Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 3:9 - केवट नया कारार

9 कुछु आदमीसब सोचैछै कि प्रभु आपन वापस आबैके प्रतिज्ञाके पुरा करैमे देरी करैछै। मगर प्रभु ओरंके देरी नैकरैछै। बल्की ऊ तोरसिके संगे धीरज धारण करैछै। कहिनेकी ऊ कक्रहौ नाश करैले नैचाहैछै। मगर सभेको पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबै आर गलत काम करना बन्द करिदै आर ओकरलगत आबी जै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 3:9
24 Iomraidhean Croise  

तोरासिमेसे हरेकके एक-दोसरसे प्रेम कर्ते रहना चाही कहिनेकी उटा समय नज्दिक छै जब परमेश्वर अपनासिके यी खराब संसारसे बचैतै। अपनासब ख्रीष्टमे पहेला बेर विश्वास कैलसे एखन यी समय नज्दिक छै। यी बात जानीके, तोरासिके आपन निनसे जागना चाही आर होशियार रहना चाही।


यी खराब दुनियाँमे रहैके आपनसिके समय लगभग एकटा रातके जुगुर छै जे लगभग खतम भ्यागेलै छे आर ख्रीष्ट आबैके समय भी नज्दिक ऐल छै। सेल्याके अपनासिके अनहारसे सम्बन्धित सभे काम करैले छोडी देना चाही आर अपनासिके उटा चीजसब कर्ते रहना चाही जे अपनासिके दुष्ट आदमीसिके विरोध करैले सहायता करैछै जेरं कि सिपाही करैछै जे दिनके समय आपन हतियार ल्याके चलैछै।


या तुहें परमेश्वरके भलाइ, सहनशीलता आर धीरजके तुच्छ सम्झैछैं? आर कि यी नैसम्झैछैं कि परमेश्वरके भलाइ तोरा पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके लिए सिखाबैछै?


परमेश्वरके अधिकार छै कि जे आदमीसिके ऊ बनैल्कै छे ओकरसिके संगे आपन इच्छाके मुताबिक जेरं चाहै ओरं करे सकैछै। परमेश्वर आपन गोस्सा देखाबैले चहते रहै आर सभैके विरुद्ध आपन शक्ति प्रकट करैले चहते रहै जेसब नाश हुऐके हकदार छै। मगर एकर बदलामे, ऊ धीरजके साथ ओकरासिके सहैल्कै।


मगर येशू ख्रीष्ट हमरापर दया कैल्कै। कहिनेकी हमे पापी आदमीसिमेसे भी खराब रहियै आर ऊ हमरा प्रयोग करिके यी देखैल्कै कि ऊ पूर्ण रुपसे धीरजी छै। यी ऊ आदमीसिके लिए एकटा उदाहरण हैतै, जे पाछु ओकरापर विश्वास कर्तै आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पैतै।


सभे आदमी सचके ज्ञानमे आबिके उद्धार पाबै कहिके परमेश्वर इच्छा करैछै।


कहिनेकी धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “आब एक्के छिनमे जे आबेवाला छै ऊ ऐतै, आर ऊ देर नैकर्तै।”


यी ऊ आदमीसिके आत्मासब रहै, जेसब बहुते समय पहेला परमेश्वरके आज्ञाके उलंघन कैल्कै रहे। जब नूह आपन नाव बनैते रहै ते, परमेश्वर धीरजके साथ इन्तजार कर्ते रहै कि देखियै ऊ आदमीसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैछै। मगर जब पानी संसारके विनाश करिदेल्कै ते नावमे प्रवेश करेवाला खाली आठ आदमीसब बचैल गेलै रहे।


उहे शक्तिशाली सामर्थ्यके द्वारा ऊ अपनासिके सभे बहुते बढियाँ आर अदभुद प्रतिज्ञासब देल्कै छे। इहे प्रतिज्ञासब ही संसारके दुष्ट मानव इच्छासिसे बचाबैछै आर ईश्वरीय स्वभावमे सामिल बनाबैछै, जे ख्रीष्टमे विश्वास नैकरेवाला आदमीसब करैले नैचाहैछै।


यी जानी ले कि आपनसिके प्रभु आपनसिके प्रति धीरज धारण करैछै, एकर कारण यी छै कि ऊ आदमीसिके पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके समय दियैले चाहैछै ताकी ऊ ओकरासिके बचाबे सकै। जब आपनसिके संगी-विश्वासी पावल, जकरासे अपनासब प्रेम करैछियै, तोरासिके उटा ज्ञानके प्रयोग कर्ते हुए लिखल्कै, जे परमेश्वर ओकरा देल्कै ते, ऊ भी तोरासिके इहे बातसब बतैल्कौ, जे हमे तोरासिके बतैलियौ छे।


हमे ओकरा पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके लिए अवसर देलियै छे, मगर ऊ आपन अनैतिक व्यवहारके बन्द करैसे इन्कार करैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan