यी खुश-खबरीके खातिर हमे एकटा राजदूत छियै, जब कि हमे एखन जेलमे छियै। तुहेंसब प्रार्थना कर कि हमे, जेरं हमे बोलना चाही, ओहिने करिके बिना डरके साथ खुश-खबरीके प्रचार करे सकियै।
यी इहे कारण छै, कि हमे जेलमे भी दुःख भोगैछियै, मगर हमे लाज नैमानैछियै। कहिनेकी हमे ख्रीष्टके चिन्हैछियै, जकरापर हमे भरोसा कैलियै छे, आर हमरा निश्चय छै कि ख्रीष्ट फेर वापस नै आबैतक जे हमे ओकरा सौंप्लियै छे उटा बातके रक्षा ऊ करे सकैछै।
सेल्याके दोसर आदमीसिके आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके विषयमे बताबैमे लज्जित नैहु, आर तोरा यी बातसे भी लाज नै होना चाही कि हमे ख्रीष्टके सेवा करैके कारणसे जेलमे छियै। मगर तोरा उटा सामर्थ्यके प्रयोग करना चाही जे परमेश्वर तोरा दैछौ आर खुश-खबरीके लिए तुहें हमर दुःखमे साथ दे।
तुहेंसब जेलमे कैदमे भेल आदमीसिके संगे सहानुभूति देखैल्हैं, आर तुहेंसब आपन धन-दौलत लुट्ल गेल पर भी खुशीके साथ सहलहैं, कहिनेकी तुहेंसब जानैछैं कि तोरसिकेलगत आब भी ऊ सभे चीज छौ जकर प्रतिज्ञा परमेश्वर कैल्कै रहे, जे कि बेसी बढियाँ छै आर जे सभे दिन रहैछै।
जेरं तुहेंसब बढियाँ काम कैल्हैं छे आर एखन भी तुहें परमेश्वरके नाममे परमेश्वरके आदमीसिके लिए प्रेमके साथ सेवाके काम करैछैं, सेल्याके परमेश्वर तोरासिके नै भुल्तौ। कहिनेकी ऊ धर्मी छै।