2 तिमोथी, हमे यी चिट्ठी तोरा लिखैछियौ, आर तुहें हमर लिए एकटा प्यारा बेटाके जुगुर छैं। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर पिता आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरा अनुग्रह, कृपा आर शान्ति दौ।
फेर पावल डर्बी सहर आर लुस्त्रा सहरमे भी ऐलै आर ओत्ते तिमोथी नामके एकटा चेला रहै। ओकर मयाँ यहूदी विश्वासी रहै, मगर ओकर बाबु यूनानी रहै।
हमे यी चिट्ठी रोम सहरमे भेल तुहेंसब सभैके लिखैछियौ जकरा परमेश्वर प्रेम करैछै आर ओकर सन्तसब हुऐके लिए बोलैल छैं: हमे प्रार्थना करैछियौ कि आपनसिके परमेश्वर पिता आर प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ।
हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, आपनहैंसे कहियो बदला नैले मगर परमेश्वरके तोर लिए बदला लियैले दहैं। कहिनेकी धरमशास्त्रमे प्रभु कहैछै, “बदला लिएवाला काम हमर छै, हम्हीं बदला लेबै।”
सेल्याके हमे तोरसिकेलगत तिमोथीके भेजैछियौ। ऊ प्रभुमे हमर प्यारा आर विश्वासयोग्य बेटा छै। आर ऊ तोरासिके यी बात फेर याद दिलैतौ कि हमे येशू ख्रीष्टके अनुयायीके रुपमे केरं व्यवहार करैछियै, जेरंके हमे जते भी जैछियै ओत्करो मण्डलीमे सिखाबैछियै।
सेल्याके, हे हमर प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके बहुते प्रेम करैछियौ आर तोरसिके भेट करैके लिए इन्तजार करैछियौ। तुहेंसब हमर आनन्द आर मकुट छैं। हमर प्रिय भ्या-बहिनसब, जेरंके हमे कहैलियौ छे ओरंके आपन विश्वासमे मजगुत भ्याके र।
हमे यी चिट्ठी तिमोथीके लिखैछियै। तुहें हमर आपने बेटाके जुगुर छैं कहिनेकी तुहें भी ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर पिता आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह, कृपा आर शान्ति दौ।
सेल्याके तिमोथी, तुहें जे हमर बेटाके जुगुर छैं, येशू ख्रीष्टमे परमेश्वर तोरा देल अनुग्रहके द्वारा अपने आपके निरन्तर मजगुत बना।
तीतस तुहें जे हमर आपने बेटाके जुगुर छैं कहिनेकी तुहें भी ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर पिता आर आपनसिके उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ।
हमेसब एरंके व्यवहार करैछियै जब आपनसिके आशा कैल उटा सुन्दर दिनके लिए हमेसब उम्मीदके साथ इन्तजार करैछियै: उटा दिन जब आपनसिके महान परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट आपन सारा महिमाके साथ धर्तीपर फेर वापस ऐतै।
जब हमे सुनैछियै कि जेसब हमर बेटाबेटीसिके जुगुर छै ऊसब परमेश्वरके सच्चाईके मुताबिक जियैछै, तब उटा बात हमरा आरहौ बेसी खुशी बनाबैछै।