Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ थेसलोनिकी 1:3 - केवट नया कारार

3 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तोरसिके लिए सभे दिन हमरासिके परमेश्वरके धन्यवाद चढाना चाही, आर यी करना हमरसिके लिए उचित छै, कहिनेकी तुहेंसब निरन्तर येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं आर एक दोसरप्रतिके तोरसिके प्रेम भी बढते गेलौ छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ थेसलोनिकी 1:3
26 Iomraidhean Croise  

मगर हमरासिके आनन्द मनाना आर खुशी होना उचित रहै, कहिनेकी यी तोर भ्या मर्ल जुगुर रहौ, मगर फेर जिन्दा जुगुर भेलै छे। ऊ हेरैल रहै मगर आब ऊ फेर मिल्लै छे।’ ”


चुन्ल आर भेज्ल चेलासब प्रभु येशूके कहैल्कै, “हमरसिके विश्वासके आरहौ मजगुत बनाब।”


हरेक ठ्यार जे हमरासे जुड्ल छै आर फल नैफराबैछै ऊ ओकरा काटी दैछै, आर फल फराबेवाला सभेटा ठ्यारीके आरहौ बेसी फल फरै कहिके ऊ ओकरा साफ करैछै।


सभैसे पहेला, हमे हमर परमेश्वरके येशू ख्रीष्टके द्वारा तोरसिके सभैके लिए धन्यवाद चढाबैछियै, कहिनेकी येशू ख्रीष्टमे भेल तोरसिके विश्वासके बारेमे बहुते जगहमे आदमीसब चर्चा करैछै।


हमे तोरसिके खातिर आपन परमेश्वरके सभे दिन धन्यवाद दैछियै, कहिनेकी येशू ख्रीष्टमे तोरासिके एक बन्याके परमेश्वर आपन अनुग्रहद्वारा तोरासिके बहुते आशिष देल्कौ छे।


आर हमेसब सिमासे बाहार दोसर आदमीसिके मेहनतपर गर्व नैकरैछियै, मगर हमरासिके आशा छै, कि जेरं-जेरं तोरसिके विश्वास बढते जैतौ ओरं-ओरं हमेसब आपन सिमाके मुताबिक तोरसिके आस-पास आर बहुते आदमीसिके लगत पहुँचैमे सक्षम हैबै।


जे कुछु आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट कैल्कै ओकर कारण सभे दिन आपनसिके परमेश्वर पिताके हरेक बातके लिए धन्यवाद दहैं।


तोरसिके सभैके लिए एरं सोचना हमर लिए सही छै, कहिनेकी तोरसिके लिए हमर मनमे विशेष जगह छै। चाहे हमे कैदमे छियै या खुश-खबरीके सच्चाईके साबित आर रक्षा करैछियै, हरेक समयमे तुहेंसब परमेश्वरके अनुग्रहमे हमरसंगे सामिल भेल छैं।


हमर प्रार्थना इहे छै कि सचके ज्ञान आर बुद्धि-विवेकके साथ एक दोसरके लिए तोरसिके प्रेम लगातार बढ्ते रहौ।


आर हमेसब प्रार्थना करैछियै कि जेरंके हमेसब तोरसिसे प्रेम करैछियौ, ओहिने करिके तोरसिके प्रेम एक दोसरके प्रति आर सभे आदमीसिके लिए बढते आर उमडते रहौ।


मगर एखन तिमोथी तोरसिके लगतसे हमरसिके लगत आबिके तोरसिके विश्वास आर प्रेमके सन्देश हमरासिके सुनैल्कै। तुहेंसब हमरसिसे मिलैके बहुते इच्छा करिके सभे दिन प्रेमसे हमरासिके याद करैछैं कहिके खबर देल्कै। हम्हुँसब तोरसिके भेट करैले ओतनहैं इच्छा करैछियौ।


तोरेसिके कारणसे हमेसब आपनसिके परमेश्वरके समनामे आनन्द मनाबैछियै। एकर लिए ते परमेश्वरके जतनें धन्यवाद देना भी कमे हैछै।


अन्तमे हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमेसब तोरासिके प्रभु येशूके नाममे आग्रह करैछियौ कि जेरंके हमेसब तोरासिके सिखैलियौ छे, परमेश्वरके खुश करेवाला जीवन जी। तुहेंसब पहलहैसे एरंके जीवन जियैछैं, आर हमेसब तोरासिके एरंके जियैके लिए आरहौ बेसी उत्साह दैछियौ।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके फेर वापस आबैके विषयमे आर फेर ओकरासे भेट करैके समयके विषयमे हमेसब तोरासिके कुछु लिखैले चाहैछियौ।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एत्ते तोरसिके लिए परमेश्वरके समनामे हमरसिके सभे दिन धन्यवाद देना सही छै। तुहेंसब प्रभुके प्यारा छैं, कहिनेकी परमेश्वर संसारके सृष्टिके शुरुसे ही पवित्र आत्माद्वारा तोरासिके पापसे अलग करिके आर येशू ख्रीष्टके बारेमे सच्चा सन्देशमे विश्वास करैके कारण उद्धारके लिए चुनी लेल्कौ छे।


कहिनेकी तुहेंसब सचके पालन करिके शुद्ध भेल छैं, आब तोरासिके आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिके निष्कपट प्रेम करे पडैछै। तुहेंसब एक दोसरके पुरा हृदयसे बहुते गहरा प्रेम कर।


हमे जानैछियै कि जबतक हमे यी शरीरमे जिन्दा छियै ते यी उचित छै कि यी बातसिके विषयमे तोरासिके अक्सर याद दिलैते रहियौ, ताकी तुहेंसब उटा बातसब भूली नैजहैं।


मगर तोरासिके आपनसिके प्रभु आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके अनुग्रहके आरहौ बेसीसे बेसी अनुभव करना चाही आर ओकर प्रति आपन समझमे बढना चाही। ओकर महिमा एखन आर सभे दिनके लिए हैते रहै। आमेन।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan