Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 3:7 - केवट नया कारार

7 जेरंके परमेश्वर धर्तीके सृष्टिके आज्ञा देल्कै रहे, ओहिने करिके ऊ आज्ञा देल्कै छे कि वर्तमान ब्रम्हाण्ड तबतक रहै जबतक परमेश्वर एकरा आगिनसे नै जर्या दै। परमेश्वर एकरासिके उटा दिनतक राखल्कै छे जब ऊ सभे आदमीसिके न्याय कर्तै आर ऊ आदमीसिके नाश करि देतै जेसब ओकर सम्मान नैकरैछै। तब परमेश्वर आकाश आर धर्तीके जर्या देतै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 3:7
31 Iomraidhean Croise  

हमे तोरासिके सच कहैछियौ, न्यायके दिनमे उटा सजाय जे परमेश्वर सदोम सहर आर गमोरा सहरके आदमीसिके देल्कै, उटा सजाय बहुते कम हैतै जे सजाय परमेश्वर उटा सहरके आदमीसिके देतै।”


मगर हमे तोरासिके कहैछियौ, न्यायके दिनमे परमेश्वर तोरासिसे कम सजाय टुरोस सहर आर सिदोन सहरके आदमीसिके देतै।


मगर हमे तोरासिके कहैछियौ, न्यायके दिनमे उटा सजाय जे परमेश्वर सदोम सहरके आदमीसिके देल्कै, उटा सजाय बहुते कम हैतै जे सजाय परमेश्वर तोरासिके देतौ।


हमे तोरासिके कहैछियौ, सभे व्यर्थके बात जे आदमीसब बोलैछै, फैसलाके दिनमे ओकरासिके ओकर एक-एकटा बातके हिसाब दिए पड्तै।


आकाश आर धर्ती खतम हैतै, सभे दिनके लिए नैरहतै, मगर हमे जे कहैलियै छे उटा सभे दिनके लिए रहतै।”


तकरबाद ऊ आपन बायाँ बगलके आदमीसिके कहतै, ‘श्रापित आदमीसब! हमरसे दूर हो आर शैतान आर ओकर दूतसिके लिए परमेश्वरसे तैय्यार कैल कहियो नैमिझाबेवाला आगिनमे जो।


अगर कोनो जगहमे आदमीसब तोरासिके स्वीकार नैकर्तौ, आर आदमीसब तोरसिके वचन सुनैले इन्कार कर्तौ ते, तुहेंसब उटा जगहसे निक्लैबेरियाँ आपन पैरीके धुर झाडी दिहैं। यी उटा सहरमे रहेवाला आदमीसिके बतैतै कि परमेश्वर ओकरासिके सजाय देतै।”


जे हमरा स्वीकार नैकरैछै आर हमर वचन ग्रहण नैकरैछै, ओकर न्याय करेवाला हमर वचन छै जे हमे कहैलियै छे, उहे वचन संसारके अन्तके दिनमे ओकर न्याय कर्तै।


मगर कहिनेकी तुहेंसब हठी छैं आर पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैले इन्कार करैछैं, उटा दिन जब परमेश्वर आपन क्रोध देखैतै परमेश्वरके सच्चा इन्साफ प्रकट हैतै, परमेश्वर आरहौ बेसी गम्भीर रुपसे तोरसिके इन्साफ कर्तौ।


एक दिन हरेक आदमी आपन कैल काम केरंको छै से देख्तै। कहिनेकी जब येशू ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै, ऊ यी सभे बातसब खुल्लम खुल्ला प्रकट कर्तै। ऊ हरेक सेवकके कैल काम देख्तै आर ऊ यी काम बढियाँ छै या खराब छै कहिके कहतै, ठीक ओहिने करिके जेरंके एकटा आदमी धातुसिके जाँच करैके लिए आगिनके प्रयोग करैछै, यी देखैके लिए कि उटा धातुसब लम्बा समयतक रहैछै कि जल्दी जरि जैछै।


आर तुहेंसब कोनो बातमे विरोधीसिसे नैडराबैछैं। तोरसिके साहास ओकरसिके लिए यी विनाशके लक्षण छै, मगर तोरसिके लिए सिधे उद्धारके लक्षण छौ, जे उद्धार परमेश्वरके तरफसे छै।


कोय कोनो किसिमसे तोरासिके प्रभु आबैके विषयमे धोखा नैदौ। कहिनेकी प्रभु येशू वापस आबैसे पहेला एरंको समय ऐतै जब आदमीसब परमेश्वरके विरुद्धमे हैतै आर दुष्ट आदमी दिखाई पड्तै जकरा परमेश्वर जरुर ही नरकमे नाश कर्तै।


मगर मातबर हुऐके इच्छा करेवाला आदमीसब सभे किसिमके पाप करैके लिए आसानीसे धोखा खैछै, आर जानवरके जुगुर फाँसमे फसैछै। ऊसब ऊ चीजसब करैले चाहैछै जे ओकरसिके लिए मूर्खतापूर्ण आर खतरनाक छै आर यी इच्छा ओकरासिके बर्बादीके तरफ ल्याजैतै आर नाश करि देतै।


जेरंके आगिन नाश करैछै ओहिने करिके आपनसिके परमेश्वर भी आपन दुश्मनसिके नाश कर्तै।


यी सभे काम जे परमेश्वर पहेला कैल्कै, उटा कामसब अपनासिके यी देखाबैछै कि जे आदमीसब ईश्वरीय जीवन जियैछै, जब ऊसब मुसीबतमे हैछै ते परमेश्वर जरुर ओकरासिके सुरक्षित राख्तै। आर अपनासब यी भी निश्चित करे सकैछियै कि ऊ दुष्ट आदमीसिके उटा दिनतक निरन्तर सजाय देतै जबतक कि ऊ सभे आदमीसिके न्याय नैकर्तै।


मगर ख्रीष्ट जरुर फेर वापस ऐतै। ऊ अचानक फेर वापस आबी जैतै, जेरंके रातके समयमे कोनो चोर अचानक ही आबी जैछै। उटा समय आकाशमे गर्जनके आवाज हैतै आर आकाश अलप भ्याजैतै। आकाशमे सभे कुछु यानिकी सुरुज, चान आर तारा पुरा तरहसे जरि जैतै। उटा दिन परमेश्वर उटा सभे कामसिके प्रकट करि देतै जे काम आदमीसब कैल्कै छे ताकी ऊ ओकरसिके न्याय करे सकै।


जब कि तुहेंसब उटा दिनके इन्तजार करैछैं जब परमेश्वर संसारके न्याय करैके लिए ऐतै ते, उटा दिनके जल्दी आबैके लिए आपन तरफसे पुरा कोशिश कर। उटा दिन आगिन धधकीके उठ्तै आर आकाशके नाश करि देतै आर ओकर गर्मी आकाशमे सभे कुछु पघल्या देतै।


अपनासिके दोसर आदमीसिके पूर्ण रुपसे प्रेम करे पडैछै आर यदि अपनासब ओरं करैछियै ते, जब परमेश्वरके आपनसिके न्याय करैके समय ऐतै ते अपना निश्चिन्त हैबै कि ऊ अपनासिके दोषी नैठहरैतै। जेरंके येशू परमेश्वरके संगे एक रहै, ओहिने करिके अपनासब भी संसारमे परमेश्वरके संगे एक भ्याके जियैछियै।


यी इस्राएलीसब आर स्वर्गदूतसिके जुगुर ऊ आदमीसिके भी याद कर जे सदोम सहर आर गमोरा सहर आर ओकर आस-पासके गाँवमे रहते रहै ओकरसिके संगे कि भेलै रहे। ऊ आदमीसब व्यबिचारी भ्यागेलै आर सभे प्रकारके यौन भ्रष्टतासे भरि गेलै रहे। इहे ल्याके परमेश्वर ओकरासिके आगिनसे नाश करिदेल्कै। ओकरसिके संगे जे भेलै ऊ झुट्ठा शिक्षकसिके लिए एकटा चेतावनी बनी गेलै छे कि ओकरासिके भी कहियो नैमिझाबेवाला आगिनसे सजाय देल जैतै।


ऊ जंगली जानवर जे बहुते पहेला रहते रहै मगर एखन नैछै, ऊ अठमा राजा छै। मगर ऊ अठमा राजा पहेला सातटा राजामेसे एकटा छै। आर अन्तमे ऊ राजाके जरुर ही सभे दिनके लिए सजाय देल जैतै।


ऊ जंगली जानवर जकरा तुहें एखन देख्लहैं, एक समय जिन्दा रहै मगर आब जिन्दा नैछै। ऊ अथाहा कुण्डसे बाहार आबेवाला छै आर परमेश्वर ओकरा पुरा तरहसे नाश करि देतै। धर्तीमे रहेवाला आदमीसब जकरसिके नाम परमेश्वर संसारके सृष्टि करैसे पहेला उटा किताबमे नैलिखल्कै छे जकरामे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबेवाला आदमीसिके नाम लिख्ल छै, ऊसब सभेको आश्चर्यचकित भ्याजैतै जब यी जंगली जानवरके देख्तै। एक समय ऊ जिन्दा रहै, आब ऊ जिन्दा नैछै, मगर ऊ फेर वापस ऐतै।


फेर हमे एकटा उजरा सिंहासन देख्लियै जकरापर परमेश्वर विराजमान रहै। मगर ओत्ते जते परमेश्वर विराजमान रहै, ओत्तेसे धर्ती आर आकाश सभे गायब भ्यागेलै आर कोय भी ओकरासिके फेर नैदेखल्कै।


एकरबाद हमे नया आकाश आर नया धर्ती देख्लियै। कहिनेकी पुरना आकाश आर धर्ती समुन्दर समेत गायब भ्यागेलै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan