Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ थेसलोनिकी 1:6 - केवट नया कारार

6 कहिनेकी परमेश्वर हमेशा न्याय करैछै आर ऊ तोरासिके कष्ट दिएवालासिके कष्ट दैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ थेसलोनिकी 1:6
18 Iomraidhean Croise  

कहिनेकी जे निरन्तर गलत काम करैछै, परमेश्वर ओकरा सजाय देतै। परमेश्वर कहियो भी पक्षपात नैकरैछै।


जेरं तुहेंसब बढियाँ काम कैल्हैं छे आर एखन भी तुहें परमेश्वरके नाममे परमेश्वरके आदमीसिके लिए प्रेमके साथ सेवाके काम करैछैं, सेल्याके परमेश्वर तोरासिके नै भुल्तौ। कहिनेकी ऊ धर्मी छै।


ऊ आदमीसब जेसब तोरापर विश्वास नैकरैछै बहुते गोसैल छै, आर समय आबी गेलै छे कि तुहें आपन गोस्सा देखाब आर जे मरि चुक्लै छे, ऊ सभैके फैसला करैके समय आबी गेलै छे। एखन उटा समय भी छै जब तुहें ऊ परमेश्वरके वक्तासिके इनाम देभ जेसब तोर सेवा करैछै आर ऊ जात-जातके आदमीसिके जेसब तोर सम्मान करैछै, ओकरासिके जेसब कमजोर छै आर जेसब शक्तिशाली छै। उहे समयमे तुहें ओकरासिके नाश करि देभ जेसब धर्तीपर विनाश कैल्कै छे।”


हे प्रभु, सभे आदमीसिके द्वारा तोर आदर कैल जैछौं आर ऊसब सभेको तोर नामके सम्मान करैछौं कहिनेकी खाली तुहें ही पवित्र परमेश्वर छह। हरेक राज्यके जात-जातके आदमीसब तोरलगत आबैछौं आर ऊसब तोर ही आराधना करैछौं, कहिनेकी तोर सही काम सभैके बढियाँसे मालुम छै।”


तुहें जेसब स्वर्गमे रहैछैं यी बारेमे बहुते आनन्दित हु जे एकरसंगे भेलै छे। सन्तसब, चुन्ल आर भेज्ल चेलासब आर परमेश्वरके वक्तासब सभेको यी बातके लिए आनन्द कर जे ओकरा भेलै छे, कहिनेकी परमेश्वर उटा सहरपर इन्साफ भेजल्कै छे, उटा खराबीके कारण जे ऊ तोरसंगे कैल्कौ छे।”


परमेश्वर बेबिलोन सहरके इहे ल्याके सजाय देल्कै कहिनेकी यी सहर परमेश्वरके वक्तासिके आर सन्तसिके आर सभे धर्तीपरके आदमीसिके खून बहाबैके दोषी रहै।”


परमेश्वरके प्रशंसा कर कहिनेकी ओकर इन्साफ सही आर सच्चा छै। ऊ नामी वेश्याके न्याय कैल्कै कहिनेकी ऊ संसारके आदमीसिके पाप करैके लिए प्रभावित कैल्कै। परमेश्वर ओकरसे बदला लेल्कै छे कहिनेकी ओकर दाससब ओकरद्वारा हत्या कैल गेलै रहे।”


तब ऊसब जोर-जोरसे परमेश्वरसे कहैल्कै, “हे पवित्र आर सच्चा प्रभु, तुहें धर्तीमे रहेवाला ऊ दुष्ट आदमीसिके सजाय दियैमे एतनें लम्बा इन्तजार कहिने करैछ? हमेसब बिन्ती करैछिहौं कि तुहें ऊ आदमीसिके व्यवहारके बदला ल्या जेसब हमरसिके हत्या कैल्कै छे।”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan