Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ थेसलोनिकी 1:10 - केवट नया कारार

10 यी तब हैतै जब प्रभु येशू ओकर आदमीसिसे प्रशंसा पाबैके लिए फेर वापस ऐतै, आर ओकरापर विश्वास करेवाला आदमीसब ओकरा आदर देतै आर उटा दिन ओकर प्रशंसा करेवाला आदमीसिमेसे तहुँसब भी हैभैं, कहिनेकी हमेसब ओकर विषयमे जे तोरासिके कहैलियौ ऊ बातमे तुहेंसब विश्वास कैल्हैं।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ थेसलोनिकी 1:10
40 Iomraidhean Croise  

कहिनेकी हमे, आदमीके बेटा आपन पिताके महिमामे आपन स्वर्गदूतसिके संगे ऐबौ आर उटा समयमे ऊ सभे आदमीके ओकर काम मुताबिकके इनाम देबौ।”


फेर येशू आदमीसिके भीड आर आपन चेलासिके कहैल्कै, “तोरासिमेसे कतनें झन एत्ते खडा छैं, जेसब हमे, आदमीके बेटाके हमर राज्यमे ऐल नैदेखै तक ऊसब नैमर्तै।”


“यी बातसब कोन घडी आर कोन दिन हैतै यी कोय नैजानैछै, नैते स्वर्गमे भेल स्वर्गदूतसब, नैते हमे पुत्र जानैछै। खाली परमेश्वर पिता ही उटा दिन या घडी जानैछै।


“जब हमे, आदमीके बेटा फेरसे ऐबै, तब हमे आपन महिमामे ऐबै आर सभे स्वर्गदूतसिके आपन संगमे आन्बै। तब हमे सभे आदमीसिके न्याय करैके लिए आपन महिमामय सिंहासनमे बैठ्बै।


उटा दिन बहुते आदमीसब हमरा एरं कहतै, ‘प्रभु, हे प्रभु, कि हमेसब तोर नामके अधिकारसे परमेश्वरके तरफसे नै बोल्लियै? कि तोर नामके अधिकारसे भूतसब नैभगैलियै? आर कि तोर नामके अधिकारसे अनेक शक्तिशाली काम नैकैलिहौं?’


हमे तोरासिके कहैछियौ, न्यायके दिनमे उटा सजाय जे परमेश्वर सदोम सहरके आदमीसिके देल्कै, उटा सजाय बहुते कम हैतै जे सजाय परमेश्वर तोरासिके देतौ।”


यी खबर सुनिके येशू कहैल्कै, “यी बेमारीके अन्त मौत नैहैतै, मगर यी बेमारी इहे ल्याके भेलै कि परमेश्वरके महिमा प्रकट हुऐ। ताकी एकरे द्वारा आदमीसब हमे, परमेश्वरके बेटाके भी महिमा कर्तै।”


हमरलगत जतनें चेला छै ऊ सभे तोर छै, आर तोरलगत जतनें छै ऊ हमर छै। आर एकरसिके जीवनके द्वारा हमर महिमा प्रकट भेलै छे।


एरंके परमेश्वर तोरासिके ख्रीष्टके बारेमे भेल सन्देशके सच्चा साबित कैल्कौ छे।


एक दिन हरेक आदमी आपन कैल काम केरंको छै से देख्तै। कहिनेकी जब येशू ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै, ऊ यी सभे बातसब खुल्लम खुल्ला प्रकट कर्तै। ऊ हरेक सेवकके कैल काम देख्तै आर ऊ यी काम बढियाँ छै या खराब छै कहिके कहतै, ठीक ओहिने करिके जेरंके एकटा आदमी धातुसिके जाँच करैके लिए आगिनके प्रयोग करैछै, यी देखैके लिए कि उटा धातुसब लम्बा समयतक रहैछै कि जल्दी जरि जैछै।


सेल्याके ऊसब परमेश्वरके महिमा कर्ते रहैछै कहिनेकी ऊ हमरा एकटा सताबेवाला आदमीसे ख्रीष्टके अनुयायीके रुपमे बदली देल्कै छे।


अपना यहूदी आदमीसब पहेला आदमीसब छियै जेसब ख्रीष्टमे आशा राख्लियै आर अपनासिके इहे ल्याके चुन्ल गेलै रहे ताकी अपनासब परमेश्वरके महिमाके प्रशंसा करे सकियै।


कहिनेकी परमेश्वर अपनासिके पवित्र आत्मा देल्कै छे, अपनासब यी बातमे निश्चित हुए सकैछियै कि परमेश्वर अपनासिके प्रतिज्ञा कैल दोसर बढियाँ चीजसब भी देतै। यी तब हैतै जब परमेश्वर अपनासब जे ओकर छियै, अपनासिके पुरा रुपसे उद्धार देतै ताकी ओकर अपनासब परमेश्वरके महिमाके प्रशंसा करे सकियै।


हमे यी भी प्रार्थना करैछियौ कि ऊ तोरासिके सचके आर उटा आशाके जकर लिए ऊ तोरासिके बोलैल्कौ छे, ओकरा समझैमे तोरसिके सहायता करौ। ताकी तुहेंसब जाने सक्हैं कि उटा आशिषसब कतनें महान आर महिमामय छै जकर प्रतिज्ञा परमेश्वर आपन सन्तसिके संगे कैल्कै छे।


यी कारणसे कि ओकर महिमामय अनुग्रहके प्रशंसा है, जे ऊ आपन प्रिय बेटाके कैल कामके कारण अपनासिके मुफ्तमे देल्कै छे।


परमेश्वर एरं इहे ल्याके कैल्कै ताकी आबेवाला दिनमे ऊ संसारके आदमीसिके देखाबे सकै कि ओकर अनुग्रह कतनें महान छै। ऊ आपनसिके लिए जे कुछु कैल्कै छे ओकरामे अपनासब जे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे छियै, अपनासिमे ओकरद्वारा अनुग्रह देखैल छै।


ओकर मकसद मण्डलीके इस्तमाल करिके अदृश्य संसारमे शासन करेवाला आर अधिकार भेल सभे आत्मिक प्राणीसिके परमेश्वरके अपार ज्ञानके बारेमे बताबैके लिए रहै।


हमे प्रार्थना करैछियै कि ओकर महिमाके दौलतसे परमेश्वर तोरासिके आपन पवित्र-आत्मासे तोरासिके शक्ति दौ ताकी तुहेंसब आपन आत्मामे मजगुत हुए सक्हैं।


कहिनेकी येशू ख्रीष्टके बारेमे हमरसिके खुश-खबरी तोरसिकेलगत खाली बोलीमे नैऐलौ, मगर पवित्र आत्माके शक्तिमे आर ऊ सच छै कहिके पुरा निश्चयताके साथ ऐलौ छे। तुहेंसब जानैछैं कि तोरसिके कल्याणके लिए तोरसिके बीचमे रहै बेरियाँ हमरसिके चालचलन केरं रहै।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तोरसिकेलगत हमरसिके आना उपयोगी भेलै कहिके तोरासिके आपनहैं मालुम छौ।


तुहेंसब परमेश्वरके खुश करेवाला जीवन जी, जे तोरासिके आपन राज्य आर महानतामे बोलाबैछौ।


सेल्याके हमेसब भी परमेश्वरके धन्यवाद निरन्तर करैछियै, कि जब तुहेंसब परमेश्वरके खुश-खबरीके सन्देश सुन्लहैं, जे हमेसब तोरासिके प्रचार कैलियौ ते, तुहेंसब ओकरा आदमीसिके नै, मगर परमेश्वरके वचन सम्झलहैं आर यी सन्देश परमेश्वरके तरफसे छै कहिके स्वीकार कैल्हैं। आर यी सन्देश जे परमेश्वरके तरफसे छै आब तोरासिमे काम करैछौ, जेसब ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं।


एरंके आपनसिके प्रभु येशूके नाम तोरसिकेद्वारा महिमा पैतै। आर तुहेंसब ओकरद्वारा आदर पैभैं। यी सभे कुछु आपनसिके परमेश्वरके आर प्रभु येशू ख्रीष्टके अनुग्रहसे सम्भव भेल छै।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एत्ते तोरसिके लिए परमेश्वरके समनामे हमरसिके सभे दिन धन्यवाद देना सही छै। तुहेंसब प्रभुके प्यारा छैं, कहिनेकी परमेश्वर संसारके सृष्टिके शुरुसे ही पवित्र आत्माद्वारा तोरासिके पापसे अलग करिके आर येशू ख्रीष्टके बारेमे सच्चा सन्देशमे विश्वास करैके कारण उद्धारके लिए चुनी लेल्कौ छे।


बिना कोनो शंकाके, हमेसब कहे सकैछियै कि परमेश्वरद्वारा प्रकट कैल शिक्षासब पुरा रुपसे सच्चा छै, यानिकी येशू ख्रीष्ट आदमीके रुपमे ऐलै, ऊ पवित्र आत्माद्वारा परमेश्वरके बेटा साबित भेलै, स्वर्गदूतसब ओकरा देखल्कै, ऊ स्वर्गके महिमामे लजैल गेलै, आदमीसब ओकर बारेमे जात-जातके आदमीसिमे प्रचार कैल्कै, आर संसारके बहुते आदमीसब ओकरापर विश्वास कैल्कै।


यी इहे कारण छै, कि हमे जेलमे भी दुःख भोगैछियै, मगर हमे लाज नैमानैछियै। कहिनेकी हमे ख्रीष्टके चिन्हैछियै, जकरापर हमे भरोसा कैलियै छे, आर हमरा निश्चय छै कि ख्रीष्ट फेर वापस नै आबैतक जे हमे ओकरा सौंप्लियै छे उटा बातके रक्षा ऊ करे सकैछै।


न्यायके दिनमे प्रभु ओनिसिफरसके ओकर महान दया देखाबै। तोरा आपनहौं भी बढियाँसे मालुम छौ कि ऊ एफिसस सहरमे हमर बहुते सहायता कैल्कै रहे।


आब प्रभु हमर लिए स्वर्गमे धार्मिकताके मकुट राखल्कै छे, कहिनेकी हमे ओकरा पसन्द हुएवाला जीवन जिलियै छे। ऊ प्रभु जे सहीसे फैसला करैछै, हमरा उटा मकुट तब देतै जब ऊ फेर वापस ऐतै। ऊ खाली हमरा नै मगर ओकरा सभैके देतै जेसब ओकर वापस आबैके बहुते इच्छा करैछै।


मगर तुहेंसब ओरं नैछैं, कहिनेकी तुहेंसब परमेश्वरके चुन्ल आदमीसब छैं, तुहेंसब परमेश्वरके पुजारीसब छैं, जे राजा छै। तुहेंसब परमेश्वरके सेवा करैले समर्पित भेल आदमीसब आर परमेश्वरके निजी प्रजा छैं। ऊ तोरासिके अनहारसे आपन अदभुद उजेतमे आन्लकौ छे, ताकी तुहेंसब परमेश्वरके आश्चर्यपूर्ण कामसिके घोषणा करे सक्हैं।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan