२ थेसलोनिकी 1:8 - केवट नया कारार8 आर परमेश्वरके स्वीकार नैकरेवाला आदमीसिके आर आपनसिके प्रभु येशूके बारेमे खुश-खबरी नैमानेवालासिके ऊ सजाय देतै। Faic an caibideil |
परमेश्वर पिता बहुते पहेला ही तोरासिके आपन आदमी बनाबैके लिए आर पवित्र आत्माके कामके द्वारा तोरासिके पवित्र बनाबैले चुनैके फैसला कैल्कै रहे। ऊ एरं इहे ल्याके कैल्कै ताकी तुहेंसब येशू ख्रीष्टके आज्ञापालन करहैं आर ओकर खूनके द्वारा शुद्ध हुए सक्हैं। हमे प्रार्थना करैछियौ कि परमेश्वर तोरासिके बहुते अनुग्रह आर शान्ति दौ।
जेरंके परमेश्वर धर्तीके सृष्टिके आज्ञा देल्कै रहे, ओहिने करिके ऊ आज्ञा देल्कै छे कि वर्तमान ब्रम्हाण्ड तबतक रहै जबतक परमेश्वर एकरा आगिनसे नै जर्या दै। परमेश्वर एकरासिके उटा दिनतक राखल्कै छे जब ऊ सभे आदमीसिके न्याय कर्तै आर ऊ आदमीसिके नाश करि देतै जेसब ओकर सम्मान नैकरैछै। तब परमेश्वर आकाश आर धर्तीके जर्या देतै।
यी इस्राएलीसब आर स्वर्गदूतसिके जुगुर ऊ आदमीसिके भी याद कर जे सदोम सहर आर गमोरा सहर आर ओकर आस-पासके गाँवमे रहते रहै ओकरसिके संगे कि भेलै रहे। ऊ आदमीसब व्यबिचारी भ्यागेलै आर सभे प्रकारके यौन भ्रष्टतासे भरि गेलै रहे। इहे ल्याके परमेश्वर ओकरासिके आगिनसे नाश करिदेल्कै। ओकरसिके संगे जे भेलै ऊ झुट्ठा शिक्षकसिके लिए एकटा चेतावनी बनी गेलै छे कि ओकरासिके भी कहियो नैमिझाबेवाला आगिनसे सजाय देल जैतै।
मगर जे हमरापर विश्वास नैराखैछै, ओकरासिके जबरजस्ती गन्धकसे जरेवाला उटा तालाबमे फेक्ल जैतै, जे कि दोसर मौत छै। आर यी नतिजा ओकरसिके भी हैतै, जेसब आदमीसिके समनामे हमरा स्वीकार करैसे डराबैछै, खराब कामसब करैछै, जेसब हत्यारासब छै, जेसब व्यबिचार करैछै, जादु-टोना करैछै आर मूर्तिसिके पूजा करैछै या झुठ बोलैछै।”