Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 1:4 - केवट नया कारार

4 उहे शक्तिशाली सामर्थ्यके द्वारा ऊ अपनासिके सभे बहुते बढियाँ आर अदभुद प्रतिज्ञासब देल्कै छे। इहे प्रतिज्ञासब ही संसारके दुष्ट मानव इच्छासिसे बचाबैछै आर ईश्वरीय स्वभावमे सामिल बनाबैछै, जे ख्रीष्टमे विश्वास नैकरेवाला आदमीसब करैले नैचाहैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 1:4
25 Iomraidhean Croise  

ऊसब हमर जुगुर इस्राएली छै, आर ओकरासिके परमेश्वरके सन्तान हुऐके लिए चुन्ल गेलै छे। परमेश्वर आपन महिमा ओकरासिके प्रकट कैल्कै। ऊ ओकरसिके संगे प्रतिज्ञा कैल्कै आर आपन विधि-विधान ओकरासिके देल्कै। ओकरसिके संगे परमेश्वरके आराधना करैके आर ओकर अदभुद प्रतिज्ञासब पाबैके विशेष अधिकार छै।


कहिनेकी परमेश्वरके जतनें प्रतिज्ञासब छै, ऊ सभेटा ख्रीष्टमे “हौं” छै। आर इहे ल्याके अपनासब परमेश्वरके महिमाके लिए येशू ख्रीष्टद्वारा “आमेन” कहैछियै जकर मतलब छै “हौं”।


मगर अपनासब एकटा ऐनाके जुगुर परमेश्वरके महिमाके एरं चेहरासे देखाबैछियै जकरा कपडा ल्याके झाँप्ल नैछै। परमेश्वर अपनासिके लगातार बढते रहेवाला महिमामे बेसीसे बेसी आपन जुगुर बनाबैछै। यी प्रभुके काम छै, जे पवित्र आत्मा छै।


सेल्याके प्रभु अपनासिके धरमशास्त्रके द्वारा कहैछै, “ऊ आदमीसिके बीचसे बाहार आबी जो, जेसब परमेश्वरके अनुसरण नैकरैछै, आर ओकरसिसे तुहेंसब अलग र, आर गन्दा चीजसब जे हमे वर्जित कैलियौ छे ओकरासे हट्ल र, तब हमे तोरासिके स्वीकार कर्बौ।


अहिने करिके परमेश्वर अब्राहमसे यी प्रतिज्ञा कैल्कै कि “तोर सन्तानके द्वारा सभेको आशिष पैतै।” धरमशास्त्रमे यी नैलिख्ल छै, “तोर सन्तानसिसे”। ओकर बहुते सन्तानसिके बारेमे ऊ यी नैकहैल्कै छे। यी एकटा आदमीके बारेमे कहैछै, जब यी “तोर सन्तानके” कहैछै, आर ऊ आदमी ख्रीष्ट छै।


कहिनेकी जे आदमी आपन पापमय स्वभावके मुताबिक जीवन जियैछै, ऊ काम ओकर लिए कहियो खतम नैहुएवाला मौत आनैछै। मगर जे आदमी पवित्र आत्माके इच्छाके पालन करैछै ऊ आदमी पवित्र आत्मासे आबेवाला कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पैतै।


यी तबतक चल्तै जबतक कि अपनासब आपनसिके विश्वास आर परमेश्वरके बेटाके विषयमे आपन समझमे एक नैभ्याजैछियै। तब अपनासब परिपक्क भ्याजैबै, जेरं ख्रीष्ट छै आर अपनासब पुरा तरहसे ओकरे जुगुर भ्याजैबै।


आब तुहेंसब एकटा नया आदमी बनी गेल्हैं छे। यी नया स्वभाव परमेश्वरके स्वरुपमे लगातार बढ्ते जैछौ ताकी तुहेंसब आरहौ बढियाँसे परमेश्वरके जाने सक्हैं।


आपनसिके यी धर्तीके बाबुसब, जेरं ओकरासिके सभैसे बढियाँ लाग्लै, अपनासिके कुछु समयके लिए अनुशासित कर्ते रहलै। मगर परमेश्वर आपनसिके भलाइके लिए अपनासिके अनुशासित करैछै ताकी अपनासब ओकर जुगुर पवित्र बनी जैयै।


सेल्याके ख्रीष्ट परमेश्वरके तरफसे मध्यस्थके रुपमे आपन आदमीसिके लिए एकटा नया करार आनल्कै छे। ऊ आदमीसब जकरा परमेश्वर बोलैल्कै छे, ऊ सभे आशिषके प्राप्त करे सकैछै जकर प्रतिज्ञा ऊ कैल्कै छे, यानिकी ऊ आशिषसब जे सभे दिन रहतै। ऊसब उटा चीजसब प्राप्त करे सकैछै कहिनेकी ख्रीष्ट मरि गेलै ताकी ऊ आदमीसब जेसब पुरना करारके अधिनमे रहते रहै ओकरासिके पापसे छुटकारा देल ज्या सकै।


आपनसिके परमेश्वर पिताके नजरीमे शुद्ध आर निष्कलंक धरम यी छै, कि दुःखमे पडल अनाथ आर मोसामातसिके देखभाल करना, आर खुदके संसारमे भेल खराब आचरणसे बच्याके राखना।


हमे, सिमोन पत्रुस तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ, हमे येशू ख्रीष्टके सेवक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमे तुहेंसब सभैके लिए लिखैछियौ जेसब आपनसिके जुगुर समान बहुमूल्य विश्वास प्राप्त कैल्कै छे, यी विश्वास आपनसिके परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा अपनासिके देल गेलै छे, जे अपनासिके परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित करैछै।


मगर अपना विश्वासीसब नया स्वर्ग आर नया धर्तीके इन्तजार करैछियै जकर परमेश्वर प्रतिज्ञा कैल्कै छे, जते हरेक जगहके आदमीसब परमेश्वरके इच्छाके मुताबिक रहतै।


कुछु आदमीसब सोचैछै कि प्रभु आपन वापस आबैके प्रतिज्ञाके पुरा करैमे देरी करैछै। मगर प्रभु ओरंके देरी नैकरैछै। बल्की ऊ तोरसिके संगे धीरज धारण करैछै। कहिनेकी ऊ कक्रहौ नाश करैले नैचाहैछै। मगर सभेको पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबै आर गलत काम करना बन्द करिदै आर ओकरलगत आबी जै।


आर परमेश्वर अपनासिके यी वादा कैल्कै छे कि ऊ अपनासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


हे प्रिय दोस्तसब, आब अपनासब परमेश्वरके बेटाबेटीसब छियै, आर एखनतक यी दिखाई नैदेल्कै छे, कि अपनासब भविष्यमे केरंको हैबै। मगर एतनें जानैछियै कि जब ख्रीष्ट फेर यी संसारमे वापस ऐतै, तब अपनासब ओकरे जुगुर हैबै। कहिनेकी ऊ जेरं छै अपनासब ओकरा ओहिने देख्बै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan