Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 1:2 - केवट नया कारार

2 हमे प्रार्थना करैछियौ कि परमेश्वरके आर येशू आपनसिके प्रभुके ज्ञानमे तुहेंसब बढते जैके समयमे, परमेश्वर तोरासिके बहुतसे बहुत अनुग्रह आर शान्ति दौ।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 1:2
18 Iomraidhean Croise  

हमर पिता सभे चीज हमर हातमे देल्कै छे, बेटा के छै कहिके पिताके सिवाय आर कोय नैचिन्हैछै। पिता के छै कहिके बेटाके सिवाय आर कोय नैचिन्हैछै। आर ऊसब चिन्हैछै जकर लगत बेटा पिताके प्रकट करैके इच्छा करैछै।”


कहियो खतम नैहुएवाला जीवन यी छै, कि आदमीसब तोरा चिन्हे सकै, यानिकी खाली एक्केटा सच्चा परमेश्वरके आर ऊसब हमरा चिन्हे सकै कि तुहें हमरा, येशू ख्रीष्टके भेज्लह छे।


हमे यी चिट्ठी रोम सहरमे भेल तुहेंसब सभैके लिखैछियौ जकरा परमेश्वर प्रेम करैछै आर ओकर सन्तसब हुऐके लिए बोलैल छैं: हमे प्रार्थना करैछियौ कि आपनसिके परमेश्वर पिता आर प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ।


इहे ल्याके कि परमेश्वर कहैल्कै, “अनहारमेसे उजेत चम्कै” आर परमेश्वर उजेतके जुगुर हमरसिके मनमे समझ देल्कै, ताकी हमेसब परमेश्वरके महिमाके देखे सकियै जे येशू ख्रीष्टमे प्रकट हैछै।


मगर येशू ख्रीष्टके हमर प्रभुके रुपमे चिन्हैके कारण, जे सभे चीजसिसे मूल्यवान छै, हमे उटा सभे चीजके हानी सोच्लियै, ओकरे कारण हमे सभे चीज त्यागी देलियै, आर ऊ सभे चीजके कचरा सोच्लियै, ताकी हमे ख्रीष्टके हुए सकियै।


परमेश्वर पिता बहुते पहेला ही तोरासिके आपन आदमी बनाबैके लिए आर पवित्र आत्माके कामके द्वारा तोरासिके पवित्र बनाबैले चुनैके फैसला कैल्कै रहे। ऊ एरं इहे ल्याके कैल्कै ताकी तुहेंसब येशू ख्रीष्टके आज्ञापालन करहैं आर ओकर खूनके द्वारा शुद्ध हुए सक्हैं। हमे प्रार्थना करैछियौ कि परमेश्वर तोरासिके बहुते अनुग्रह आर शान्ति दौ।


परमेश्वर आपन शक्तिके द्वारा अपनासिके उटा सभे कुछु देल्कै छे, जे अपनासिके एकटा ईश्वरीय जीवन जियैके लिए चाही। यी सम्भव छै कहिनेकी अपनासब परमेश्वरके चिन्हैछियै आर ऊ उहे छै जे अपनासिके आपन महिमा आर नैतिक भलाइके द्वारा आपन आदमी हुऐके लिए बोलैल्कै छे।


कहिनेकी तुहेंसब ईश्वरीय स्वभावमे सामिल हुऐके लिए बन्ल छैं, तुहेंसब ख्रीष्टमे विश्वास करेवाला खाली नै मगर तुहेंसब दोसर आदमीसिके लिए सभे दिन बढियाँ काम करैके कोशिश भी करे पडैछै। तुहेंसब बढियाँ काम करेवाला खाली नै, मगर तुहेंसब समझदारी तरिकासे व्यवहार करेवाला आदमी भी बने पडैछै।


यदि यी सभे बात तोरासिमे छौ आर बढैछौ ते, यी तोरासिके आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके ज्ञानमे उपयोगी आर फलदायक हुऐमे सहायता कर्तौ।


जब आदमीसब येशू ख्रीष्टके आपन प्रभु आर उद्धारकर्ता कहिके स्वीकार करैछै, तब ऊसब संसारके दुष्टतासे भागैछै। मगर आब एकबेर फेर ऊसब खराब काम करैमे लिप्त भ्यागेलै छे आर उटा खराब कामसब ओकरासिके नियन्त्रित करैछै, सेल्याके आब ख्रीष्टके अस्वीकार करि देलके बाद ओकरसिके अन्तिम दशा ओकरसिके विश्वासी बनैसे पहेलाके स्थितिसे भी खराब भ्यागेलै छे।


मगर तोरासिके आपनसिके प्रभु आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके अनुग्रहके आरहौ बेसीसे बेसी अनुभव करना चाही आर ओकर प्रति आपन समझमे बढना चाही। ओकर महिमा एखन आर सभे दिनके लिए हैते रहै। आमेन।


हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर तोरासिके दया, शान्ति आर प्रेम प्रशस्तसे प्रदान करौ।


हमे, यूहन्ना यी चिट्ठी तुहेंसब सातटा मण्डलीसिके विश्वासीसिके लिए लिखैछियै जे एशिया प्रदेशमे छै। हमे प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके परमेश्वर तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ। ऊ उहे परमेश्वर छै जे समयके शुरुआतसे ल्याके एखनतक आर सभे दिनके लिए नैबदलैछै। आर ऊ सात आत्मासिके तरफसे, जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे छै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan