तरहसे विश्वास करैछियै।


इहे कारण हमे हमेशा आपन जीवन ऊ तरहसे बिताबैके कोशिश करैछियै, जकरासे हमे परमेश्वर आर आदमीसिके नजरीमे निर्दोष रहियै।


हमे आपन देशमे आर यरूशलेम सहरमे यहूदी आदमीसिके बीचमे आपन जीवन बचपनसे केरंके बितैलियै, यी बात सभे यहूदी अगुवासब जानैछै।


कहिनेकी जे परमेश्वरके हमे छियै आर जकर आराधना हमे करैछियै, ओकर एकटा स्वर्गदूत क्याल राती हमरलगत आबिके कहैल्कै,


आब अगर कुछु भी अपनासिके परमेश्वरके प्रेमसे अलग नैकरे सकैछै ते, इस्राएल देशके हमर यहूदी आदमीसब, परमेश्वरसे कहिने अलग छै? हमरा ओकरसिके लिए बहुते दुःख छै, आर सभे दिन हमर मनमे ओकरसिके लिए दरद महसुस हैछै। वास्तवमे, भला ही हमे खुदपर आरोप लगाबे सकैछियै आर आपने ही यहूदी भ्या-बहिनसिके उद्धारके लिए खुद ख्रीष्टसे अलग हुए सकैछियै, हमे ओकर लिए तैय्यार छियै। हमे ख्रीष्टके गवाह मानिके सच कहैछियौ। पवित्र आत्मा आर हमर विवेक भी गवाही दैछै कि यी सभे बातसब झुठ नैछै।


हमेसब गर्व करैछियै कि हमरसिके विवेक साफ छै। संसारमे आर खास करिके तोरसिके संगे हमरसिके सम्बन्धमे हमेसब परमेश्वरसे ऐल पवित्रता आर सच्चाईमे चल्लियै छे, यी आदमीके बुद्धिसे नै मगर परमेश्वरके अनुग्रहसे छै।


तबसे हमे सभे दिन तोरसिके लिए परमेश्वरके धन्यवाद दैछियै, आर आपन प्रार्थनामे तोरासिके याद करैछियौ।


तोरासिके अमना-समनामे भेट करिके प्रभु येशू ख्रीष्टमे पुरा रुपसे विश्वास करैले सिखाबैके लिए हमेसब रात दिन जोशके साथ प्रार्थना करैछियै।


तुहें निरन्तर ख्रीष्टमे विश्वास कर आर साफ विवेक राख। कुछु आदमीसब साफ विवेकके इन्कार कैल्कै छे। नतिजा स्वरुप ऊसब आब ख्रीष्टमे विश्वास नैकरैछै।


यी आदेश दियैके मकसद यी छै कि तुहेंसब एक दोसरके साफ मन, बढियाँ विवेक आर सच्चा विश्वाससे प्रेम करे सक्हैं।


ओरंको मोसामातसब जकरसंगे ओकरसिके जरुरत पुरा करेवाला आर देखभाल करेवाला कोय भी नैछै, ऊसब परमेश्वरमे ही आशा राखैछै आर रात दिन बिन्ती आर प्रार्थनामे परमेश्वरके संगे सहायता माँग्ते रहैछै।


हमरा तोर मयाँके येशू ख्रीष्टमे सच्चा विश्वासके याद आबैछै। तोर नानी लोइसके भी ओहिने विश्वास रहै, आर हमरा निश्चय छै कि ऊ विश्वास तोरामे भी छै।


बचपनसे ही, तुहें धरमशास्त्रसे परिचित छैं, जे तोरासिके येशू ख्रीष्टमे विश्वास कैलके बाद परमेश्वर तोरासिके बचाबैछै कहिके बुझैले सहायता करैछै।


येशू ख्रीष्ट क्याल, ऐज आर सभे दिन एक समान छै, ऊ कहियो नैबदलैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan