Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 3:11 - केवट नया कारार

11 जब कि परमेश्वर जरुर यी सभे चीजसिके नाश करि देतै, जेरं कि हमे एखन कहैलियौ छे, सेल्याके तोरासिके निश्चित रुपसे पवित्र आर ईश्वरीय तरिकासे व्यवहार करना चाही।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 3:11
27 Iomraidhean Croise  

एरंको भेल देखिके सभेको चकित भ्याके कहे लाग्लै, “यी ते केरंको आदमी छै? एत्तेतक कि एकर हुकुम अन्हर-तूफान आर समुन्दरके छाल भी मानैछै!”


तोरासिमेसे हरेकके एक-दोसरसे प्रेम कर्ते रहना चाही कहिनेकी उटा समय नज्दिक छै जब परमेश्वर अपनासिके यी खराब संसारसे बचैतै। अपनासब ख्रीष्टमे पहेला बेर विश्वास कैलसे एखन यी समय नज्दिक छै। यी बात जानीके, तोरासिके आपन निनसे जागना चाही आर होशियार रहना चाही।


यी खराब दुनियाँमे रहैके आपनसिके समय लगभग एकटा रातके जुगुर छै जे लगभग खतम भ्यागेलै छे आर ख्रीष्ट आबैके समय भी नज्दिक ऐल छै। सेल्याके अपनासिके अनहारसे सम्बन्धित सभे काम करैले छोडी देना चाही आर अपनासिके उटा चीजसब कर्ते रहना चाही जे अपनासिके दुष्ट आदमीसिके विरोध करैले सहायता करैछै जेरं कि सिपाही करैछै जे दिनके समय आपन हतियार ल्याके चलैछै।


हमेसब गर्व करैछियै कि हमरसिके विवेक साफ छै। संसारमे आर खास करिके तोरसिके संगे हमरसिके सम्बन्धमे हमेसब परमेश्वरसे ऐल पवित्रता आर सच्चाईमे चल्लियै छे, यी आदमीके बुद्धिसे नै मगर परमेश्वरके अनुग्रहसे छै।


मगर जे भी हुए, तुहेंसब एकटा बातके ध्यान राख कि तोरसिके जीवनके आचरण-व्यवहार ख्रीष्टके खुश-खबरीके योग्य होना चाही। अहिने करिके चाहे हमे आबिके तोरसिके भेट करियौ या दूर रहिके हमे तोरसिके बारेमे सुनियौ, मगर हमरा इहे बात पता चलै कि तुहेंसब एक आत्मामे स्थिर छैं आर एक मनके भ्याके एक साथ मिलिके उटा विश्वासके लिए संघर्ष करैछैं, जे कि खुश-खबरीपर आधारित छै।


मगर अपनासब स्वर्गके छियै। आर अपनासब एकटा उद्धारकर्ता प्रभु येशू ख्रीष्टके स्वर्गसे वापस आबैके इन्तजारमे छियै।


कहिनेकी येशू ख्रीष्टके बारेमे हमरसिके खुश-खबरी तोरसिकेलगत खाली बोलीमे नैऐलौ, मगर पवित्र आत्माके शक्तिमे आर ऊ सच छै कहिके पुरा निश्चयताके साथ ऐलौ छे। तुहेंसब जानैछैं कि तोरसिके कल्याणके लिए तोरसिके बीचमे रहै बेरियाँ हमरसिके चालचलन केरं रहै।


बिना कोनो शंकाके, हमेसब कहे सकैछियै कि परमेश्वरद्वारा प्रकट कैल शिक्षासब पुरा रुपसे सच्चा छै, यानिकी येशू ख्रीष्ट आदमीके रुपमे ऐलै, ऊ पवित्र आत्माद्वारा परमेश्वरके बेटा साबित भेलै, स्वर्गदूतसब ओकरा देखल्कै, ऊ स्वर्गके महिमामे लजैल गेलै, आदमीसब ओकर बारेमे जात-जातके आदमीसिमे प्रचार कैल्कै, आर संसारके बहुते आदमीसब ओकरापर विश्वास कैल्कै।


एरंको व्यवहार कर कि कोय भी तोरासिके अनादर नैकरौ कहिनेकी तुहेंसब जवान छैं, मगर तोरसिके बोल्ल वचनद्वारा, तोरसिके व्यवहारद्वारा, दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमद्वारा, ख्रीष्टमे तोरसिके भरोसाद्वारा आर तोरसिके पापरहित जीवनद्वारा विश्वासीसिके लिए तोरासिके एकटा उदाहरण बने पड्तौ।


मगर तिमोथी, तुहें परमेश्वरके सेवा करेवाला आदमी छैं, तोरा यी सभे चीजसिके करैसे दूर रहना चाही, जे सही छै खाली ओकरा करैके लिए हर सम्भव कोशिश कर। परमेश्वरके आदर दिएवाला जीवन जी। ख्रीष्टमे भरोसा राख। दोसर आदमीसिके प्रेम कर। परमेश्वरके आज्ञापालन करैके लिए कठिन परिस्थितीसिमे स्थिर र। दोसर आदमीसिके संगे भला आदमी बन।


अगर कोय झुट्ठा शिक्षा सिखाबैछै आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके देल सही शिक्षा आर परमेश्वरके आदर हुएवाला निर्देशनसंगे सहमत नैहैछै ते,


मगर हमरसिके लिए यी बढियाँ छै कि अपनासब उटा काम करियै जे परमेश्वरके खुश करैछै आर ओकरामे सन्तोष करियै जे परमेश्वर अपनासिके दैछै।


आपन जीवनके धन-दौलतके लालचसे मुक्त राख आर जे तोरसिकेलगत छौ ओक्रहैमे सन्तुष्ट र, कहिनेकी परमेश्वर खुद ही कहैल्कै छे, “हमे तोरासिके कहियो भी नैछोड्बौ, आर कहियो भी तोरासिके नैत्याग्बौ।”


आर ऊ खुदके देखैछै आर चल जैछै, आर ऊ तुरन्ते भूली जैछै कि ऊ केरं रहै।


तोरसिमेसे बुद्धिमान आर ज्ञानी आदमी के छै? यदि तुहेंसब बुद्धिमान आर ज्ञानी छैं ते ज्ञानसे आबेवाला नम्रताके साथ बढियाँ जीवन जिविके देखा।


तुहेंसब करेवाला सभे बातमे खुदके खराब बातसे अलग कर, कहिनेकी परमेश्वर, जे तोरासिके चुनल्कौ ऊ पवित्र छै।


कतनें बेर एरं आदमीसब हैछै जेसब प्रभुके नैजानैछै आर ऊसब तोरासिपर यी कहिके गलत आरोप लगाबे सकैछौ कि तोरसिके काम खराब छौ। इहे ल्याके तोरासिके आपन व्यवहारके विषयमे होशियार रहना चाही, ताकी ऊसब तोरसिके बढियाँ व्यवहार देखे सकौ। अन्तमे ऊसब स्वीकार कर्तै कि तोरसिके व्यवहार बढियाँ छै आर जे दिन परमेश्वर संसारके न्याय करैके लिए फेर यी संसारमे वापस ऐतै उटा दिन ऊसब परमेश्वरके महिमा कर्तै।


परमेश्वर आपन शक्तिके द्वारा अपनासिके उटा सभे कुछु देल्कै छे, जे अपनासिके एकटा ईश्वरीय जीवन जियैके लिए चाही। यी सम्भव छै कहिनेकी अपनासब परमेश्वरके चिन्हैछियै आर ऊ उहे छै जे अपनासिके आपन महिमा आर नैतिक भलाइके द्वारा आपन आदमी हुऐके लिए बोलैल्कै छे।


तोरासिके खाली यी नै जानना चाही कि समझदारीसे केरंके व्यवहार करना छै, बल्की तोरा अपने आपके नियन्त्रित भी करना चाही, तोरासिके नैते खाली अपने आपके नियन्त्रित करना चाही बल्की तोरासिके मुसीबतमे धीरज भी राखना चाही। तोरासिके खाली धीरज ही नैराखना चाही मगर परमेश्वरके खुश करेवाला जीवन भी जिना चाही।


मगर ख्रीष्ट जरुर फेर वापस ऐतै। ऊ अचानक फेर वापस आबी जैतै, जेरंके रातके समयमे कोनो चोर अचानक ही आबी जैछै। उटा समय आकाशमे गर्जनके आवाज हैतै आर आकाश अलप भ्याजैतै। आकाशमे सभे कुछु यानिकी सुरुज, चान आर तारा पुरा तरहसे जरि जैतै। उटा दिन परमेश्वर उटा सभे कामसिके प्रकट करि देतै जे काम आदमीसब कैल्कै छे ताकी ऊ ओकरसिके न्याय करे सकै।


जब कि तुहेंसब उटा दिनके इन्तजार करैछैं जब परमेश्वर संसारके न्याय करैके लिए ऐतै ते, उटा दिनके जल्दी आबैके लिए आपन तरफसे पुरा कोशिश कर। उटा दिन आगिन धधकीके उठ्तै आर आकाशके नाश करि देतै आर ओकर गर्मी आकाशमे सभे कुछु पघल्या देतै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan