Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 2:3 - केवट नया कारार

3 यीसब लोभी हैतै आर ऊसब बन्ल बनैल कहानीसब सुन्याके तोरासिके धोखा देतौ ताकी तोरासिसे पैसा कमाबे सकै। परमेश्वर बहुते समय पहेला ही फैसला करि लेल्कै रहे कि ऊ ओकरासिके सजाय देतै आर ऊ एरं करैके लिए तैय्यार छै। परमेश्वर जरुर ओकरासिके नाश करि देतै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 2:3
43 Iomraidhean Croise  

हे यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब आर फरिसी समूहके आदमीसब, तोरसिके लिए यी बहुते भयानक हैतौ! तुहेंसब ढोंगी छैं! कहिनेकी तुहेंसब धोखा करिके मोसामातसिके सम्पति हडपी लैछैं, मगर तुहेंसब सामूहिक रुपसे लम्बा समयतक प्रार्थना करैछै ताकी आदमीसब यी सोचै कि तुहेंसब बढियाँ छैं। एरंको आदमीसिके परमेश्वर निश्चित रुपसे आरहौ बेसी कडा सजाय देतै।”


हमे तोरासिके कहैछियौ, परमेश्वर जल्दी ही आपन आदमीसिके न्याय करि देतौ। मगर जब हमे, आदमीके बेटा धर्तीमे वापस ऐबै ते, हमरा धर्तीमे कतनें आदमी मिल्तै जे हमरापर विश्वास करैछै?”


एरं भेलके बाद ऊसब येशूके चुपचाप पक्डैके दाव खोजे लाग्लै। ऊसब ओकरा गिरफ्तार करिके रोमी राज्यपालके हातमे सौंपैले चहते रहै। धर्मीके ढोंग करेवाला कुछु आदमीसिके घुस द्याके येशूपर सुराकी करैले भेजल्कै।


जब येशू बोल्तहैं रहै कि आदमीसिके एकटा भीड ओत्ते ऐलै। बारह चेलासिमेसे यहूदा नामके चेला ओकरसिके अगुवा बनिके येशूके चुम्मा लियैले ओकर नज्दिक ऐलै।


पेर्वा बेचेवालासिके ऊ कहैल्कै, “एत्तेसे यी सभे चीज तुरन्ते ल्याजो। हमर पिताके घरके हाट-बजार नैबना।”


कहिनेकी एरंको आदमीसब आपनसिके प्रभु ख्रीष्टके नै, मगर आपन पेटके लिए सेवा करैछै, आर ओकरसिके मिठ्ठ-मिठ्ठ बोली आर चापलुसीवाला बातसे सिधा-साधा आदमीसिके धोखा दैछै।


हमेसब ऊ आदमीसिके जुगुर नैछियै, जे पैसा कमाबैके लिए परमेश्वरके वचनके प्रचार करैछै। मगर ख्रीष्टमे, हमेसब परमेश्वरके समनामे इमानदार आदमीसब आर ख्रीष्टके सेवकके रुपमे बोलैछियै।


तुहेंसब जानैछैं कि हमेसब कहियो चापलूसीके बात नैकैलियै। हमेसब लालची हुऐके कारणसे यी बात नैकैलियै छे आर हमरसिके लालच तोरसिसे आर कक्रहौसे नुकाबैके कोशिश भी नैकैलियै छे। परमेश्वर ही यी बातके गवाही दैछै कि हमेसब ओरंको नैरहियै।


जब आदमीसब कहतै, “कुशल छै, आर कोनो डर नैछै” उटा समयमे ऊसब अचानक बडका समस्याके अनुभव कर्तै। यी गर्भवती जनानीके बच्चा जनमके दरद शुरु हुऐ जुगुर अचानक हैतै। ऊसब उटा बडका समस्यासे बचे नैसक्तै।


ऊसब बेसी नशा करेवाला आदमी आर मार-पीट करेवाला आदमी नै होना चाही। ऊसब दयालु, धीरजी आर शान्त आदमी होना चाही, आर ऊसब वाद-विवाद नैकरेवाला, आर पैसाके लालच नैकरेवाला आदमी होना चाही।


अहिने करिके, मण्डलीके सेवकसब आदर पाबैके योग्यके होना चाही। ऊसब इमानदार होना चाही, आर बेसी नशा करेवाला नै होना चाही। ऊसब दोसर आदमीसिके धोखा द्याके रुपिया-पैसा कमाबेवाला नै होना चाही।


ओकरसिके दिमाग दुष्ट शंकासे भर्ल छै, आर ऊसब निरन्तर दोसर आदमीसिके संगे वाद-विवाद करैछै, आर ऊसब आब नै समझे सकैछै कि सच्चाई कि छै। ऊसब सोचैछै कि परमेश्वरके बारेमे शिक्षा देना पैसा कमाबैके रस्ता छै।


एरंको आदमीसिके सिखाबैले अनुमति नैदहैं, कहिनेकी ऊसब झुट्ठा शिक्षा सिख्याके पुरा परिवारके विश्वासके बर्बाद करैछै। ऊसब एरंको झुट्ठा शिक्षा पैसा कमाबैके लिए सिखाबैछै।


कहिनेकी मण्डलीके देख-रेख करेवाला आदमी परमेश्वरके काम करे पडैके कारणसे दोषरहित होना चाही। ऊ आपन चहेल बात पुरा हुऐके चाहना करेवाला या तुरन्ते रिसाबेवाला या मतवाला या झग्डौहा या धन-दौलतके लिए ठगेवाला नै होना चाही।


आर फेर धरमशास्त्र यी भी कहैछै, “यी पत्थल आदमीसिके ठोकर खैके कारण हैतै। यी एकटा चट्टान छै जे ओकरसिके गिरैके कारण हैतै।” ऊसब एरंके गिरैछै कहिनेकी ऊसब परमेश्वरके सन्देशके मानैसे इन्कार करैछै। परमेश्वर ओकरसिके संगे इहे हुऐके योजना बनैल्कै छे।


जेरंके चरवाहासब आपन भेंडासिके रखवाली करैछै, ओहिने करिके तोरासिके हरेकके रखवाली करना चाही जकरा परमेश्वर तोरसिके देखरेखमे राखल्कौ छे। एकरा स्वेच्छासे कर, कहिनेकी परमेश्वर इहे चाहैछै कि तुहें एरं कर। एरं खाली इहे ल्याके नैकर कहिनेकी तोरासिके एरं करैके लिए मजबूर कैल गेलौ छे। यी काम इहे ल्याके नैकर कहिनेकी तुहेंसब धन कमाबैके लिए चाहैछैं मगर परमेश्वर आर आदमीसिके सेवा करैके इच्छाके साथ कर।


जब हमे चुन्ल आर भेज्ल चेलासब तोरासिके आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके शक्ति आर फेर वापस आबैके विषयमे प्रचार कैलियौ ते, हमेसब तोरासिके चलाकीसे कुछु बन्ल बनैल कहानी नैबतैते रहियौ। बल्की हमेसब ख्रीष्टके महिमा आपन आँखीसे देख्लियै रहे।


जेरंके बहुते पहेला गलत शिक्षासब सिखाबेवाला आदमीसब इस्राएलीसिके बीचमे दिखाई देल्कै रहे, ओहिने करिके ही तोरसिके बीचमे झुट्ठा शिक्षकसब दिखाई देतौ। ऊसब झुट्ठा शिक्षासिके गुप्त रुपसे फैल्या देतौ, जे बात आदमीसिके ख्रीष्टमे विश्वास करैसे रोकी देतै। यी झुट्ठा शिक्षकसब ख्रीष्टके आपन मालिक मानैसे भी इन्कार करि देतै आर जे ओकरासिके पापके शक्तिसे छुटकारा देल्कै छे। एरंके ऊसब अपने आपके अचानक नाश करैतै।


यी सभे काम जे परमेश्वर पहेला कैल्कै, उटा कामसब अपनासिके यी देखाबैछै कि जे आदमीसब ईश्वरीय जीवन जियैछै, जब ऊसब मुसीबतमे हैछै ते परमेश्वर जरुर ओकरासिके सुरक्षित राख्तै। आर अपनासब यी भी निश्चित करे सकैछियै कि ऊ दुष्ट आदमीसिके उटा दिनतक निरन्तर सजाय देतै जबतक कि ऊ सभे आदमीसिके न्याय नैकर्तै।


ओकरासिके बहुते भयानक हैतै! कहिनेकी ऊसब कयिनके जुगुर दुष्टतासे आपन जीवनके चलाबैछै, जे आपन छोटका भ्याके जान मारि देल्कै कहिनेकी ऊ ओकरासे जर्नी कर्ते रहै। कहिनेकी परमेश्वर ओकर छोटका भ्याके द्वारा चढैल बलिदानके स्वीकार कैल्कै रहे मगर ओकर चढैल बलिदानके स्वीकार नैकैल्कै रहे। ऊसब बालामके जुगुर छै, जे परमेश्वरके आदमीसिके पाप करैके लिए उक्साबैके कोशिश कैल्कै, ताकी ऊ, उटा दौलतके हासिल करे सकै जकर पेशकश ओकरा कैल गेलै रहे। ऊसब कोरहके जुगुर नाश भ्याजैतै, जेसब उटा अधिकारके विरुद्ध विद्रोह कैल्कै जे अधिकार परमेश्वर मूसाके देल्कै रहे।


ऊ सभे आदमीसिके न्याय कर्तै आर सभे अधर्मी आदमीसिके द्वारा कैल गेल अनैतिक आर खराब कामसिके लिए आर पापी आदमीसिके परमेश्वरके विरुद्धमे कैल उटा सभे अपमानजनक कामसिके लिए सजाय देतै।”


यी आदमीसब सभे दिन परमेश्वरके विरुद्धमे बोलैछै आर दोसर आदमीसिमे गल्ती खोजैछै। ऊसब लगातार उटा खराब कामसिके करैछै जे ओकरसिके दिल करैले चाहैछै। ऊसब आपन विषयमे घमण्डसे दावा करैछै आर खुदके लिए फैदा लियैके खातिर दोसर आदमीसिके चापलुसी करैछै।


हमे तोरासिके लिखैछियौ कहिनेकी कुछु आदमीसब जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैके दिखावा करैछै, ऊसब तोरसिके मण्डलीमे सामिल भ्या गेलौ छे। ऊसब परमेश्वरके सम्मान नैकरैछै आर ऊसब एरं कहिके गलत शिक्षा दैछै, कहिनेकी परमेश्वर आपन अनुग्रहसे आपनसिके पापसिके माफ करि दैछै, इहे ल्याके अपनासब अनैतिक जीवन जिये सकैछियै। ऊसब येशू ख्रीष्टके अस्वीकार करैछै, जे आपनसिके एक्केटा मालिक आर आपनसिके प्रभु छै। बहुते समय पहेला धरमशास्त्र कहैछै कि परमेश्वर एरं आदमीसिके सजाय देतै।


यी इस्राएलीसब आर स्वर्गदूतसिके जुगुर ऊ आदमीसिके भी याद कर जे सदोम सहर आर गमोरा सहर आर ओकर आस-पासके गाँवमे रहते रहै ओकरसिके संगे कि भेलै रहे। ऊ आदमीसब व्यबिचारी भ्यागेलै आर सभे प्रकारके यौन भ्रष्टतासे भरि गेलै रहे। इहे ल्याके परमेश्वर ओकरासिके आगिनसे नाश करिदेल्कै। ओकरसिके संगे जे भेलै ऊ झुट्ठा शिक्षकसिके लिए एकटा चेतावनी बनी गेलै छे कि ओकरासिके भी कहियो नैमिझाबेवाला आगिनसे सजाय देल जैतै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan