Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 1:6 - केवट नया कारार

6 तोरासिके खाली यी नै जानना चाही कि समझदारीसे केरंके व्यवहार करना छै, बल्की तोरा अपने आपके नियन्त्रित भी करना चाही, तोरासिके नैते खाली अपने आपके नियन्त्रित करना चाही बल्की तोरासिके मुसीबतमे धीरज भी राखना चाही। तोरासिके खाली धीरज ही नैराखना चाही मगर परमेश्वरके खुश करेवाला जीवन भी जिना चाही।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 1:6
40 Iomraidhean Croise  

डटिके र आर तुहेंसब जीवन पैभैं।”


बढियाँ जमिनमे पडेवाला बिहन ऊ आदमीसब छै, जेसब वचन सुनैछै आर आज्ञाकारी भ्याके सुन्ल परमेश्वरके वचनके निष्कपट आर भला हृदयमे ओकरा जोग्याके राखैछै आर धीरजके साथ समयमे फल फराबैछै।”


जब पावल परमेश्वरके नजरमे जे बात ठीक छै आर आपन इच्छामे नियन्त्रण आर परमेश्वरके आबेवाला सजायके विषयमे बात करैले शुरु कैल्कै तब राज्यपाल फेलिक्स भयभीत भ्याके जबाब देल्कै, “एखन तुहें जो, जब हमरलगत समय हैतै हमे तोरा खुद बोलाबैले भेज्बौ।”


जतनें बात बहुते पहेलासे ही धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, उटा आपनसिके शिक्षाके लिए लिख्ल गेलै कि अपनासब धीरज आर धरमशास्त्रसे मिलेवाला उत्साह पाबे सकियै ताकी अपनासब आशा राखे सकियै कि परमेश्वर जे प्रतिज्ञा कैल्कै रहे, उटा पुरा कर्तै।


धीरजके साथ बढियाँ काम करिके महिमा, इज्जत आर अमरता खोजेवाला आदमीके परमेश्वर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


मगर अपनासिके कुछु एरं मिलैके आशा छै जे आपनसिके लगत एखनतक नैछै, सेल्याके अपनासब धीरजके साथ तबतक इन्तजार करैछियै जबतक कि अपनासब ओकरा हासिल नैकरैछियै।


दौडमे हिस्सा लिए चाहेवाला आदमीसब पहेला अभ्यास करैछै आर खुदके अनुशासनमे राखैछै। ऊसब एरं इहे ल्याके करैछै ताकी ऊसब जिते सकै आर आदर पाबे सकै। ओकरासिके आदर करैके लिए ओकरासिके फूलके मल्ला लग्या दैछै जे बहुते समयतक नैरहैछै। मगर येशू ख्रीष्टमे विश्वास राखेवाला सभेको आदर पैतै आर अपनासिके देल आशिष सभे दिन रहतै। सेल्याके अपनासिके खुदके अनुशासनमे राखना चाही।


मगर हर तरहसे हमेसब देखाबैछियै कि हमेसब परमेश्वरके सच्चा सेवकसब छियै। हमेसब धीरजसे समस्यासिके, कठिनाईसिके आर सभे प्रकारके विपत्तिसिके सहन करैछियै।


नम्रता आर संयम। एरंको किसिमके चरित्रपर रोक लगाबैके लिए कोनो नियम नैछै।


हमे प्रार्थना करैछियौ कि परमेश्वर आपन बडका शक्ति प्रयोग करिके तोरासिके बहुते मजगुत बनाबौ, ताकी तुहेंसब धीरजी आर आनन्दित भ्याके आपन दुःखसब सहे सक्हैं।


आर जब हमेसब आपनसिके परमेश्वर पितासे प्रार्थना करैछियै, विश्वासके खातिर तोरसिके कैल कामसब, विश्वासीसिके प्रेम देखाबैके लिए कैल तोरसिके कडा मेहनत आर प्रभु येशू ख्रीष्टके दोसर आगमनके आशामे तोरसिके भोग्ल सतावटके हमेसब निरन्तर याद करैछियौ।


सेल्याके हमेसब परमेश्वरके मण्डलीके विश्वासीसिमे तोरसिके विषयमे गर्व करैछियै। तुहेंसब परीक्षा आर दुःख कष्टमे पडल पर भी आरहौ भी धीरजके साथ सहैछैं आर आरहौ भी येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं।


हमेसब प्रार्थना करैछियै कि प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके यी बुझैके योग्य बनाबौ कि परमेश्वर आपन आदमीसिके कतनें प्रेम करैछै आर जब आदमीसब ओकरा सतैल्कै रहे जेरंके ऊ खुद धीरज धारण कैल्कै ओहिने करिके तुहेंसब भी धीरज धारण कर।


एकर बदलामे, ऊसब दोसर आदमीसिके लिए बढियाँ कामसब करे पडैछै, परमेश्वरके भक्ति करेवाला जनानीसिके लिए इहे उचित व्यवहार छै।


राजासब आर अधिकार भेल आदमी सभैके लिए प्रार्थना कर ताकी ऊसब अपनासिके शान्ति आर सुरक्षामे रहैके लिए सहायता करै आर अपनासब आजादीसे परमेश्वरके आराधना करे सकियै आर परमेश्वरके इच्छा मुताबिकके काम करे सकियै।


बिना कोनो शंकाके, हमेसब कहे सकैछियै कि परमेश्वरद्वारा प्रकट कैल शिक्षासब पुरा रुपसे सच्चा छै, यानिकी येशू ख्रीष्ट आदमीके रुपमे ऐलै, ऊ पवित्र आत्माद्वारा परमेश्वरके बेटा साबित भेलै, स्वर्गदूतसब ओकरा देखल्कै, ऊ स्वर्गके महिमामे लजैल गेलै, आदमीसब ओकर बारेमे जात-जातके आदमीसिमे प्रचार कैल्कै, आर संसारके बहुते आदमीसब ओकरापर विश्वास कैल्कै।


मगर तिमोथी, तुहें परमेश्वरके सेवा करेवाला आदमी छैं, तोरा यी सभे चीजसिके करैसे दूर रहना चाही, जे सही छै खाली ओकरा करैके लिए हर सम्भव कोशिश कर। परमेश्वरके आदर दिएवाला जीवन जी। ख्रीष्टमे भरोसा राख। दोसर आदमीसिके प्रेम कर। परमेश्वरके आज्ञापालन करैके लिए कठिन परिस्थितीसिमे स्थिर र। दोसर आदमीसिके संगे भला आदमी बन।


अगर कोय झुट्ठा शिक्षा सिखाबैछै आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके देल सही शिक्षा आर परमेश्वरके आदर हुएवाला निर्देशनसंगे सहमत नैहैछै ते,


मगर हमरसिके लिए यी बढियाँ छै कि अपनासब उटा काम करियै जे परमेश्वरके खुश करैछै आर ओकरामे सन्तोष करियै जे परमेश्वर अपनासिके दैछै।


ऊसब परमेश्वरके भक्त हुऐके देखावा कर्तै, मगर ऊसब खुदके भक्त बनाबे सकेवाला शक्तिके इन्कार कर्तै। एरंको आदमीसिके संगे संगत नैकर।


हमे, पावल, यी चिट्ठी तोरा लिखैछियौ। हमे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमरा परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके विश्वासके मजगुत बनाबैके लिए आर ओकरासिके येशू ख्रीष्टके सच्चाई बुझाबैले सहायता करैके लिए हमरा नियुक्त कैल छै ताकी ऊसब परमेश्वरके खुश बनाबेवाला जीवन जिये सकै।


मगर अतिथि सत्कार करेवाला, दोसर आदमीसिके लिए भलाइ करैले पसन्द करेवाला, आपन इच्छाके काबुमे राखेवाला, सही तरिकासे व्यवहार करेवाला, परमेश्वरमे समर्पित जीवन जिएवाला आर अनुशासित जीवन जिएवाला आदमी होना चाही।


बुढ आदमीसिके आपन इच्छाके काबुमे राखैके लिए, आदरके योग्य हुऐले, समझदार हुऐले, विश्वासमे पक्का हुऐले, प्रेम करैले आर धीरजमे दृढ हुऐले सिखा।


तोरासिके विश्वासके साथ धीरजसे निरन्तर इन्तजार करना चाही। तब तुहेंसब परमेश्वरके इच्छाके पुरा कर्भैं आर तोरासिके उटा सभे चीज प्राप्त हैतौ जकर प्रतिज्ञा परमेश्वर कैल्कै छे।


आपनसिके अगल-बगल एरंको बहुते आदमीसब छै जकर जीवन अपनासिके बताबैछै कि विश्वासके कि मतलब छै। सेल्याके या, सभे रोकेवाला चीजसब आर सभे ओझराबेवाला पापके दूर करिके अपनासब उटा रस्तापर चल जकरापर अपनासिके चलना चाही।


आर अब्राहम बहुते समयतक धीरज राख्लके बाद प्रतिज्ञाके फल प्राप्त कैल्कै।


परमेश्वर आपन शक्तिके द्वारा अपनासिके उटा सभे कुछु देल्कै छे, जे अपनासिके एकटा ईश्वरीय जीवन जियैके लिए चाही। यी सम्भव छै कहिनेकी अपनासब परमेश्वरके चिन्हैछियै आर ऊ उहे छै जे अपनासिके आपन महिमा आर नैतिक भलाइके द्वारा आपन आदमी हुऐके लिए बोलैल्कै छे।


जब कि परमेश्वर जरुर यी सभे चीजसिके नाश करि देतै, जेरं कि हमे एखन कहैलियौ छे, सेल्याके तोरासिके निश्चित रुपसे पवित्र आर ईश्वरीय तरिकासे व्यवहार करना चाही।


हमे, यूहन्ना, जे ख्रीष्टमे तोर साथी छियौ, तोरेसिके जुगुर सतैल जैछियै। हमे परमेश्वरके राज्यके एकटा नागरिक छियै जेरं कि तुहेंसब छैं आर हमरा भी आपन तकलीफके ओहिने ही धीरजके साथ सहन करना चाही जेरं तुहेंसब करैछैं। हमे परमेश्वरके वचन प्रचार करैके आर येशूके विषयमे बताबैके कारण पत्मोसके टापुमे निर्वासित करि देल गेलियै रहे।


जे आदमीसिके कैद कैल जाना तय छै, ऊसब जरुर ही कैद कैल जैतै, आर जकरसिके लिए तय छै कि ऊसब तलवारसे मरै, ऊसब जरुर ही तलवारसे जान मार्ल जैतै। इहे ल्याके परमेश्वरके आदमीसिके दुःख सहैमे धीरज राखना चाही आर ओकरापर निरन्तर भरोसा करना चाही।


यी बातसब हुए ज्यावाला छै, सेल्याके परमेश्वरके आदमीसिके दुःख सहैमे धीरज राखना चाही। यीसब ऊ आदमीसब छै जेसब परमेश्वरके आज्ञासिके पालन करैछै आर विश्वासयोग्यताके साथ येशूके अनुसरण करैछै।


हमे जानैछियै कि तुहें कि करैछैं। तुहें पुरा मेहनतसे हमर काम करैछैं, हमरापर विश्वास करैके कारण जब तोरा सतैल जैछौ तैय्योपर भी तुहें सहैछैं। हमे जानैछियै कि तुहें दुष्ट आदमीसिके स्वीकार नैकरैछैं। तुहें एरंको आदमीसिके जाँच कैल्हैं छे, जे झुट्ठा दावा करैछै कि ऊसब चुन्ल आर भेज्ल चेला छै आर तुहें बुझी गेल्हैं छे कि ऊसब झुट्ठा छै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan