२ पत्रुस 1:12 - केवट नया कारार12 हमे तोरासिके यी बातसिके विषयमे घुरी-घुरीके याद दिलाबे चाहैछियौ, जब कि तोरासिके पहलहैसे यी बातसिके विषयमे मालुम छौ आर तुहेंसब निश्चित छैं कि यी बातसब सच छै। Faic an caibideil |
परमेश्वर जे पूर्ण रुपसे अनुग्रहकारी छै, आपनसिके ख्रीष्टके संगे भेल सम्बन्ध हुऐके कारण आपन अनन्त महिमामे अपनासिके साझेदार हुऐके लिए बोलैल्कै छे। तुहेंसब कुछु समयके लिए कष्ट भोग्लके बाद परमेश्वर तोरासिके बढियाँ बनैतौ ताकी तोरासिमे कोनो दोष नैरहौ आर येशू तोरसिके हृदयके मजगुत बनैतौ आर ओकरापर तोरसिके भरोसाके वास्तवमे स्थिर बन्या देतौ।
हमे यी छोटका चिट्ठी सिलासके सहायतासे लिख्लियै छे आर तोरासिके भेज्लियौ छे। हमे ओकरा ख्रीष्टमे एकटा विश्वासयोग्य भ्याके रुपमे मानैछियै। यी चिट्ठी लिखैके हमर मकसद तोरासिके उत्साहित करना आर निश्चित करना छै कि जे कुछु भी तुहेंसब अनुभव करैछैं उटा वास्तवमे तोरसिके प्रति परमेश्वरके अनुग्रहके हिस्सा छै। यीटा अनुग्रहमे स्थिर र।
हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके ऊ उद्धारके विषयमे लिखैके लिए सकभर कोशिश कर्ते रहियै जे येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके तरफसे आबैछै आर जकरामे अपनासब सभेको सहभागी छियै। मगर आब हमे यी चिट्ठीके द्वारा तोरासिके उत्साहित करैके दबाब महसुस करैछियै ताकी तुहेंसब ख्रीष्टियन विश्वासके पक्डीके राखैके लिए आरहौ भी कडा प्रयास कर्भैं। परमेश्वर आपन आदमीसिके लिए यी विश्वास एक्केबेर सभे दिनके लिए द्या देल्कै छे, आर एकरा बदल्ल नै ज्या सकैछै।