Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 2:4 - केवट नया कारार

4 तुहेंसब जानैछैं कि बहुते समय पहेला जब कुछु दूतसब परमेश्वरके आज्ञाके उलंघन कैल्कै ते, ऊ ओकरासिके सजाय देल्कै। ऊ ओकरासिके नरकमे फेकि देल्कै आर ओकरासिके न्याय आर सजाय दियैके दिनतक ओकरासिके उटा अनहार कैदमे राखल्कै छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 2:4
25 Iomraidhean Croise  

तकरबाद ऊ आपन बायाँ बगलके आदमीसिके कहतै, ‘श्रापित आदमीसब! हमरसे दूर हो आर शैतान आर ओकर दूतसिके लिए परमेश्वरसे तैय्यार कैल कहियो नैमिझाबेवाला आगिनमे जो।


अचानक ऊसब एरं कहिके चिकरीके कहे लाग्लै, “हे येशू, परमेश्वरके बेटा, तुहें हमरासिके कथिले परेशान करैछ? हमरसिके न्यायके समय नैपुगिके तुहें हमरासिके कष्ट दियैले ऐलह छे?”


आर बडका आवाजमे ऊ चिकरीके कहैल्कै, “हे येशू, परमप्रधान परमेश्वरके बेटा, तुहें हमरासिके कथिले परेशान करैछ? परमेश्वरके समनामे एकटा किरिया खा कि तुहें हमरासिके नैसतैभ।”


येशू चेलासिके कहैल्कै, “हमे देख्लियै कि शैतान हारिके अचानक स्वर्गसे बिजलीके जेरं खस्ते देख्लियै।


ऊ भूतसब हमरासिके अथाहा कुण्डमे नैभेज कहिके येशूसे बिन्ती करे लाग्लै।


तुहेंसब आपन बाबु शैतानके सन्तान छैं, आर तुहेंसब ओकरे इच्छा पुरा करैले चाहैछैं। ऊ ते शुरुहैसे हत्यारा छै, आर ओकरा सच्चाईसे कुछु लेना देना नैछै, कहिनेकी ओकरामे सच्चाई छैबे नैकरै। ऊ जब झुठ बोलैछै ते ऊ आपन स्वभावके अनुसार ही बोलैछै, कहिनेकी ऊ झुट्ठा छै आर झुठके बाबु छै।


यदि परमेश्वर असली ठ्यारसिपर दया नैकैल्कै, ते तोरहौसिपर दया नैकर्तौ।


परमेश्वर आपन बेटाके ते आपन लिए नैराखल्कै, मगर आपनसिके लिए ओकरा आपन दुश्मनसिके सौंपी देल्कै। ऊ अपनासिके जरुर ही उटा सभे चीज मुफ्तमे देतै जे ऊ अपनासिके प्रतिज्ञा कैल्कै रहे।


स्वर्गदूतसिके बारेमे विचार कर। ऊसब झुट्ठा शिक्षकसिसे कतनें बेसी शक्तिशाली छै। मगर जब ऊसब परमेश्वरके उपस्थितिमे यी शिक्षकसिके उप्परमे दोष लगाबैछै ते ऊसब भी अपमानजनक भाषाके प्रयोग नैकरैछै।


तुहेंसब यी भी जानैछैं कि जब बहुते समय पहेला रहेवाला आदमीसब परमेश्वरके डर नैमानल्कै ते परमेश्वर उटा खराब कामसिके नजर अन्दाज नैकैल्कै जे ऊसब कर्ते रहै। बल्की ऊ पुरा संसारके डुबाबैके लिए पानी भेजिके ओकरासिके एरं सजाय देल्कै कि ऊ सभे आदमीसब डुबि गेलै। मगर परमेश्वर नूहके सहित ऊ आठ आदमीसिके बचैल्कै, जे परमेश्वरके संगे धर्मी हुऐके विषयमे प्रचार कैल्कै रहे।


यी सभे काम जे परमेश्वर पहेला कैल्कै, उटा कामसब अपनासिके यी देखाबैछै कि जे आदमीसब ईश्वरीय जीवन जियैछै, जब ऊसब मुसीबतमे हैछै ते परमेश्वर जरुर ओकरासिके सुरक्षित राख्तै। आर अपनासब यी भी निश्चित करे सकैछियै कि ऊ दुष्ट आदमीसिके उटा दिनतक निरन्तर सजाय देतै जबतक कि ऊ सभे आदमीसिके न्याय नैकर्तै।


जे आदमी निरन्तर पाप करैछै ऊ शैतानके आदमी छै। कहिनेकी शैतान ते शुरुहैसे पाप कर्ते ऐलै छे। शैतानके कामके नाश करैके लिए ही परमेश्वरके बेटा ऐलै छे।


जेरंके समुन्दरके अशान्त लहर गन्दा फेन बनाबैछै, ओहिने करिके यी आदमीसब शर्मनाक काम करैछै। ऊसब कुछु तारासिके जुगुर छै जे एकटा सिधा रस्तापर नैचलैछै, ऊसब सही रस्ता नैदेखाबैछै। प्रभु ओकरसिके लिए एकटा जगह राखैछै जे पुरा तरहसे अनहार छै जते ओकरासिके सभे दिनके लिए रहे पड्तै।


तोरासिके ऊ दूतसिके विषयमे भी सोचना चाही, जे उटा अधिकारसे सन्तुष्ट नैरहै, जे परमेश्वर ओकरासिके देल्कै रहे, मगर स्वर्गमे आपन घरके त्यागी देल्कै, परमेश्वर ओकरासिके निच्चा अनहारमे अनन्त सिक्कडसब ल्याके बान्ही देल्कै, जते परमेश्वर ओकरासिके उटा महान दिनके लिए राखी रहलै छे जब परमेश्वर ओकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला सजाय देतै।


एकरबाद शैतान पकड्ल जैतै, जे जात-जातके आदमीसिके भर्मैल्कै आर ओकरा गन्धकके आगिनमे फेकि देल जैतै यानिकी उटा आगिनमे जे तालाबके जुगुर बडका छै। जंगली जानवर आर झुट्ठा भविष्यवक्ताके पहेला ही ओत्ते फेकि देल गेलै रहे। आर ओत्ते उटा आगिनमे ओकरासिके सभे दिनके लिए रात-दिन तड्पैल जैतै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan