Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 1:21 - केवट नया कारार

21 कहिनेकी कोनो भी भविष्यवाणी कहियो भी आदमीसे उत्पन्न नैभेलै। मगर पवित्र आत्मा आदमीसिके प्रेरित कैल्कै जब ऊसब परमेश्वरके तरफसे ऐल सन्देशके बोल्लै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 1:21
29 Iomraidhean Croise  

एत्तेतक कि दाऊद राजा, जब परमेश्वरके पवित्र आत्मा ओकरा बोलैके शक्ति देल्कै ते, ऊ कहैल्कै: ‘परमेश्वर हमर प्रभुके आपन बगलमे सम्मान आर अधिकारके पदवीमे बैठैके लिए कहैल्कै रहे, जब कि ऊ ओकर सभे दुश्मनसिके पुरा तरहसे ओकर अधिन करिदेल्कै।’


बहुते पहेला, परमेश्वर आपन पवित्र परमेश्वरके वक्तासिके द्वारा कहैल्कै कि ऊ हमरासिके हमरसिके दुश्मनसिसे आर ऊसब सभैके शक्तिसे बचैतै जे हमरासिसे घृणा करैछै।


“हे भ्या-बहिनसब, पवित्र आत्मा बहुते समय पहेला ही दाऊद राजाके द्वारा यहूदाके विषयमे बतैल्कै रहे जे कि येशूके धोखा द्याके गिरफ्तार कराबेवाला आदमीसिके अगुवा बनी गेलै। यी जरुरी रहै कि यहूदाके विषयमे धरमशास्त्रमे लिख्ल बात सच साबित है।


ऊसब एक दोसरसे असहमत भेलै आर ऊसब ओत्तेसे ज्या लाग्लै। तब पावल ओकरासिके कहैल्कै, “तोरसिके बाप-पुर्खासिके यशैया परमेश्वरके वक्ताद्वारा पवित्र आत्मा ठीके कहैल्कौ रहे,


मगर परमेश्वर सभे आपन वक्तासिके द्वारा यी बात पहलहै घोषणा करिदेल्कै रहे कि ख्रीष्टके दुःख भोगे पड्तै आर मरे पड्तै। परमेश्वर यी बातके सच साबित कैल्कै।


पवित्र आत्मा भी यी सच छै कहिके अपनासिके गवाही दैछै। प्रभु परमेश्वरके उटा प्रतिज्ञाके फेर याद कर जकर बारेमे हमे पहेला कहैलियौ रहे, जकरामे ऊ कहैल्कै,


ओहिने करिके पवित्र आत्मा धरमशास्त्रमे कहैछै, “यदि ऐज तुहेंसब परमेश्वरके आवाज सुन्भैं ते,


यी विधिसिके द्वारा पवित्र आत्मा अपनासिके यी सम्झाबैछै कि जबतक यी धर्तीपर परमेश्वरके पाल आर एकर विधिसब पालन कैल जैछै तबतक स्वर्गमे परमेश्वरके महा-पवित्रस्थानमे जैके रस्ता एखनतक नैखुल्लै छे।


ख्रीष्टके आत्मा ओकरासिमे रहै आर ओकरासिके बतैते रहै कि ख्रीष्ट केरंके दुःख सहतै आर फेर ओकरा बडका सम्मान देल जैतै। इहे ल्याके ऊसब यी पता लगाबैके कोशिश कैल्कै कि वास्तवमे ख्रीष्ट के हैतै आर यी सभे बात कहिया हैतै।


जब हमे यी बात सुन्लियै ते हमे ओकर समनामे झुकी गेलियै जे हमरसंगे बात कर्ते रहै, कहिनेकी हमे ओकर आराधना करैले जैते रहियै। मगर ऊ हमरा कहैल्कै, “तुहें हमरा गोड नैलाग। हमे खाली परमेश्वरके एकटा सेवक छियै जेरं तुहें छैं आर तोर भ्यासिके जुगुर जे येशूके द्वारा प्रकट कैल गेल सच्चा शिक्षापर विश्वास करैछै आर मानैछै। खाली परमेश्वर ही छै जकर तोरा आराधना करना चाही। कहिनेकी यी आत्मा छै जे परमेश्वरके आदमीसिके येशूके द्वारा बतैल गेल सचके घोषणा करैके योग्य बनाबैछै।”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan