Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 1:5 - केवट नया कारार

5 कहिनेकी तुहेंसब ईश्वरीय स्वभावमे सामिल हुऐके लिए बन्ल छैं, तुहेंसब ख्रीष्टमे विश्वास करेवाला खाली नै मगर तुहेंसब दोसर आदमीसिके लिए सभे दिन बढियाँ काम करैके कोशिश भी करे पडैछै। तुहेंसब बढियाँ काम करेवाला खाली नै, मगर तुहेंसब समझदारी तरिकासे व्यवहार करेवाला आदमी भी बने पडैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 1:5
25 Iomraidhean Croise  

यी सभे चीजके सिवाय हमरसिके आर तोरसिके बीचमे बडका खधा छै। सेल्याके चाहीके भी कोय भी यी पार-उपार आबे-ज्या नैसकैछै।’


उहे ही इस्राएलीसिके रोमीसिसे छुटकारा देतै कहिके हमेसब आशा कैलियै रहे। मगर ओकरा क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मार्ल भी ऐज तीन दिन भ्यागेलै छे।


नाश हुएवाला भोजनके लिए मेहनत नैकर, मगर कहियो खतम नैहुएवाला जीवनतक रहेवाला भोजनके लिए मेहनत कर, जे हमे, आदमीके बेटा तोरासिके यी भोजन देबौ, कहिनेकी परमेश्वर पिता हमरा एरं करैके अधिकार देल्कै छे।”


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एकटा बच्चाके जुगुर नैसोच, मगर बच्चासिके जुगुर निर्दोष बन, जब खराबीके बात आबैछै, मगर एरंको बातसिके बुझैमे परिपक्क बन।


सेल्याके निर्बुद्धि नैहु, मगर यी सम्झैके कोशिश करिके बुद्धिमान बन कि प्रभु तोरासिसे कि करवाबैले चाहैछै।


हमर प्रार्थना इहे छै कि सचके ज्ञान आर बुद्धि-विवेकके साथ एक दोसरके लिए तोरसिके प्रेम लगातार बढ्ते रहौ।


सेल्याके हे हमर प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, जब हमे तोरसिके संगे रहियौ तब तुहेंसब सभे दिन आज्ञापालन कैल्हैं। एखन हमे तोरसिसे दूर छियौ, तोरासिके आरहौ बेसी आज्ञापालन करना चाही। तोरासिमेसे हरेक आदमी डरके साथ आर कम्पनके साथ ऊ चीजसब कर जे काम परमेश्वरद्वारा उद्धार पैल आदमीसिके लिए सही छै।


सेल्याके, हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, जे-जे बात सच छै, जे-जे बात प्रतिष्ठित छै, जे-जे बात परमेश्वरके नजरमे धर्मी छै, जे-जे बात पवित्र छै, जे-जे बात सुन्दर छै, आर जे-जे बातसब प्रशंसा करैके योग्य छै। अन्तमे जे कोनो भी बात उत्तम या बढाईके योग्य छै उहे बातमे तोरसिके मन लाग्ल रहौ।


सेल्याके जे दिनसे हमेसब यी बात सुन्लियै छे, हमेसब सभे दिन तोरसिके लिए प्रार्थना करैछियै। हमेसब प्रार्थना करैछियै कि तुहेंसब सच्चेके जाने सक्हैं कि परमेश्वर तोरासिके कि करैले कहैछौ। उटा यी छै कि तुहेंसब बहुते बुद्धिमान हैभैं आर तुहेंसब आत्मिक बातसब बढियाँसे बुझ्भैं।


परमेश्वरके बारेमे बुद्धि आर ज्ञान नुकैल खजानाके जुगुर छै। एकर विषयमे खाली ख्रीष्टके मालुम छै आर उहे सभे आदमीसिके उटा प्रकट करैछै।


खाली परमेश्वरपर विश्वास करिके ही अपनासब ओकरा खुश करे सकैछियै। कहिनेकी परमेश्वरके लगत आबेवाला आदमीके विश्वास करना चाही कि परमेश्वर छै आर ऊसब जेसब ओकरा सच्चाईके साथ खोजैछै, ऊ ओकरासिके प्रतिफल दैछै।


होशियार र, कि कोनो भी आदमी परमेश्वरके अनुग्रह पाबैसे बन्चित नैहै। ध्यान दहैं कि अविश्वासके कोनो तित्त जड तोरसिके बीचमे नैटुसाबौ कहिनेकी जब भी यी टुसाबैछै ते बहुते आदमीसब एकर जहरसे भ्रष्ट भ्याजैछै।


हमरसिके बडका इच्छा छै कि जबतक तुहेंसब जिन्दा रहभैं, तबतक तुहेंसब प्रेमपूर्ण सेवाके काम कर्ते रहभैं, यी सुनिश्चित करैके लिए कि जे तुहेंसब आशा करैछैं उटा सच भ्याजैतै। तब तुहेंसब लापरवाह नै बन्भैं। बरु तुहेंसब ऊ आदमीसिके उदाहरणके अनुसरण कर्भैं जेसब आपन विश्वास आर धीरजके कारण परमेश्वरके प्रतिज्ञाके प्राप्त करेवाला छै।


ओहिने करिके हे पतिसब आपन पतनीसिके संगे मिलिके र, आर ओकरसिके सहायता करैके विषयमे विचार कर। तोरासिके याद राखना चाही कि ऊसब तोरसिसे कमजोर छै, सेल्याके तोरासिके ओकरसिके आदर करना चाही। कहिनेकी तुहेंसब दोनो झन परमेश्वरद्वारा अनुग्रहके साथ देल वरदानमे बराबर हकदार छैं, जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। एरं कर ताकी जब तुहेंसब परमेश्वरसे प्रार्थना करैछैं ते ऊ तोर प्रार्थना सुनौ।


सेल्याके हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, अपने आपके आर दोसर आदमीसिके यी देखाबैके लिए आरहौ भी बढियाँ व्यवहार करैके कडा मेहनत कर कि परमेश्वर तोरासिके वास्तवमे चुनल्कौ छे आर तोरासिके आपन आदमी हुऐके लिए बोलैल्कौ छे। यदि तुहेंसब एरं कर्भैं ते तुहेंसब निश्चित रुपसे परमेश्वरसे अलग नैहैभैं।


आर साथे-साथ परमेश्वर तोरासिके उटा राज्यमे भव्य स्वागत कर्तौ जते येशू ख्रीष्ट छै, जे आपनसिके प्रभु आर आपनसिके उद्धारकर्ता छै, जे सभे दिनके लिए राजाके रुपमे राज्य कर्तै।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, परमेश्वर संसारके न्याय करैके दिनके तुहेंसब इन्तजार करैबेरियाँ तोरासिके पवित्र आर निष्खोट हुऐके लिए आर ओकरसंगे शान्तिमे रहैके लिए आपन तरफसे पुरा कोशिश करे पडैछै।


मगर तोरासिके आपनसिके प्रभु आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके अनुग्रहके आरहौ बेसीसे बेसी अनुभव करना चाही आर ओकर प्रति आपन समझमे बढना चाही। ओकर महिमा एखन आर सभे दिनके लिए हैते रहै। आमेन।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan