Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ थेसलोनिकी 2:1 - केवट नया कारार

1 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके फेर वापस आबैके विषयमे आर फेर ओकरासे भेट करैके समयके विषयमे हमेसब तोरासिके कुछु लिखैले चाहैछियौ।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ थेसलोनिकी 2:1
14 Iomraidhean Croise  

कहिनेकी हमे, आदमीके बेटा आपन पिताके महिमामे आपन स्वर्गदूतसिके संगे ऐबौ आर उटा समयमे ऊ सभे आदमीके ओकर काम मुताबिकके इनाम देबौ।”


फेर येशू आदमीसिके भीड आर आपन चेलासिके कहैल्कै, “तोरासिमेसे कतनें झन एत्ते खडा छैं, जेसब हमे, आदमीके बेटाके हमर राज्यमे ऐल नैदेखै तक ऊसब नैमर्तै।”


ऊ आपन स्वर्गदूतसिके धुतहुकके बडका आवाजके साथ पठैतै, आर ऊसब ओकरासिके सभे जगहसे जमा कर्तै, धर्ती आर आकाश सभे जगहसे आपन चुन्लसिके जमा कर्तै।”


आर हमर समनामे जात-जातके आदमीसब जमा हैतै, आर जेरंके चरवाहा भेंडा आर बकरीके अलग करैछै, ओहिने करिके ऊ ओकरासिके एक दोसरसे अलग कर्तै।


तब ऊ स्वर्गदूतसिके भेज्तै, ऊसब ओकरासिके सभे जगहसे जमा कर्तै, धर्ती आर आकाश सभे जगहसे आपन चुन्लसिके जमा कर्तै।”


सेल्याके हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, अपनासिपर भेल परमेश्वरके दया याद दिल्याके हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ, आपन-आपन जीवनके जिन्दा बलिदानके रुपमे परमेश्वरमे अर्पण कर। तोरसिके बलिदान पवित्र आर परमेश्वरके खुश करेवाला होना चाही। परमेश्वरके आराधना करैके सही तरिका इहे छै।


परमेश्वरके तय कैल समयमे, ऊ स्वर्ग आर धर्तीमे भेल सभे चीजसिके एक बनैतै आर ख्रीष्टके ओकरासिपर शासन करैके अधिकार देतै।


जब हमरसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै, तब हमरसिके आशा या आनन्द या गर्वके मकुट तुहेंसब ही हैभैं।


हमेसब प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके प्रभु येशू तोरसिके मनके एरंके स्थिर कराबौ, कि जब ऊ आपन पवित्र आदमीसिके संगे फेर वापस ऐतौ ते, तुहेंसब आपनसिके परमेश्वर पिताके समनामे निर्दोष आर पवित्र ठहरहैं।


अन्तमे हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमेसब तोरासिके प्रभु येशूके नाममे आग्रह करैछियौ कि जेरंके हमेसब तोरासिके सिखैलियौ छे, परमेश्वरके खुश करेवाला जीवन जी। तुहेंसब पहलहैसे एरंके जीवन जियैछैं, आर हमेसब तोरासिके एरंके जियैके लिए आरहौ बेसी उत्साह दैछियौ।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तोरसिके लिए सभे दिन हमरासिके परमेश्वरके धन्यवाद चढाना चाही, आर यी करना हमरसिके लिए उचित छै, कहिनेकी तुहेंसब निरन्तर येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं आर एक दोसरप्रतिके तोरसिके प्रेम भी बढते गेलौ छे।


जब येशू ख्रीष्ट राजाके रुपमे राज्य करैके लिए ऐतै, ऊ दोनो जिन्दा आदमीसब आर मर्ल आदमीसिके न्याय कर्तै। सेल्याके परमेश्वर आर ख्रीष्टसंगे गवाहीके रुपमे हमे तोरा आग्रह करैछियौ,


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan