२ पत्रुस 3:2 - केवट नया कारार2 हमे एरं इहे ल्याके करैछियौ कहिनेकी हमे चाहैछियै कि तुहेंसब उटा वचनसिके याद राख, जे परमेश्वरके वक्तासब बहुते पहेला कहैल्कै रहे आर आपनसिके उद्धारकर्ता, प्रभु येशू ख्रीष्टके शिक्षासिके याद राख जे तोरासिके चुन्ल आर भेज्ल चेलासब देल्कौ जे तोरसिकेलगत ऐलौ रहे। Faic an caibideil |
हमर कहैके मतलब यी छै कि, ख्रीष्टके कहियो स्वीकार नैकैल आदमीसिसे ख्रीष्टके विश्वास करिके त्यागेवाला आदमीसिके परमेश्वर कडा सजाय देतै। ओकरसिके लिए यी बढियाँ हैतियै यदि ऊसब कहियो यी जान्बे नैकर्तियै कि आपन जीवनके धार्मिक पथमे चलाबैके कि मतलब हैछै। आब ऊसब जानैछै कि सही कि छै, मगर ऊसब परमेश्वरके उटा आज्ञासिके अस्वीकार करिदेल्कै छे, जे हमे चुन्ल आर भेज्ल चेलासब ओकरासिके सिखैलियै रहे।
यी जानी ले कि आपनसिके प्रभु आपनसिके प्रति धीरज धारण करैछै, एकर कारण यी छै कि ऊ आदमीसिके पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके समय दियैले चाहैछै ताकी ऊ ओकरासिके बचाबे सकै। जब आपनसिके संगी-विश्वासी पावल, जकरासे अपनासब प्रेम करैछियै, तोरासिके उटा ज्ञानके प्रयोग कर्ते हुए लिखल्कै, जे परमेश्वर ओकरा देल्कै ते, ऊ भी तोरासिके इहे बातसब बतैल्कौ, जे हमे तोरासिके बतैलियौ छे।
आपन सभे चिट्ठीसिमे जे ऊ विश्वासीसिके लिखल्कै छे, ऊ इहे तरिकासे लिखैछै जे ऊ तोरासिके लिखल्कौ छे। मगर कुछु बातसब जे ऊ आपन चिट्ठीसिमे लिखल्कै छे, ओकरा समझना कठिन छै। जे आदमीसब बढियाँ शिक्षा नैपैल्कै छे आर जकरासिके निश्चय नैछै कि ऊसब कि विश्वास करैछै, ऊसब यी कठिन बातके मतलबके गलत तरिकासे व्याख्या करैछै, ओहिने ही जेरंके ऊसब धरमशास्त्रके दोसर भागसिके गलत व्याख्या करैछै। एरं करिके ऊसब खुद ही परमेश्वरके द्वारा आपन नाश हुऐके कारण बनैछै।
जब हमे यी बात सुन्लियै ते हमे ओकर समनामे झुकी गेलियै जे हमरसंगे बात कर्ते रहै, कहिनेकी हमे ओकर आराधना करैले जैते रहियै। मगर ऊ हमरा कहैल्कै, “तुहें हमरा गोड नैलाग। हमे खाली परमेश्वरके एकटा सेवक छियै जेरं तुहें छैं आर तोर भ्यासिके जुगुर जे येशूके द्वारा प्रकट कैल गेल सच्चा शिक्षापर विश्वास करैछै आर मानैछै। खाली परमेश्वर ही छै जकर तोरा आराधना करना चाही। कहिनेकी यी आत्मा छै जे परमेश्वरके आदमीसिके येशूके द्वारा बतैल गेल सचके घोषणा करैके योग्य बनाबैछै।”