Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 1:18 - केवट नया कारार

18 न्यायके दिनमे प्रभु ओनिसिफरसके ओकर महान दया देखाबै। तोरा आपनहौं भी बढियाँसे मालुम छौ कि ऊ एफिसस सहरमे हमर बहुते सहायता कैल्कै रहे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 1:18
26 Iomraidhean Croise  

ऊ आपन पुर्खासिके उप्पर दया देखाबैके लिए, आर आपन पवित्र प्रतिज्ञा याद करैके लिए यी कैल्कै छे।


यी सभे इहे ल्याके हैतै कहिनेकी हमरसिके परमेश्वर बहुते दयालु छै। जेरंके सुरुज अपनासिके रोशनी दियैके लिए चम्कैछै, ओहिने करिके ख्रीष्ट भी आपनसिके लगत स्वर्गसे ऐतै।


आर बाँकी जनानीसिमेसे एकटाके नाम योअन्ना रहै, जे हेरोद राजाके मुन्सी खुजासके पतनी रहै। सुसन्ना नामके जनानी भी आरहौ बहुते जनानीसिके साथमे रहै। ऊ जनानीसब आपन धन-दौलतसे येशू आर ओकर चेलासिके सेवा कर्ते रहै।


तब ऊसब एफिसस सहरमे गेलै, ओत्ते पावल अकिला आर प्रिस्कीलाके छोडी देल्कै। जब पावल ओत्ते रहै, ऊ यहूदी आदमीसिके सभाघरमे गेलै आर यहूदी आदमीसिके संगे बातचित कैल्कै।


ओकरसिके संगे बिदा हुऐके समयमे ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “परमेश्वरके इच्छा हैतै ते हमे फेर वापस तोरसिकते ऐबौ।” एतनें कहिके ऊ पानी जहाजमे चढिके एफिसस सहरसे चल गेलै।


जब अपोल्लोस कोरन्थी सहरमे रहै ते, पावल गलातिया आर फ्रिगीया प्रदेशसिसे हैते एफिसस सहरमे ऐलै। ओत्ते ओकर कुछु चेलासिसे भेट भेलै।


आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके यी संसारमे वापस आबैके दिनमे तोरासिके दोषरहित राखैले परमेश्वर तोरासिके अन्ततक विश्वासमे मजगुत राख्तौ।


मगर पेन्तिकोसके पावनके समयतक हमे एफिसस सहरमे रहबै।


एक दिन हरेक आदमी आपन कैल काम केरंको छै से देख्तै। कहिनेकी जब येशू ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै, ऊ यी सभे बातसब खुल्लम खुल्ला प्रकट कर्तै। ऊ हरेक सेवकके कैल काम देख्तै आर ऊ यी काम बढियाँ छै या खराब छै कहिके कहतै, ठीक ओहिने करिके जेरंके एकटा आदमी धातुसिके जाँच करैके लिए आगिनके प्रयोग करैछै, यी देखैके लिए कि उटा धातुसब लम्बा समयतक रहैछै कि जल्दी जरि जैछै।


आब यरूशलेम सहरमे सन्तसिके पैसा दियैके सेवकाईके विषयमे हमरा तोरासिके लिखना जरुरी नैछै।


मगर परमेश्वर जे बहुते दयालु छै, ऊ आपन अपार प्रेमसे अपनासिके प्रेम कैल्कै।


जब हमरसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै, तब हमरसिके आशा या आनन्द या गर्वके मकुट तुहेंसब ही हैभैं।


तिमोथी, तोरा मालुम छौ कि एफिसस सहरमे गलत बात सिखाबेवाला कुछु आदमीसब छै। ऊसब निरन्तर झुट्ठा शिक्षासब आर बाप-पुर्खासिके लम्बा सूचीसब सिखाबैछै। जब हमे एफिसस सहरसे माकेडोनिया प्रदेशमे जैके लिए तैय्यार रहियै, हमे तोरासिके एफिसस सहरमे रहैके लिए आर ओकरासिके ओरं शिक्षा नैदियैके लिए बताबैके लिए बिन्ती कैलियौ। जब ऊसब ओरंको बातसब सिखाबैछै, नतिजा यी छै कि आदमीसब उटा बातके विषयमे बहस करैछै। ऊ शिक्षकसब परमेश्वरके देल काम नैकरैछै, जे काम ऊसब परमेश्वरमे भरोसा राखिके खाली करे सकैछै।


यी इहे कारण छै, कि हमे जेलमे भी दुःख भोगैछियै, मगर हमे लाज नैमानैछियै। कहिनेकी हमे ख्रीष्टके चिन्हैछियै, जकरापर हमे भरोसा कैलियै छे, आर हमरा निश्चय छै कि ख्रीष्ट फेर वापस नै आबैतक जे हमे ओकरा सौंप्लियै छे उटा बातके रक्षा ऊ करे सकैछै।


प्रभु ओनिसिफरसके घरानापर दया करै, कहिनेकी ऊ बहुतेबेर हमर भेट कैल्कै आर हौसला भी देल्कै आर एत्ते जेलमे हमर भेट करैले आबैके लिए भी लाज नैमानल्कै।


मगर जब ऊ रोम सहरमे ऐलै, ऊ हमरा सभे महर खोजीके भेट कैल्कै।


मगर तुखिकसके हमे एफिसस सहरमे भेज्लियै छे।


आब प्रभु हमर लिए स्वर्गमे धार्मिकताके मकुट राखल्कै छे, कहिनेकी हमे ओकरा पसन्द हुएवाला जीवन जिलियै छे। ऊ प्रभु जे सहीसे फैसला करैछै, हमरा उटा मकुट तब देतै जब ऊ फेर वापस ऐतै। ऊ खाली हमरा नै मगर ओकरा सभैके देतै जेसब ओकर वापस आबैके बहुते इच्छा करैछै।


जेरं तुहेंसब बढियाँ काम कैल्हैं छे आर एखन भी तुहें परमेश्वरके नाममे परमेश्वरके आदमीसिके लिए प्रेमके साथ सेवाके काम करैछैं, सेल्याके परमेश्वर तोरासिके नै भुल्तौ। कहिनेकी ऊ धर्मी छै।


यी उद्धारके बारेमे परमेश्वरके वक्तासब आरहौ बेसी जानैले चहते रहै। ऊसब भविष्यवाणी कैल्कै कि परमेश्वर तोरासिके बचाबैके लिए तोरसिके पक्षमे केरंके अनुग्रहके साथ व्यवहार कर्तौ, जकर योग्य तुहेंसब नैरहैं। ऊसब जबाब खोजैके लिए सावधानीपूर्वक अध्ययन कैल्कै।


येशू हमरा यी भी कहैल्कै, “एफिसस सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे उहे छियै जे आपन दहिना हातमे सातटा तारा पक्डीके राख्लियै छे आर हमे उहे छियै जे दियाके राखेवाला सोनाके लबनाके बीचमे लरैछियै। हमे तोरासे यी कहैछियौ:


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan