Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ थेसलोनिकी 1:7 - केवट नया कारार

7 ऊ तोरासिके जे एखन कष्ट भोगैछैं आर हमरासिके भी सान्त्वना देतै। यी बात तब हैतै जब प्रभु येशू आपन शक्तिशाली स्वर्गदूतसिके संगे बर्ल आगिनमे स्वर्गसे प्रकट हैतै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ थेसलोनिकी 1:7
51 Iomraidhean Croise  

कहिनेकी हमे, आदमीके बेटा आपन पिताके महिमामे आपन स्वर्गदूतसिके संगे ऐबौ आर उटा समयमे ऊ सभे आदमीके ओकर काम मुताबिकके इनाम देबौ।”


फेर येशू आदमीसिके भीड आर आपन चेलासिके कहैल्कै, “तोरासिमेसे कतनें झन एत्ते खडा छैं, जेसब हमे, आदमीके बेटाके हमर राज्यमे ऐल नैदेखै तक ऊसब नैमर्तै।”


“जब हमे, आदमीके बेटा फेरसे ऐबै, तब हमे आपन महिमामे ऐबै आर सभे स्वर्गदूतसिके आपन संगमे आन्बै। तब हमे सभे आदमीसिके न्याय करैके लिए आपन महिमामय सिंहासनमे बैठ्बै।


तकरबाद ऊ आपन बायाँ बगलके आदमीसिके कहतै, ‘श्रापित आदमीसब! हमरसे दूर हो आर शैतान आर ओकर दूतसिके लिए परमेश्वरसे तैय्यार कैल कहियो नैमिझाबेवाला आगिनमे जो।


येशू ओकरा जबाब देल्कै, “से बात ते तुहें आपनहैं कहैछ आर हमे तोरासिके कहैछिहौं आब तुहेंसब हमे, आदमीके बेटाके परमेश्वरके दहिना हातके बगल शक्तिके स्थानमे बैठ्ल, आर तुहेंसब हमरा बादलसे घेर्ल स्वर्गसे ऐते देख्भैं।”


येशू कहैल्कै, “हमे छियै, आब तुहेंसब हमे, आदमीके बेटाके परमेश्वरके दहिना हातके बगल शक्तिके स्थानमे बैठ्ल आर तुहेंसब हमरा बादलसे घेर्ल स्वर्गसे ऐते देख्भैं।”


जे आदमीसब ऐज जिन्दा छै आर परमेश्वरसे विश्वासघात करैछै, ऊसब एकटा व्यबिचारी पतनीके जुगुर आर पापी आदमीसब छै। अगर तोरासिमेसे कोय भी हमरा आपन परमेश्वरके रुपमे स्वीकार करैले आर हमर शिक्षाके पालन करैले इन्कार करैछै, कहिनेकी तुहें डराबैछैं कि एरंको पापी आदमीसब तोर मजाक उडैतौ, तब हमे, आदमीके बेटा इन्कार कर्बौ कि तुहें हमर चेला छैं, जब हमे पवित्र स्वर्गदूतसिके साथ धर्तीपर वापस ऐबै। तब सभेको हमर चम्कल तेजके देख्तै जे हमर पिताके जुगुर छै।”


मगर अब्राहम कहैल्कै, ‘बेटा याद कर, तुहें आपन जीवनकालमे बढियाँ-बढियाँ चीजके भोगी चुक्लहैं, मगर लाजरसके सभे खराब चीज मिल्लै। आब ऊ आराममे छै, आर तुहें कष्टमे छैं।


हमे, आदमीके बेटा नैसोच्ल समयमे वापस आबेवाला दिनमे भी अहिने हैतै।”


सभे चीज ओकरद्वारा सृजल गेलै आर सृजल कोनो चीज ओकर बिना नैसृजल गेलै।


तब येशू ओकरा कहैल्कै, “हमे तोरा सच कहैछियौ, तुहेंसब स्वर्ग उघर्ल आर परमेश्वरके स्वर्गदूतसिके उप्पर जैते आर हमे, आदमीके बेटाके उप्परमे उतर्ते देख्भैं।”


ऊसब कहैल्कै, “हे गालील जिलाके रहेवाला आदमीसब, तुहेंसब खडा भ्याके आकाशमहर कहिने देखैछैं? इहे येशू जकरा परमेश्वर तोरसिके लगतसे स्वर्गमे ल्यागेलै, एखन जेरं तुहेंसब ओकरा स्वर्गमे गेल देख्लहैं छे, ओहिने करिके ऊ फेर वापस ऐतै।”


सेल्याके पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगाब आर परमेश्वरके लगत लौटिके आब, ताकी तोरसिके पापसब माफ भ्याजहौं। तब तुहेंसब परमेश्वरके तरफसे आत्मिक सामर्थ्य पैभ।


आर यदि अपनासब सन्तान छियै ते, हकवाला भी छियै, परमेश्वरके हकवाला आर ख्रीष्टके संगी हकवाला। यदि अपनासब येशूके जुगुर दुःख सहैछियै ते, अपनासब ओकर महिमामे भी सामिल हैबै।


एक दिन हरेक आदमी आपन कैल काम केरंको छै से देख्तै। कहिनेकी जब येशू ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै, ऊ यी सभे बातसब खुल्लम खुल्ला प्रकट कर्तै। ऊ हरेक सेवकके कैल काम देख्तै आर ऊ यी काम बढियाँ छै या खराब छै कहिके कहतै, ठीक ओहिने करिके जेरंके एकटा आदमी धातुसिके जाँच करैके लिए आगिनके प्रयोग करैछै, यी देखैके लिए कि उटा धातुसब लम्बा समयतक रहैछै कि जल्दी जरि जैछै।


कहिनेकी हमरसिके समस्या छोटका छै आर बहुते लम्बा समयतक नैरहतै। कहिनेकी एकर परिणाम कहियो खतम नैहुएवाला महिमा हैतै, जे ऊ सभैसे बहुते बेसी हैतै जकर हमेसब कल्पना करे सकैछियै।


हमे प्रार्थना करैछियौ कि आपनसिके परमेश्वर पिता आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ।


कहिनेकी जब परमेश्वर सभे चीज सृष्टि कैल्कै ऊ ख्रीष्टके द्वारा सृष्टि कैल्कै। ऊ चाहे आकाशके है या धर्तीपरके, दिखाई दिएवाला है या दिखाई नैदिएवाला, चाहे सिंहासनसब, चाहे प्रभुत्वसब, चाहे शासकसब, अधिकारसब है, सभे चीज ख्रीष्टके द्वारा आर ख्रीष्टके लिए ही बन्ल छै।


हमेसब प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके प्रभु येशू तोरसिके मनके एरंके स्थिर कराबौ, कि जब ऊ आपन पवित्र आदमीसिके संगे फेर वापस ऐतौ ते, तुहेंसब आपनसिके परमेश्वर पिताके समनामे निर्दोष आर पवित्र ठहरहैं।


यदि अपनासब ओकर लिए दुःख सहबै ते, अपनासब ओकरेसंगे राजाके जुगुर राज्य भी कर्बै। मगर यदि अपनासब ओकरा चिन्हैसे इन्कार करैछियै ते, उहो भी कहतै कि अपनासब ओकर नैछियै।


हमेसब एरंके व्यवहार करैछियै जब आपनसिके आशा कैल उटा सुन्दर दिनके लिए हमेसब उम्मीदके साथ इन्तजार करैछियै: उटा दिन जब आपनसिके महान परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट आपन सारा महिमाके साथ धर्तीपर फेर वापस ऐतै।


मगर ओकरासिके डरके साथ परमेश्वरके न्यायके इन्तजार करना चाही आर ऊसब परमेश्वरके दुश्मन हुऐके कारण धधक्ल आगिनमे भसम हैतै।


जेरंके आगिन नाश करैछै ओहिने करिके आपनसिके परमेश्वर भी आपन दुश्मनसिके नाश कर्तै।


आब जब कि परमेश्वर अपनासिसे प्रतिज्ञा कैल्कै छे इहे ल्याके अपनासब विश्रामके जगहमे जैबै ते, अपनासिके बहुते होशियार रहना चाही आर तोरसिमेसे कक्रहौ भी उटा विश्रामके जगहमे जैके मौका नैछोडना चाही।


सेल्याके अपनासब उटा विश्रामके जगहमे प्रवेश करैके लिए कडा मेहनत कर। कोनो भी आदमीके ऊ आदमीसिके उदाहरणके नकल नैकरना चाही जेसब परमेश्वरके आज्ञा मानैसे इन्कार करिदेल्कै। तब अपनासब उटा विश्रामके जगहमे प्रवेश कर्बै।


सेल्याके परमेश्वरके आदमीसिके लिए एखन भी एकटा जगह तैय्यार छै, जते ऊसब पुरा तरहसे विश्राम करे सकैछै। ऊसब ओहिने करिके विश्राम कर्तै जेरंके परमेश्वर सतमा दिनमे विश्राम कैल्कै।


ओहिने करिके, ख्रीष्ट एक्केबेर अपने आपके बलिदानके रुपमे चढ्या देल्कै ताकी बहुते आदमीसिके पापके दूर करे सकै। आर ऊ दोसर बेर ऐतै, अपने आपके पापके कारण बलिदान चढाबैके लिए नै, बरु ऊ आदमीसिके उद्धार करैके लिए जेसब ओकर इन्तजार करैछै।


आर ऊ स्वर्गमे चल गेलै। आब ऊ ओत्ते परमेश्वरके दहिना हातके बगलमे सम्मानके जगहमे बैठ्ल छै। आर ऊ सभे स्वर्गदूत आर सभे अधिकारी आर शक्तिसिपर राज्य करैछै।


जेरंके परमेश्वर धर्तीके सृष्टिके आज्ञा देल्कै रहे, ओहिने करिके ऊ आज्ञा देल्कै छे कि वर्तमान ब्रम्हाण्ड तबतक रहै जबतक परमेश्वर एकरा आगिनसे नै जर्या दै। परमेश्वर एकरासिके उटा दिनतक राखल्कै छे जब ऊ सभे आदमीसिके न्याय कर्तै आर ऊ आदमीसिके नाश करि देतै जेसब ओकर सम्मान नैकरैछै। तब परमेश्वर आकाश आर धर्तीके जर्या देतै।


यी इस्राएलीसब आर स्वर्गदूतसिके जुगुर ऊ आदमीसिके भी याद कर जे सदोम सहर आर गमोरा सहर आर ओकर आस-पासके गाँवमे रहते रहै ओकरसिके संगे कि भेलै रहे। ऊ आदमीसब व्यबिचारी भ्यागेलै आर सभे प्रकारके यौन भ्रष्टतासे भरि गेलै रहे। इहे ल्याके परमेश्वर ओकरासिके आगिनसे नाश करिदेल्कै। ओकरसिके संगे जे भेलै ऊ झुट्ठा शिक्षकसिके लिए एकटा चेतावनी बनी गेलै छे कि ओकरासिके भी कहियो नैमिझाबेवाला आगिनसे सजाय देल जैतै।


देख, ऊ बादलके सवारीमे आबैछै, आर हरेक आदमी ओकरा देख्तै। जे आदमीसब ओकर मौतके लिए जिम्मेदार रहै, ऊसब भी ओकरा ऐते देख्तै आर धर्तीके सभे आदमीसब जोर-जोरसे कान्तै जब ऊसब ओकरा देख्तै। हौं, अहिने हैतै। आमेन।


परमेश्वर ऊ आदमीसिके बहुते तित्त अंगुरके मद्द पियैले लगैतै, जकरामे कोनो भी मिलावट नैहैछै। एकर मतलब यी छै कि परमेश्वर कोनो दया बिना ओकरासिपर आपन गोस्सा प्रकट कर्तै। ऊ आदमीसिके आगिन आर कोयलामे सतैल जैछै। आर जब परमेश्वर ओकरासिके सजाय दैछै पवित्र स्वर्गदूतसब बलि-भेंडाके संगे देख्तै।


फेर हमे स्वर्गसे कक्रहौ बोल्ते सुन्लियै आर ऊ हमरा कहैल्कै, “यी बातसिके एत्ते लिख। आबसे ऊ आदमीसब धन्य छै जेसब प्रभुमे भरोसा कर्ते हुए मरि जैछै।” तब पवित्र आत्मा यी बात पर सहमत भेलै आर ऊ कहैल्कै, “यी सच छै। ऊसब धन्य छै कहिनेकी ऊसब आपन कडा मेहनतसे आराम पैतै आर जे काम ऊसब कैल्कै छे ओकर खातिर ओकरासिके इनाम देल जैतै।”


फेर हमे एकटा उजरा सिंहासन देख्लियै जकरापर परमेश्वर विराजमान रहै। मगर ओत्ते जते परमेश्वर विराजमान रहै, ओत्तेसे धर्ती आर आकाश सभे गायब भ्यागेलै आर कोय भी ओकरासिके फेर नैदेखल्कै।


परमेश्वर ओकरसिके आँखीसे सभे लोर पोछि देतै। कोय भी आदमी कहियो नैमर्तै या कहियो भी दुःख महसुस नैकर्तै या नैकान्तै या दरदके अनुभव नैकर्तै। कहिनेकी पुरना संसार आब अस्तित्वमे नैछै।”


हमे, येशू आपन स्वर्गदूतके तोरलगत मण्डलीसिके आदमीसिके यी बातसिके घोषणा करैके लिए भेज्लियै छे। हमे दाऊद राजाके वंशके छियै, हमे ही छियै, जे उटा ताराके जुगुर छियै जे सुरुज उगैके समयमे प्रकट हैछै।”


तब स्वर्गदूत हमरा कहैल्कै, “यी सभे बातसब जे तोरासिके बतैल गेलौ छे, सच छै, आर पुरा तरहसे विश्वास करैके योग्य छै। कहिनेकी प्रभु परमेश्वर जे आपन वक्तासिके मनसिके निर्देशन करैके लिए आपन आत्मा देल्कै रहे, उहे ही छै जे हमरा जे कि ओकर स्वर्गदूत छियै, तोरा उटा बात बताबैके लिए भेजल्कै छे जे जल्दी ही हैतै।”


मगर ऊ हमरा कहैल्कै, “देख्, तुहें एरं नैकर! हमे ते तोर, आर तोर विश्वासी भ्यासब जे परमेश्वरके वक्तासब आर यी किताबके वचन पालन करेवालासिके जुगुर परमेश्वरके सेवक छियै। परमेश्वरके ही गोड लागिके ओकरा आराधना कर।”


ओकरासिमेसे हरेकके एकटा उजरा कपडा देल गेलै आर परमेश्वर ओकरासिके कहैल्कै, “एखनके लिए आराम कर, कहिनेकी एखन भी तोरसिके सहकर्मी आर तोरसिके साथी विश्वासीसब छै जकरासिके तोरेसिके जुगुर जान मार्ल जैतै। जब जान मार्ल ज्यावालासिके संख्या पुरा भ्याजैतै, तभे हमे बदला लेबै।”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan