सेल्याके जे घटनासब हुएवाला छै, यी सभे बातसे बचैके लिए आर हमे, आदमीके बेटाके समनामे न्यायके दिनमे खडा हुऐके शक्ति पाबैके लिए सभे समय सचेत भ्याके प्रार्थना कर्ते र।”
सेल्याके, हमे जे प्रभु येशूके सेवा करैके कारणसे कैदी छियै, तोरासिके बिन्ती करैछियौ कि उटा बोलावटके संगे जकरासे परमेश्वर तोरासिके आपन सन्तान हुऐके लिए बोलैल्कौ छे, ओकर मुताबिक जीवन जी।
आर तुहेंसब कोनो बातमे विरोधीसिसे नैडराबैछैं। तोरसिके साहास ओकरसिके लिए यी विनाशके लक्षण छै, मगर तोरसिके लिए सिधे उद्धारके लक्षण छौ, जे उद्धार परमेश्वरके तरफसे छै।
सेल्याके हमेसब तोरसिके सभैके लिए लगातार प्रार्थना भी करैछियै कि हमरसिके परमेश्वर तोरासिके उटा काम करैके लिए काबिल बनैतौ जे कामके लिए ऊ तोरासिके बोलैल्कौ छे। आर ऊ आपन शक्तिसे तोरसिके सभे बढियाँ मकसदसिके पुरा करौ आर सभे उटा कामके ऊ सफल बनाबौ जे तोरसिके विश्वासके फल छै।
यदि अपनासब ओकर लिए दुःख सहबै ते, अपनासब ओकरेसंगे राजाके जुगुर राज्य भी कर्बै। मगर यदि अपनासब ओकरा चिन्हैसे इन्कार करैछियै ते, उहो भी कहतै कि अपनासब ओकर नैछियै।
हे प्रभु, सभे आदमीसिके द्वारा तोर आदर कैल जैछौं आर ऊसब सभेको तोर नामके सम्मान करैछौं कहिनेकी खाली तुहें ही पवित्र परमेश्वर छह। हरेक राज्यके जात-जातके आदमीसब तोरलगत आबैछौं आर ऊसब तोर ही आराधना करैछौं, कहिनेकी तोर सही काम सभैके बढियाँसे मालुम छै।”