२ पत्रुस 2:9 - केवट नया कारार9 यी सभे काम जे परमेश्वर पहेला कैल्कै, उटा कामसब अपनासिके यी देखाबैछै कि जे आदमीसब ईश्वरीय जीवन जियैछै, जब ऊसब मुसीबतमे हैछै ते परमेश्वर जरुर ओकरासिके सुरक्षित राख्तै। आर अपनासब यी भी निश्चित करे सकैछियै कि ऊ दुष्ट आदमीसिके उटा दिनतक निरन्तर सजाय देतै जबतक कि ऊ सभे आदमीसिके न्याय नैकर्तै। Faic an caibideil |
जेरंके परमेश्वर धर्तीके सृष्टिके आज्ञा देल्कै रहे, ओहिने करिके ऊ आज्ञा देल्कै छे कि वर्तमान ब्रम्हाण्ड तबतक रहै जबतक परमेश्वर एकरा आगिनसे नै जर्या दै। परमेश्वर एकरासिके उटा दिनतक राखल्कै छे जब ऊ सभे आदमीसिके न्याय कर्तै आर ऊ आदमीसिके नाश करि देतै जेसब ओकर सम्मान नैकरैछै। तब परमेश्वर आकाश आर धर्तीके जर्या देतै।
तोरासिके ऊ दूतसिके विषयमे भी सोचना चाही, जे उटा अधिकारसे सन्तुष्ट नैरहै, जे परमेश्वर ओकरासिके देल्कै रहे, मगर स्वर्गमे आपन घरके त्यागी देल्कै, परमेश्वर ओकरासिके निच्चा अनहारमे अनन्त सिक्कडसब ल्याके बान्ही देल्कै, जते परमेश्वर ओकरासिके उटा महान दिनके लिए राखी रहलै छे जब परमेश्वर ओकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला सजाय देतै।