Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 2:7 - केवट नया कारार

7 मगर सदोम सहरके नाश करैसे पहेला परमेश्वर लोतके बचैल्कै, जे एकटा धर्मी आदमी रहै, परमेश्वर ओकरा सहरसे निकाली देल्कै आर एरंके ओकरा बच्या लेल्कै। लोत बहुते दुखित रहै कहिनेकी सदोम सहरके आदमीसब कोनो भी नियमके पालन नैकर्ते रहै आर अनैतिक काम कर्ते रहै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 2:7
14 Iomraidhean Croise  

पाप करैके इच्छासब अपनासब सभैके लगत जरुर ही आबैछै। मगर परमेश्वर विश्वासयोग्य छै। कहिनेकी ऊ अपनासिके आपनसिके क्षमतासे बेसी परीक्षामे पडैले नैदेतौ। जब अपनासब उटा परीक्षामे पड्बै ते ऊ अपनासिके सभे दिन परीक्षासे भागैके रस्ता देतै, ताकी अपनासब उटा परीक्षाके सहैके लिए मजगुत हैबै।


जब ऊसब आदमीसिके सिखाबैछै, ऊसब बेकारके आर घमण्डसे भर्ल शब्दसिके इस्तमाल करैछै। ऊसब आदमीसिके बताबैछै कि ओकरसिके आपन शरीर जे करैले चाहैछै उटा लजलग्गा काम करे सकैछै आर ऊसब आदमीसिके फेरसे पाप करैके लिए भरम्या दैछै जे आदमीसब कुछु समय पहेला ही दुष्ट जीवनशैली त्यागल्कै छे।


परमेश्वरके बहुते आदमीसब यी शिक्षकसिके खराब कामसिके नक्कल कर्तै आर जे कुछु भी ऊसब करैछै ओकर कारण आदमीसब सच्चा रस्ताके विषयमे अपमान कर्तै।


सेल्याके हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब पहलहैसे जानैछैं कि यी बातसब हैतै। सेल्याके होशियार र, ताकी जे आदमीसब नियमसिके नैमानैछै ओकरसिके झुठसे धोखा नैखो। यदि तुहेंसब ओकरसिके अनुसरण करैछैं ते तुहेंसब उटा बात पर शंका करैले शुरु करि देभैं जकरापर तुहेंसब एक समय मजगुतीसे विश्वास कैल्हैं रहे।


हमे तोरासिके लिखैछियौ कहिनेकी कुछु आदमीसब जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैके दिखावा करैछै, ऊसब तोरसिके मण्डलीमे सामिल भ्या गेलौ छे। ऊसब परमेश्वरके सम्मान नैकरैछै आर ऊसब एरं कहिके गलत शिक्षा दैछै, कहिनेकी परमेश्वर आपन अनुग्रहसे आपनसिके पापसिके माफ करि दैछै, इहे ल्याके अपनासब अनैतिक जीवन जिये सकैछियै। ऊसब येशू ख्रीष्टके अस्वीकार करैछै, जे आपनसिके एक्केटा मालिक आर आपनसिके प्रभु छै। बहुते समय पहेला धरमशास्त्र कहैछै कि परमेश्वर एरं आदमीसिके सजाय देतै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan