Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 1:1 - केवट नया कारार

1 हमे, पावल, यी चिट्ठी लिखैछियै। परमेश्वर हमरा इहे ल्याके चुनल्कै कि हमे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला बनियै ताकी हमे यी सन्देशके प्रचार करे सकियै कि परमेश्वर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दियैके प्रतिज्ञा कैल्कै छे, जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैसे आबैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 1:1
29 Iomraidhean Croise  

ओकरासिके हमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछियै, आर ऊसब कहियो नाश नैहैतै, आर कोय ओकरासिके हमर लगतसे हमला करिके छिनिके नैलजाबे सक्तै।


कहियो खतम नैहुएवाला जीवन यी छै, कि आदमीसब तोरा चिन्हे सकै, यानिकी खाली एक्केटा सच्चा परमेश्वरके आर ऊसब हमरा चिन्हे सकै कि तुहें हमरा, येशू ख्रीष्टके भेज्लह छे।


हमे तोरासिके सच कहैछियौ, जे हमर वचन सुनैछै, आर हमरा भेजेवालापर विश्वास करैछै, ओकरलगत कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। ओकरा सजाय देल नैजैतै, मगर ऊ कहियो खतम नैहुएवाला मौतसे बची गेलै छे आर पहलहैसे ही नया जीवनमे प्रवेश करि लेल्कै छे।


कहिनेकी हमर पिताके इच्छा यी छै, जे कोय हमे, आदमीके बेटाके देखिके ओकरापर विश्वास करैछै, ओकरा कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिलैछै आर संसारके अन्तके दिनमे हमे ओकरासिके मुर्दासे जिन्दा बनैबै।”


मगर हमर शरीर ख्यावाला आर हमर खून पिएवालाके संगे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै, आर संसारके अन्तके दिनमे हमे ओकरा मुर्दासे जिन्दा बनैबै।


यी चिट्ठी हमे, पावल लिखैछियै। हमे येशू ख्रीष्टके सेवक छियै, आर चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए परमेश्वरके द्वारा चुन्ल गेलियै छे आर परमेश्वरके खुश-खबरी सुनाबैके लिए अलग कैल गेलियै छे।


जेरंके सभे आदमीसब पाप कैल्कै आर ऊसब मर्लै ओहिने करिके आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके अनुग्रहसे ओकरासिके धर्मी घोषित कर्तै आर ओकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


कहिनेकी पापके फल मौत छै, मगर परमेश्वरके देल वरदान, कहियो खतम नैहुएवाला जीवन आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टमे मिलैछै।


हमे, पावल, यी चिट्ठी लिखैछियै। हमे ख्रीष्ट येशूके चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐले परमेश्वरके इच्छाद्वारा बोलैल छियै। हमे एत्ते आपनसिके विश्वासी भ्या सोस्थेनेससंगे छियै जे हमरा सहायता करैछै।


यी चिट्ठी हमेसब, पावल आर तिमोथीके तरफसे छै। हमे परमेश्वरके इच्छासे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमेसब यी चिट्ठी कोरन्थी सहरके मण्डलीके आर अखैया प्रदेशके सभे सन्तसिके लिखैछियै।


कहिनेकी परमेश्वरके जतनें प्रतिज्ञासब छै, ऊ सभेटा ख्रीष्टमे “हौं” छै। आर इहे ल्याके अपनासब परमेश्वरके महिमाके लिए येशू ख्रीष्टद्वारा “आमेन” कहैछियै जकर मतलब छै “हौं”।


तुहेंसब सभेको येशू ख्रीष्टमे बप्तिस्मा लेल्हैं छे आर ख्रीष्टके चरित्रके मुताबिक चलैछैं। सेल्याके तुहेंसब येशू ख्रीष्टमे विश्वास राखैके द्वारा परमेश्वरके सन्तान बनी गेल्हैं छे।


ख्रीष्टमे एकटा यहूदी आदमी या गैर-यहूदी आदमी या एकटा दास या एकटा दास नैभेल आदमीके बीचमे कोनो अन्तर नैछै। एकरामे कोनो अन्तर नैछै कि तुहें एकटा मरद छैं या जनानी। अपनासब सभेको येशू ख्रीष्टमे एक समान छियै।


आर रहस्य यी छै कि येशू ख्रीष्टके संगे आपनसिके सम्बन्धके कारण खुश-खबरीके द्वारा यहूदी आदमीसिके जुगुर गैर-यहूदी आदमीसब भी उहे आशिषसिके पैतै, आर ऊसब एक्केटा शरीरके अंगसब छै आर परमेश्वरके कैल प्रतिज्ञासिमे भागीदार छै।


एरं करिके, ऊसब आपन लिए खजानाके जुगुर ओकर बढियाँ कामसब जमा कर्तै, जे स्वर्गमे ओकरसिके भविष्यके जीवनके लिए मजगुत आधार हैतै ताकी ऊसब परमेश्वरके चहेल जेरं निश्चित रुपसे आपन सच्चा जीवनके अनुभव करे सकै।


परमेश्वर आपन बेटा उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा आपन अनुग्रह देखैल्कै छे। ऊ मौतके शक्तिके नाश करिदेल्कै छे, आर खुश-खबरीके द्वारा कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके रस्ता छै कहिके देखैल्कै छे।


सुनिश्चित कर कि तुहें आपन आदर्शके रुपमे ऊ सच्चा शिक्षाके सुरक्षित राख जे तुहें हमरासे सुन्लहैं। एरंको विश्वास आर प्रेमके साथ कर कहिनेकी तुहें येशू ख्रीष्टके संगे एकतामे छैं।


ऊ अपनासिके बचैल्कै आर अपनासिके एकटा पवित्र जीवन जियैके लिए बोलैल्कै छे, आर अपनासब बढियाँ काम करैके कारणसे ऊ अपनासिके नैचुनल्कै छे, मगर ओकर आपन योजना आर अनुग्रहके आधारमे छै। यी संसारके सृष्टि हुऐसे पहेला ही परमेश्वर येशू ख्रीष्टके आपनसिके लिए मरैके लिए भेजिके आपन अनुग्रह अपनासिपर देखाबैके योजना बन्या लेल्कै रहे।


सेल्याके तिमोथी, तुहें जे हमर बेटाके जुगुर छैं, येशू ख्रीष्टमे परमेश्वर तोरा देल अनुग्रहके द्वारा अपने आपके निरन्तर मजगुत बना।


सेल्याके परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके फैदाके लिए हमे सभे दुःख सहैछियै, ताकी उहोसब भी येशू ख्रीष्टमे विश्वास करे सकै आर बचे सकै, आर सभे दिन रहेवाला आदर ऊसब पाबे सकै।


येशू ख्रीष्टके एकटा बढियाँ सिपाहीके जुगुर हमरसंगे दुःख भोगैमे सामिल हु।


बचपनसे ही, तुहें धरमशास्त्रसे परिचित छैं, जे तोरासिके येशू ख्रीष्टमे विश्वास कैलके बाद परमेश्वर तोरासिके बचाबैछै कहिके बुझैले सहायता करैछै।


नतिजा स्वरुप, ऊसब परमेश्वरसंगे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन जियैके आशा करैछै कहिनेकी कहियो झुठ नैबोलेवाला परमेश्वर यी संसारके सृष्टि करैसे पहेला ही यी प्रतिज्ञा कैल्कै कि ओकर आदमीसब सभे दिन जितै।


तीतस तुहें जे हमर आपने बेटाके जुगुर छैं कहिनेकी तुहें भी ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर पिता आर आपनसिके उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ।


सेल्याके ख्रीष्ट परमेश्वरके तरफसे मध्यस्थके रुपमे आपन आदमीसिके लिए एकटा नया करार आनल्कै छे। ऊ आदमीसब जकरा परमेश्वर बोलैल्कै छे, ऊ सभे आशिषके प्राप्त करे सकैछै जकर प्रतिज्ञा ऊ कैल्कै छे, यानिकी ऊ आशिषसब जे सभे दिन रहतै। ऊसब उटा चीजसब प्राप्त करे सकैछै कहिनेकी ख्रीष्ट मरि गेलै ताकी ऊ आदमीसब जेसब पुरना करारके अधिनमे रहते रहै ओकरासिके पापसे छुटकारा देल ज्या सकै।


आर परमेश्वर अपनासिके यी वादा कैल्कै छे कि ऊ अपनासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan