Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ थेसलोनिकी 3:4 - केवट नया कारार

4 आर हमरासिके प्रभुमे तोरासिपर भरोसा छै कि हमेसब तोरासिके जे कुछु करैले कहैलियौ छे, तुहेंसब ओहिने करैछैं आर कर्ते रहभैं।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ थेसलोनिकी 3:4
18 Iomraidhean Croise  

हमे जतनें आदेश तोरासिके देलियौ छे उटा सभेटा पालन करैले ओकरासिके सिखा। आर देख, संसारके अन्तके समयतक हमे हमेशा तोरसिके साथमे छियौ।”


हे हमर विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरसिके विषयमे निश्चित छियै, कि तुहेंसब खुद भी भलाइसे भर्ल छैं आर तुहेंसब पुरा तरहसे जानैछैं कि तोरासिके कि करना चाही, आर तुहेंसब एक दोसरके सिखाबे सकैछैं।


कहिनेकी हमे यी कहैके लिए साहासी छियै कि ख्रीष्ट हमरद्वारा जे काम कैल्कै छे, ओकरद्वारा हमे गैर-यहूदी आदमीसिके परमेश्वरके अनुसरण करैके लिए प्रभावित कैलियै छे। ऊसब हमर बोल्ल वचन सुनिके आर हमर कैल काम देखिके परमेश्वरपर भरोसा कैल्कै छे।


धीरजके साथ बढियाँ काम करिके महिमा, इज्जत आर अमरता खोजेवाला आदमीके परमेश्वर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


यदि कोनो आदमी खुदके परमेश्वरके वक्ता या फेर पवित्र आत्माके द्वारा वरदान पैल सम्झैछै ते, ऊ जानी लै, कि जे बातसब हमे तोरासिके लिखैछियौ उटा प्रभुके आज्ञा छै।


ककरो खतना भेल छै या नैछै, एकरासे कोनो फरक नैपडैछै मगर परमेश्वरके आज्ञापालन करना बहुते महत्वपूर्ण छै।


हमे उटा चिट्ठी इहे ल्याके लिख्लियौ रहे, हमर ऐलके बाद कहुँ एरं नै भ्याजै कि जे आदमीसिसे हमरा आनन्द मिलना चाही से आदमीसब हमरा दुःखित बनाबै। कहिनेकी हमर आनन्द तोरसिके सभैके आनन्द हैछै कहिके हमरा तोरसिके सभैके बारेमे भरोसा रहै।


कहिनेकी हमे इहे ल्याके भी यी चिट्ठी लिख्लियौ रहे कि तोरासिके जाँचे सकियौ कि तुहेंसब हमर निर्देशनके पालन करैके लिए तैय्यार छैं कि नैछैं।


आर हमेसब एकरसिके संगे एकटा आरहौ विश्वासी भ्याके भेजैछियौ, जकरा हमेसब बहुतेबेर जाँचिके बहुते बातमे उत्साही पैलियै छे, मगर आब तोरासिपर ओकरा बहुते भरोसा छै, इहे ल्याके ऊ आरहौ भी बेसी उत्साही भेल छै।


हमे परमेश्वरपर भरोसा राखैछियै कि ऊ तोरासिके झुट्ठा शिक्षासिपर विश्वास करैसे बच्याके राख्तौ। मगर तोरसिके लिए परेशानी खडा करेवाला सभे आदमीसब परमेश्वरके द्वारा सजाय पैतै।


हमरा यी पक्का विश्वास छै कि परमेश्वर तोरासिमे कुछु बढियाँ करैले शुरु कैल्कौ छे, परमेश्वर ही यी काम उटा दिनमे पुरा कर्तौ जब येशू ख्रीष्ट वापस ऐतौ।


सेल्याके हे हमर प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, जब हमे तोरसिके संगे रहियौ तब तुहेंसब सभे दिन आज्ञापालन कैल्हैं। एखन हमे तोरसिसे दूर छियौ, तोरासिके आरहौ बेसी आज्ञापालन करना चाही। तोरासिमेसे हरेक आदमी डरके साथ आर कम्पनके साथ ऊ चीजसब कर जे काम परमेश्वरद्वारा उद्धार पैल आदमीसिके लिए सही छै।


आर माकेडोनिया प्रदेशमे सभे महर भेल आपन संगी विश्वासीसिके प्रति तुहेंसब पहलहै ही प्रेम देखैलहैं छे। मगर विश्वासी भ्यासब, हमेसब तोरासिके आग्रह करैछियौ कि तुहेंसब प्रेममे आरहौ बढते जो।


एरंको आदमीसिके हमेसब हमरसिके प्रभु येशू ख्रीष्टसे मिल्ल अधिकारसे आज्ञा आर उपदेश दैछियै, कि ऊसब शान्तिपूर्वक आपन काम करिके जियैके लिए पैसा कमाबक।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमरसिके प्रभु येशू ख्रीष्टसे मिल्ल अधिकारसे हमेसब तोरासिके आज्ञा दैछियौ कि कोनो एरंको संगी विश्वासीसे संगत नैकर जे हमरसिके सिखैल शिक्षाके आज्ञापालन नैकरैछै।


यी चिट्ठी हमे तोरा लिख्लियौ छे, कहिनेकी हमे विश्वास करैछियै कि हमे जे तोरा करैले कहैलियौ छे ऊ तुहें कर्भैं। वास्तवमे, हमरा मालुम छै कि हमर कहेल से भी बेसी तुहें कर्भैं।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan