Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 1:7 - केवट नया कारार

7 तोरासिके नैते खाली एरं तरिकासे जिना चाही जे परमेश्वरके खुश करैछै, बल्की तोरासिके एक दोसरके आपन खुदके परिवारके सदस्यसिके जुगुर प्रेम करना चाही। तोरासिके खाली एक दोसरके ही आपन परिवारके सदस्यसिके जुगुर प्रेम नैकरना चाही मगर तोरासिके सभे आदमीसिके प्रेम करना चाही।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 1:7
15 Iomraidhean Croise  

एक दोसरके परिवारके सदस्यके रुपमे प्रेम कर, अपनासे बेसी दोसराके आदर कर।


सेल्याके मौका पाबै तक अपनासब सभे आदमीसिके संगे भलाइ कर, विशेष करिके ख्रीष्टमे विश्वासी भ्या-बहिनसिके लिए।


तोरासिके करे पडेवाला सबसे महत्वपूर्ण बात एक दोसरके प्रेम करना छौ। एरं कर्भैं ते तुहेंसब पूर्ण रुपसे एक हैभैं।


आर हमेसब प्रार्थना करैछियै कि जेरंके हमेसब तोरसिसे प्रेम करैछियौ, ओहिने करिके तोरसिके प्रेम एक दोसरके प्रति आर सभे आदमीसिके लिए बढते आर उमडते रहौ।


यी ध्यान राख कि कोय भी खराबीके बदला खराबी नैकरक, मगर सभे दिन दोसर विश्वासी आर दोसर आदमीसिके दयालु व्यवहार करैके कोशिश कर।


भ्या आर बहिनसिके रुपमे एक-दोसरसे प्रेम कर्ते र।


कहिनेकी तुहेंसब सचके पालन करिके शुद्ध भेल छैं, आब तोरासिके आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिके निष्कपट प्रेम करे पडैछै। तुहेंसब एक दोसरके पुरा हृदयसे बहुते गहरा प्रेम कर।


सभे आदमीसिके आदर कर। आपन सभे संगी विश्वासीसिसे प्रेम राख। परमेश्वरके डर मान। राजाके आदर कर।


अन्तमे, हमे तोरासिके यी कहैले चाहैछियौ कि एकतामे र, एक दोसरके लिए वास्ता कर, एक्के परिवारके सदस्यसिके जुगुर एक दोसरके प्रेम कर। एक दोसरके प्रति दयालु बन आर एक दोसरसे नम्र बन।


अपनासब जानैछियै, कि अपनासब मौतके शक्तिसे मुक्त भ्या गेलियै छे आर आब अपनासिमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै, कहिनेकी अपनासब आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिसे प्रेम करैछियै। आर प्रेम नैकरेवाला आदमी मौतके दशामे रहैछै।


एक्रहैसे प्रेम कि छै कहिके अपनासिके मालुम हैछै, कि येशू ख्रीष्ट आपनसिके लिए आपन जान देल्कै। सेल्याके अपनासिके भी आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिके लिए आपन जान दियैके लिए तैय्यार रहे पडैछै।


अपनासब ओकरासे यी आज्ञा पैलियै छे, कि जे कोय परमेश्वरके प्रेम करैछै ओकरा आपन विश्वासी भ्या-बहिनके भी प्रेम करे पडैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan