Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ थेसलोनिकी 1:9 - केवट नया कारार

9 ऊसब सभे दिनके लिए प्रभुसे अलग हैतै आर ओकर आदरमे भाग नैपैतै। आर ऊ ओकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला सजाय द्याके विनाश कर्तै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ थेसलोनिकी 1:9
38 Iomraidhean Croise  

कहिनेकी हमे, आदमीके बेटा आपन पिताके महिमामे आपन स्वर्गदूतसिके संगे ऐबौ आर उटा समयमे ऊ सभे आदमीके ओकर काम मुताबिकके इनाम देबौ।”


तब राजा नोकरसिके कहैल्कै, ‘एकर हात पैर बान्हिके बाहार अनहारमे फेकिदहैं, जते आदमीसब पिडासे कान्तै आर दाँत किट्तै।’


तब हमे, आदमीके बेटाके अदभुद चिन्ह आकाशमे देखा पड्तै, आर धर्तीके सभे जातसब विलाप कर्तै, आर ऊसब मनुष्यके पुत्रके आकाशके बादलमे बडका शक्ति आर बडका महिमामे ऐतै देख्तै।


तकरबाद ऊ आपन बायाँ बगलके आदमीसिके कहतै, ‘श्रापित आदमीसब! हमरसे दूर हो आर शैतान आर ओकर दूतसिके लिए परमेश्वरसे तैय्यार कैल कहियो नैमिझाबेवाला आगिनमे जो।


तब बायाँ बगलवाला आदमीसब कहियो खतम नैहुएवाला सजायके भागीदार बन्तै, मगर दायाँ बगलवाला धर्मीजनसब कहियो खतम नैहुएवाला जीवनमे प्रवेश कर्तै।’ ”


हमे, आदमीके बेटा धरमशास्त्रमे लिख्ल बमोजिम मर्बै, मगर हमरा गिरफ्तार करवाबैले हमर दुश्मनसिके सहायता करेवालाके बहुते खतरनाक सजाय मिल्तै। ऊ आदमीके ते जनमे नैहैतियै ते बढियाँ हैतियै।”


तब हमे ओकरासिके साफसे कहबै, ‘हमे तोरासिके नैचिन्हैछियौ। हे दुष्ट काम करेवालासब, हमर लगतसे दूर भ्याजो।’ ”


ऊ कहतै, हमे तोरासिके कहैछियौ, तुहेंसब कतेसे ऐल्हैं छे, हमे नैजानैछियौ। दुष्ट काम करेवालासब हमर लगतसे दूर भ्याजो।


तकरबाद येशू ऊ आदमीके परमेश्वरके मन्दिरके ऐगनमे भेट कैल्कै आर कहैल्कै, “देख, आब तुहें ठीक भेल छैं। फेर पाप नैकर, नैते तोर आरहौ खराब दशा हैतौ।”


विनाश ओकरसिके अन्त छै, ऊसब खाली आपन शारीरिक इच्छा पुरा करैले जियैछै। लाज लागेवाला बातमे ऊसब गर्व करैछै, आर ऊसब सभे दिन खाली संसारके बातके बारेमे सोचैछै।


जब आदमीसब कहतै, “कुशल छै, आर कोनो डर नैछै” उटा समयमे ऊसब अचानक बडका समस्याके अनुभव कर्तै। यी गर्भवती जनानीके बच्चा जनमके दरद शुरु हुऐ जुगुर अचानक हैतै। ऊसब उटा बडका समस्यासे बचे नैसक्तै।


सेल्याके, जब ख्रीष्ट विरोधीके रोकेवाला चीजके हटैल जैतै तब येशू ख्रीष्ट दिखाई पड्तै। तब उटा ख्रीष्ट विरोधीके प्रभु येशू नाश करैके आदेश द्याके आर ओकर फेर वापस आबैके महिमा देख्याके शक्तिहीन बनैतै।


हमेसब एरंके व्यवहार करैछियै जब आपनसिके आशा कैल उटा सुन्दर दिनके लिए हमेसब उम्मीदके साथ इन्तजार करैछियै: उटा दिन जब आपनसिके महान परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट आपन सारा महिमाके साथ धर्तीपर फेर वापस ऐतै।


यदि मूसाके विधि-विधानके मुताबिक एरं किसिमके सजाय रहै ते, ऊ आदमीके सजाय बहुते बडका हैतै जे आदमी परमेश्वरके बेटाके तिरस्कार करैछै। ऊ परमेश्वरके बेटाके आपन पैरीके निच्चामे कुचली देल्कै छे कहिनेकी ऊ ओकर सम्मान नैकैल्कै। ऊ ख्रीष्टके उटा खूनके पवित्र नैमानल्कै जकरद्वारा परमेश्वर ओकरा पवित्र बनाबैके लिए नया करार शुरु कैल्कै रहे। ऊ पवित्र आत्माके अपमान कैल्कै जकरद्वारा ऊ आदमी अनुग्रह प्राप्त कैल्कै रहे।


यी झुट्ठा शिक्षकसब उटा पानीके झरनासिके जुगुर बेकार छै, जेसब सुखी गेलै छे। यी पानी नैपडेवाला मेघके जुगुर बिना कामके छै, जकरा हावा उड्याके ल्याजैछै। परमेश्वर ओकरसिके लिए एकटा एरं जगह तैय्यार कैल्कै छे जे पुरा तरहसे अनहार छै।


जेरंके परमेश्वर धर्तीके सृष्टिके आज्ञा देल्कै रहे, ओहिने करिके ऊ आज्ञा देल्कै छे कि वर्तमान ब्रम्हाण्ड तबतक रहै जबतक परमेश्वर एकरा आगिनसे नै जर्या दै। परमेश्वर एकरासिके उटा दिनतक राखल्कै छे जब ऊ सभे आदमीसिके न्याय कर्तै आर ऊ आदमीसिके नाश करि देतै जेसब ओकर सम्मान नैकरैछै। तब परमेश्वर आकाश आर धर्तीके जर्या देतै।


जेरंके समुन्दरके अशान्त लहर गन्दा फेन बनाबैछै, ओहिने करिके यी आदमीसब शर्मनाक काम करैछै। ऊसब कुछु तारासिके जुगुर छै जे एकटा सिधा रस्तापर नैचलैछै, ऊसब सही रस्ता नैदेखाबैछै। प्रभु ओकरसिके लिए एकटा जगह राखैछै जे पुरा तरहसे अनहार छै जते ओकरासिके सभे दिनके लिए रहे पड्तै।


फेर हमे एकटा उजरा सिंहासन देख्लियै जकरापर परमेश्वर विराजमान रहै। मगर ओत्ते जते परमेश्वर विराजमान रहै, ओत्तेसे धर्ती आर आकाश सभे गायब भ्यागेलै आर कोय भी ओकरासिके फेर नैदेखल्कै।


ऊ सभे आदमीसब जकर नाम जीवनके किताबमे नैलिख्ल रहै, ओकरासिके आगिनके समुन्दरमे फेकि देल गेलै। एकरबाद, आब मौत नैछै आर आब पाताल भी नैछै जते मर्ल आदमीसब रहैछै, कहिनेकी ऊ सभे आदमीसब जकरसिके नाम जीवनके किताबमे नैलिख्ल गेलै रहे, ओकरासिके आगिनके समुन्दरमे फेकि देल गेलै। एकरा ही दोसर मौत कहेल जैछै, जे कि आगिनके समुन्दरमे मिलेवाला सजाय छै।


मगर जे हमरापर विश्वास नैराखैछै, ओकरासिके जबरजस्ती गन्धकसे जरेवाला उटा तालाबमे फेक्ल जैतै, जे कि दोसर मौत छै। आर यी नतिजा ओकरसिके भी हैतै, जेसब आदमीसिके समनामे हमरा स्वीकार करैसे डराबैछै, खराब कामसब करैछै, जेसब हत्यारासब छै, जेसब व्यबिचार करैछै, जादु-टोना करैछै आर मूर्तिसिके पूजा करैछै या झुठ बोलैछै।”


मगर ऊ आदमीसब जे दुष्ट काम करैछै, जादु-टोना करैछै, जेसब व्यबिचार करैछै, आर मूर्तिसिके पूजा करैछै या ऊसब जे झुठ बोलैछै, ऊसब कहियो भी सहरमे प्रवेश नैकरे सक्तै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan