Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 1:13 - केवट नया कारार

13 सुनिश्चित कर कि तुहें आपन आदर्शके रुपमे ऊ सच्चा शिक्षाके सुरक्षित राख जे तुहें हमरासे सुन्लहैं। एरंको विश्वास आर प्रेमके साथ कर कहिनेकी तुहें येशू ख्रीष्टके संगे एकतामे छैं।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 1:13
30 Iomraidhean Croise  

आर तुहें मूर्ख आदमीसिके सिखाबैछैं, कमजोर आदमीसिके शिक्षा दैछैं। आर तोरासिके मालुम छौ कि तोरसिके संगे मूसाके विधि-विधान छौ, तोरासिके सभे बात बढियाँसे मालुम छौ आर तोरसिके कहेल बात एकदम सही छौ।


तुहेंसब पहेला पापके दास रहैं, मगर आब तुहेंसब ऊ शिक्षासिके पालन कैल्हैं छे, जे शिक्षा तोरासिके देल गेलौ रहे। सेल्याके हमे परमेश्वरके धन्यवाद दैछियै।


मगर जे भी हुए, तुहेंसब एकटा बातके ध्यान राख कि तोरसिके जीवनके आचरण-व्यवहार ख्रीष्टके खुश-खबरीके योग्य होना चाही। अहिने करिके चाहे हमे आबिके तोरसिके भेट करियौ या दूर रहिके हमे तोरसिके बारेमे सुनियौ, मगर हमरा इहे बात पता चलै कि तुहेंसब एक आत्मामे स्थिर छैं आर एक मनके भ्याके एक साथ मिलिके उटा विश्वासके लिए संघर्ष करैछैं, जे कि खुश-खबरीपर आधारित छै।


हमर बोली आर काम दोनोसे तुहेंसब जे बात सिख्लहैं आर पैल्हैं उटा आपन व्यवहारमे देखा। तब शान्ति दिएवाला परमेश्वर तोरसिके साथमे रहतौ।


कहिनेकी ख्रीष्ट येशूमे तोरसिके विश्वास आर सभे परमेश्वरके आदमीसिके प्रतिके तोरसिके प्रेमके विषयमे हमेसब सुन्लियै छे।


सभे बातके जाँच कर कि उटा बात परमेश्वरसे ऐलै छे कि नैऐलै छे। बढियाँ बातसिके स्वीकार आर ओकरा पालन कर।


उटा विधि-विधान ऊसब आदमीसिके लिए भी छै जे व्यबिचारी, समलिंगी, आदमीके दास बनाबैके लिए अपहरण करेवाला आदमी, झुठ बोलेवाला आदमी, सच बोलैके वादा करिके भी झुठ बोलेवाला आदमी आर ऊ आदमीसिके लिए भी जे उटा सभे कुछु करैछै जकरा सही शिक्षा अपनासिके करैसे रोकैछै।


आपनसिके प्रभु हमरा ओकर अपार अनुग्रह निरन्तर देखैल्कै। ऊ हमरा विश्वास करैके क्षमता आर दोसर आदमीसिके प्रति प्रेम देल्कै कहिनेकी हमे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे रहियै।


अगर कोय झुट्ठा शिक्षा सिखाबैछै आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके देल सही शिक्षा आर परमेश्वरके आदर हुएवाला निर्देशनसंगे सहमत नैहैछै ते,


हमे, पावल, यी चिट्ठी लिखैछियै। परमेश्वर हमरा इहे ल्याके चुनल्कै कि हमे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला बनियै ताकी हमे यी सन्देशके प्रचार करे सकियै कि परमेश्वर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दियैके प्रतिज्ञा कैल्कै छे, जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैसे आबैछै।


अपनासिमे रहेवाला पवित्र आत्माके द्वारा तोरा सौंप्ल परमेश्वर तोरा देल सन्देशके रक्षा कर।


तुहें हमरा बहुते आदमीसिके समनामे ख्रीष्टके विषयमे सन्देश सिखैते सुन्लहैं छे। सेल्याके, हमे चाहैछियै कि तुहें भी आपन भरोसा कैल दोसर विश्वासीसिके इहे सन्देश सिखा, आर ऊ विश्वासीसब भी दोसर विश्वासीसिके इहे सन्देश सिखाबैके योग्य हैतै।


जे बात हमेसब तोरा सिखैलियौ छे, तोरा उटा बात पर निरन्तर विश्वास करना चाही आर तुहें निश्चित छैं। कहिनेकी तुहें जानैछैं आर हमरासिपर भरोसा करे सकैछैं जेसब तोरा यी सच्चाईसब सिखैल्कौ छे।


कहिनेकी एरं समय आबैछै, जब आदमीसब सच्चा शिक्षाके स्वीकार करैले नैचहतै, मगर अपने आपके पसन्द हुएवाला बात खाली सुने चाहैछै आर ऊसब झुट्ठा शिक्षकसब खोज्तै जेसब ओकरासिके आपन मन-पसन्दके बात सिखैतै।


ओकरा येशू ख्रीष्टके विषयमे विश्वासयोग्य सन्देशपर मजगुतीसे विश्वास करना चाही जे हमेसब ओकरा सिखैलियै छे। ताकी ऊ दोसर आदमीसिके सही शिक्षाके अनुसरण करैके लिए उत्साह दिए सकै आर संगहै संग सही शिक्षाके विरुद्धमे बहस करेवाला आदमीसिके यकीन दिलाबे सकै कि ऊसब गलत छै।


मगर तीतस, तुहें विश्वासीसिके खाली उहे बात सिखा जे येशू ख्रीष्टके विषयमे सही शिक्षासिसे मिलैछै।


तोर शिक्षा सभे दिन सच्चा होना चाही आर कोय भी आलोचना करे सकेवाला नै होना चाही ताकी येशू ख्रीष्टके लिए तोर कामके विरोध करेवाला आदमीसब लज्जित हैतै कहिनेकी ऊसब आपनसिके विषयमे कोनो भी खराब बात कहे नैसक्तै।


आपनसिके द्वारा स्वीकार कैल आशाके मजगुतसे पक्डीके राख, कहिनेकी ओकर कैल प्रतिज्ञा पुरा कर्तै कहिके अपनासब परमेश्वरमे विश्वास करे सकैछियै।


ख्रीष्ट एकटा बेटाके रुपमे आपन परिवारमे विश्वासयोग्य छै आर उटा परिवार अपनासब खुद छियै। यदि आपनसिके संगे साहास छै आर ख्रीष्टमे भेल आशामे भरोसा छै आर अन्ततक स्थिर छियै ते अपनासब परमेश्वरके परिवारके आदमीसब छियै।


इहे ल्याके येशू जे स्वर्ग गेलै छे, ऊ परमेश्वरके बेटा छै। ऊ आपनसिके सभैके प्रधान पुजारी छै। सेल्याके या अपनासब ऊ विश्वासके नैछोडिके दृढतासे र, जकरा अपनासब सभैके समनामे स्वीकार कैलियै रहे।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके ऊ उद्धारके विषयमे लिखैके लिए सकभर कोशिश कर्ते रहियै जे येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके तरफसे आबैछै आर जकरामे अपनासब सभेको सहभागी छियै। मगर आब हमे यी चिट्ठीके द्वारा तोरासिके उत्साहित करैके दबाब महसुस करैछियै ताकी तुहेंसब ख्रीष्टियन विश्वासके पक्डीके राखैके लिए आरहौ भी कडा प्रयास कर्भैं। परमेश्वर आपन आदमीसिके लिए यी विश्वास एक्केबेर सभे दिनके लिए द्या देल्कै छे, आर एकरा बदल्ल नै ज्या सकैछै।


हमे जल्दी ही आबेवाला छियौ। इहे ल्याके, आपन विश्वासमे मजगुतसे र, ताकी कोय भी तोर प्रतिफल छिनी नैलौ।


उटा शिक्षाके याद कर जे तुहें बहुते पहेला सुन्लहैं रहे आर विश्वास कैल्हैं रहे। जे तोरा सिखैल गेलौ रहे ओकर अनुसरण कर, पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा। यदि तुहें गलत काम कर्ते रहैछैं ते हमे अचानक ऐबौ, जेरंके रातके समयमे चोर आबैछै आर तुहें उटा समयके भी नैजाने सक्भैं जब हमे तोरा सजाय दियैके लिए आबी जैबौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan