Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 1:9 - केवट नया कारार

9 मगर यदि कोनो आदमी एरंके नैजियैछै ते ऊ एकटा एरं आदमीके जुगुर छै जे बढियाँसे नैदेखे सकैछै या जे अनराह छै। ऊ भूली गेलै छे कि परमेश्वर ओकरा उटा पापसिके लिए माफ करिदेल्कै छे, जे ऊ ख्रीष्टमे विश्वास करैसे पहेला कैल्कै रहे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 1:9
19 Iomraidhean Croise  

येशू ओकर महर देखिके प्रेमसे कहैल्कै, “एकटा काम छै जे तोरा आब करैके जरुरत छौ; जो, आर तोरलगत जे जतनें छौ बेचिके पैसा गरिबसिके दहैं, अगर तुहें एरं करैछैं ते, तोरलगत स्वर्गमे सम्पति हैतौ। तोर एरं कैलके बाद, या आर हमर चेला बनिजो।”


यी सुन्लके बाद येशू ओकरा कहैल्कै, “एकटा काम छै जे तोरा आब करैके जरुरत छौ; जो, आर तोरलगत जे जतनें छौ बेचिके पैसा गरिबसिके दहैं, अगर तुहें एरं करैछैं ते, तोरलगत स्वर्गमे धन हैतौ। तोर एरं कैलके बाद, या आर हमर चेला बनिजो।”


अहिने करिके तहुँसब भी अपने आपके पापके शक्तिके लिए मर्ल सोच, मगर येशू ख्रीष्टमे परमेश्वरके सेवा करैके लिए जिन्दा भेल सोच।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब परमेश्वरके द्वारा आजाद हुऐके लिए चुन्ल गेल्हैं रहे आर सेल्याके आब तोरासिके मूसाके विधि-विधानके पालन करैके जरुरत नैछौ। मगर यी आजादीके आपन पापमय स्वभावसिके पुरा करैके बहाना नैबना। बरु, एक दोसरसे प्रेम कर आर एक दोसरके सेवा कर।


कहिनेकी यदि अपनासब ख्रीष्ट येशूके संगे एक छियै ते आपनसिके खतना भेल छै या नैभेल छै यी बात महत्वपूर्ण नैछै। मगर महत्वपूर्ण बात यी छै कि अपनासब ख्रीष्टके आपन उद्धारकर्ताके रुपमे विश्वास करैछियै, आर परमेश्वर आर दोसर आदमीसिके प्रति प्रेम राखैछियै।


सेल्याके मण्डली पवित्र बनैल गेलै। ख्रीष्ट मण्डलीके पवित्र बनाबैके लिए आपन वचनद्वारा आर पानीसे धोयके शुद्ध बनैल्कै।


उहे येशू ख्रीष्ट अपनासिके सभे पापसे छुटकारा दिलाबैके लिए आर नैतिक रुपसे शुद्ध बनाबैके लिए खुदके बलिदान कैल्कै ताकी अपनासब ओकर आपन विशेष आदमीसब बने सकियै जेसब बढियाँ काम करैके बडका इच्छा राखैछै।


मगर ख्रीष्ट पापरहित रहै, आर ऊ अपने आपके परमेश्वरके लिए एकटा कहियो खतम नैहुएवाला आर आत्मिक बलिदानके रुपमे दान चढ्या देल्कै। इहे कारणसे ओकर खून बहुते बेसी शक्तिशाली छै आर आपनसिके विवेकके शुद्ध बनाबैछै। आब अपनासब जिन्दा परमेश्वरके सेवा करे सकैछियै आर ऊ चीजसिके नैकरैछियै जे मौतके तरफ ल्याजैछै।


पहेलाके समयमे ओकरसिके बचैल जाना आब आपनसिके बचैल जानाके एकटा उदाहरण छै जब अपनासब बप्तिस्मा लैछियै। ऊ पानी जकरामे अपनासब बप्तिस्मा लैछियै, ऊ आपनसिके शरीरसे मैल नैहटाबैछै, मगर यी एकटा चिन्ह छै कि अपनासब परमेश्वरसे माफी माँग्लियै छे, ताकी आगु चलिके आपनसिके मन परेशान नैरहै। अपनासिके माफी कैल ज्या सकैछै कहिनेकी येशू ख्रीष्ट मौतके बाद फेरसे मुर्दासे जिन्दा भेलै छे,


मगर जब अपनासब परमेश्वरके उजेतके द्वारा देखैल सही काम करैछियै, ओकर शुद्धताके मुताबिक जेरंके परमेश्वर सभे दिन सही काम करैछै, तब आपनसिके संगति एक दोसरके संगे हैछै आर ओकर बेटा, येशू ख्रीष्टके खून आपनसिके सभे पापसब शुद्ध करैछै।


तुहें सोचैछैं कि तुहें मातबर छैं आर तोरलगत उटा सभे छौ जकर तोरा जरुरत छौ, मगर तुहें नैजानैछैं कि एकर सच्चाई यी छै कि तोरापर तरस आना चाही। कहिनेकी सच्चाई यी छै कि तुहें गरिब छैं, तोरलगत कपडा नैछौ आर तुहें अनराह छैं।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan