Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 1:10 - केवट नया कारार

10 परमेश्वर आपन बेटा उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा आपन अनुग्रह देखैल्कै छे। ऊ मौतके शक्तिके नाश करिदेल्कै छे, आर खुश-खबरीके द्वारा कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके रस्ता छै कहिके देखैल्कै छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 1:10
58 Iomraidhean Croise  

“अगर तोरसिके सारा शरीर उजेतसे पुरा छौ ते, आर कोनो भाग अनहार नैछै ते ऊसब उजेत हैतै जेरंके चिरागके रोशनी तोरासिके उजेत दैछौ।”


तब ऊ आदमी मालीके कहैल्कै, ‘तीन साल भेलै, हमे यी अन्जीरके गाछमे फल खोजैछियै मगर नैपाबैछियै। एकरा काटिके फेकिदहैं, यी गाछ बढियाँ जमिनके बर्बाद करैछै।’


ऐज बेथलेहेम गाँवमे, जे दाऊद राजाके सहर छै, सभैके उद्धारकर्ता राजा ख्रीष्ट जनम लेल्कै छे। उहे ही ख्रीष्ट प्रभु छै।


येशू जे सच्चा उजेत छै जे सभे आदमीसिके उजेत दैछै, ऊ यी संसारमे आबैछै।


येशू ओकरा कहैल्कै, “रस्ता, सच, आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन हम्हीं छियै। हमर बिना कोय भी परमेश्वर पिताके लगत नै ज्या सक्तै।


मगर यी इहे ल्याके लिख्ल गेलै छे, कि तुहेंसब येशू परमेश्वरके बेटा, ख्रीष्ट छै कहिके ओकरापर विश्वास करिके ओकर नामसे तोरासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिलौ।


ऊसब ऊ जनानीके कहैल्कै, “एखन तोर बात सुनिके खाली नै, मगर हमेसब आपनहैं ओकर शिक्षा सुनैके कारणसे विश्वास करैछियै। ऊ सच्चे संसारके उद्धारकर्ता छै कहिके आब हमेसब जान्लियै छे।”


तैय्योपर तुहेंसब कहियो खतम नैहुएवाला जीवन लियैले हमरलगत आबैले नैचाहैछैं।


ओकरे वंशसे परमेश्वर आपन प्रतिज्ञाके मुताबिक इस्राएलीसिके लिए एकटा उद्धारकर्ता यानिकी येशूके भेजल्कै।


इस्राएलीसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लग्याके पापसे माफी पाबै कहिके परमेश्वर येशूके उद्धारकर्ता बन्याके आपन दहिना हातके बगल सम्मानके जगहमे बैठैल्कै।


मगर आब यी परमेश्वरके वक्तासिके लिख्ल बातसिके द्वारा प्रकट भेलै छे आर आब कहियो खतम नैहुएवाला परमेश्वरके आज्ञाके मुताबिक सभे जात-जातके आदमीसिके मालुम भेलै छे, ताकी सभे जात-जातके आदमीसब विश्वास करिके परमेश्वरके आज्ञापालन करे सकै।


धीरजके साथ बढियाँ काम करिके महिमा, इज्जत आर अमरता खोजेवाला आदमीके परमेश्वर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


तब कि अपनासब इहे विश्वाससे विधि-विधानके बेकार बनाबैछियै? हर्गिस नै! मगर हमेसब परमेश्वर मूसाके द्वारा देल विधि-विधानके निश्चित करैछियै।


हमेसब जानैछियै कि आपनसिके पुरना पापी स्वभाव येशू ख्रीष्टसंगे क्रूसमे टाँग्ल गेलै, ताकी आपनसिके शरीरके पापमय स्वभाव नाश हैतै, आर फेर अपनासिके पापके दास बने नैपडै।


सबसे पाछु नाश कैल ज्यावाला दुश्मन मौत छै।


सेल्याके प्रभुके वापस आबैतक कोय ककरो जाँच नैकर। ऊ कक्रहौ मालुम नैभेल आदमीसिके विचारसिके साफसे कही देतै। ओकरसिके हृदयके मकसद प्रकट करि देतै, तब परमेश्वरके तरफसे सभे आदमीसिके प्रशंसा मिल्तै।


आर अपनासब यी अस्थायी शरीरमे बोझसे दब्ल कुहरते रहैछियै, कहिनेकी अपनासब यी संसारिक शरीरके छोडैले नैचाहैछियै मगर अपनासब चाहैछियै कि परमेश्वर अपनासिके स्वर्गीय शरीर दै, ताकी यी शरीर जे मरि जैतै यी उटा शरीरमे बदली जैतै जकरामे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै।


तुहें जेसब विधि-विधानके पालन करिके धर्मी घोषित हुऐले चाहैछैं, तुहेंसब अपने आपके ख्रीष्टसे अलग करैछैं आर तुहेंसब अपने आपके उटा अनुग्रहसे अलग करि लेल्हैं छे जकरासे परमेश्वर तोरासिके बचाबे सकैछौ।


हमे यी भी प्रार्थना करैछियौ कि ऊ तोरासिके सचके आर उटा आशाके जकर लिए ऊ तोरासिके बोलैल्कौ छे, ओकरा समझैमे तोरसिके सहायता करौ। ताकी तुहेंसब जाने सक्हैं कि उटा आशिषसब कतनें महान आर महिमामय छै जकर प्रतिज्ञा परमेश्वर आपन सन्तसिके संगे कैल्कै छे।


परमेश्वर उहे कैल्कै जे ऊ नुक्याके राखल्कै, आर अपनासिके उटा नुकैल योजना प्रकट कैल्कै जे ऊ पहलहैसे ही ख्रीष्टके द्वारा पुरा करैके फैसला कैल्कै रहे।


सेल्याके, जब ख्रीष्ट विरोधीके रोकेवाला चीजके हटैल जैतै तब येशू ख्रीष्ट दिखाई पड्तै। तब उटा ख्रीष्ट विरोधीके प्रभु येशू नाश करैके आदेश द्याके आर ओकर फेर वापस आबैके महिमा देख्याके शक्तिहीन बनैतै।


हमे, पावल, यी चिट्ठी लिखैछियै। परमेश्वर हमरा इहे ल्याके चुनल्कै कि हमे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला बनियै ताकी हमे यी सन्देशके प्रचार करे सकियै कि परमेश्वर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दियैके प्रतिज्ञा कैल्कै छे, जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैसे आबैछै।


सेल्याके दोसर आदमीसिके आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके विषयमे बताबैमे लज्जित नैहु, आर तोरा यी बातसे भी लाज नै होना चाही कि हमे ख्रीष्टके सेवा करैके कारणसे जेलमे छियै। मगर तोरा उटा सामर्थ्यके प्रयोग करना चाही जे परमेश्वर तोरा दैछौ आर खुश-खबरीके लिए तुहें हमर दुःखमे साथ दे।


जब येशू ख्रीष्ट राजाके रुपमे राज्य करैके लिए ऐतै, ऊ दोनो जिन्दा आदमीसब आर मर्ल आदमीसिके न्याय कर्तै। सेल्याके परमेश्वर आर ख्रीष्टसंगे गवाहीके रुपमे हमे तोरा आग्रह करैछियौ,


आब प्रभु हमर लिए स्वर्गमे धार्मिकताके मकुट राखल्कै छे, कहिनेकी हमे ओकरा पसन्द हुएवाला जीवन जिलियै छे। ऊ प्रभु जे सहीसे फैसला करैछै, हमरा उटा मकुट तब देतै जब ऊ फेर वापस ऐतै। ऊ खाली हमरा नै मगर ओकरा सभैके देतै जेसब ओकर वापस आबैके बहुते इच्छा करैछै।


कहिनेकी परमेश्वर सभे आदमीसिके पापसे बचाबैके रस्ता देख्याके आपन अनुग्रह प्रकट कैल्कै छे।


हमेसब एरंके व्यवहार करैछियै जब आपनसिके आशा कैल उटा सुन्दर दिनके लिए हमेसब उम्मीदके साथ इन्तजार करैछियै: उटा दिन जब आपनसिके महान परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट आपन सारा महिमाके साथ धर्तीपर फेर वापस ऐतै।


अपनासब एरंको व्यवहार कैलियै तैय्योपर भी, आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर आदमीसिके प्रति आपन दया आर प्रेम देखैल्कै।


उटा पहेलाके दिनसिके बारेमे सोच जब तुहें पहेला बेर ख्रीष्टके विषयमे जान्लहैं रहे। याद कर कि एकर लिए तोरासिके भयंकर तकलीफ उठाबे पड्लौ रहे, तैय्योपर तुहेंसब केरं विश्वासयोग्य बन्ल रहैं।


हमे, सिमोन पत्रुस तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ, हमे येशू ख्रीष्टके सेवक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमे तुहेंसब सभैके लिए लिखैछियौ जेसब आपनसिके जुगुर समान बहुमूल्य विश्वास प्राप्त कैल्कै छे, यी विश्वास आपनसिके परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा अपनासिके देल गेलै छे, जे अपनासिके परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित करैछै।


आर साथे-साथ परमेश्वर तोरासिके उटा राज्यमे भव्य स्वागत कर्तौ जते येशू ख्रीष्ट छै, जे आपनसिके प्रभु आर आपनसिके उद्धारकर्ता छै, जे सभे दिनके लिए राजाके रुपमे राज्य कर्तै।


परमेश्वर आपन शक्तिके द्वारा अपनासिके उटा सभे कुछु देल्कै छे, जे अपनासिके एकटा ईश्वरीय जीवन जियैके लिए चाही। यी सम्भव छै कहिनेकी अपनासब परमेश्वरके चिन्हैछियै आर ऊ उहे छै जे अपनासिके आपन महिमा आर नैतिक भलाइके द्वारा आपन आदमी हुऐके लिए बोलैल्कै छे।


जब आदमीसब येशू ख्रीष्टके आपन प्रभु आर उद्धारकर्ता कहिके स्वीकार करैछै, तब ऊसब संसारके दुष्टतासे भागैछै। मगर आब एकबेर फेर ऊसब खराब काम करैमे लिप्त भ्यागेलै छे आर उटा खराब कामसब ओकरासिके नियन्त्रित करैछै, सेल्याके आब ख्रीष्टके अस्वीकार करि देलके बाद ओकरसिके अन्तिम दशा ओकरसिके विश्वासी बनैसे पहेलाके स्थितिसे भी खराब भ्यागेलै छे।


मगर तोरासिके आपनसिके प्रभु आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके अनुग्रहके आरहौ बेसीसे बेसी अनुभव करना चाही आर ओकर प्रति आपन समझमे बढना चाही। ओकर महिमा एखन आर सभे दिनके लिए हैते रहै। आमेन।


हमे एरं इहे ल्याके करैछियौ कहिनेकी हमे चाहैछियै कि तुहेंसब उटा वचनसिके याद राख, जे परमेश्वरके वक्तासब बहुते पहेला कहैल्कै रहे आर आपनसिके उद्धारकर्ता, प्रभु येशू ख्रीष्टके शिक्षासिके याद राख जे तोरासिके चुन्ल आर भेज्ल चेलासब देल्कौ जे तोरसिकेलगत ऐलौ रहे।


परमेश्वर आदमीसिके, उटा आदमीके देखैल्कै छे जे वास्तविक जीवन दैछै आर हमेसब ओकरा देख्लियै। सेल्याके हमेसब तोरासिके सच्चा बात बताबैछियौ। हमेसब तोरासिके कहैछियौ कि जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै ऊ सभे दिनके लिए रहैछै। बहुते समय पहेलासे ऊ परमेश्वर पिताके संगमे रहै मगर आब परमेश्वर ओकरा अपनासिके देखैल्कै छे।


हमेसब परमेश्वरके बेटाके देख्लियै छे आर गवाही दैछियै, कि परमेश्वर पिता आपन बेटाके संसारके आदमीसिके लिए उद्धारकर्ता हुऐले भेजल्कै छे।


एकरबाद, हमे आरहौ एकटा स्वर्गदूतके स्वर्गसे उतरिके निच्चा ऐते देख्लियै। ओकरलगत बडका अधिकार रहै आर ओकर बडका तेजके कारण पुरा धर्तीमे उजेत भेलै।


जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक कि पवित्र आत्मा मण्डलीके कि कहैछै। ऊ आदमीसब जे जित हासिल करैछै, ओकरासिके हमे जीवन दिएवाला गाछसे फल खैके इजाजत देबै, जे परमेश्वरके स्वर्गीय बगीचामे छै।”


ऊ सभे आदमीसब जकर नाम जीवनके किताबमे नैलिख्ल रहै, ओकरासिके आगिनके समुन्दरमे फेकि देल गेलै। एकरबाद, आब मौत नैछै आर आब पाताल भी नैछै जते मर्ल आदमीसब रहैछै, कहिनेकी ऊ सभे आदमीसब जकरसिके नाम जीवनके किताबमे नैलिख्ल गेलै रहे, ओकरासिके आगिनके समुन्दरमे फेकि देल गेलै। एकरा ही दोसर मौत कहेल जैछै, जे कि आगिनके समुन्दरमे मिलेवाला सजाय छै।


आपन कपडा धोयके साफ राखेवालासब धन्यके छै, कहिनेकी ओकरासिके सहरके केबाडसे प्रवेश करैके अधिकार देल जैतै। आर ओकरासिके उटा गाछके फल खैके भी अधिकार देल जैतै जे जीवन दैछै।


परमेश्वरके आत्मा आर कनियाँ उत्तर देल्कै यानिकी ऊ आदमीसब जे येशूसे सम्बन्धित छै ऊसब कहैल्कै, “आब।” जे भी यी शब्दके सुनैछै ओकरा भी यी कहना चाही, “आब।” जे कोय भी प्यास्ल छै, ऊ एत्ते आबक। उटा पानीके पी जे जीवन दैछै, जे कि ऊ सभैके फोकटमे देल जैछै जे एकरा पियैले चाहैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan