Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ पत्रुस 1:1 - केवट नया कारार

1 हमे, सिमोन पत्रुस तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ, हमे येशू ख्रीष्टके सेवक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमे तुहेंसब सभैके लिए लिखैछियौ जेसब आपनसिके जुगुर समान बहुमूल्य विश्वास प्राप्त कैल्कै छे, यी विश्वास आपनसिके परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा अपनासिके देल गेलै छे, जे अपनासिके परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित करैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ पत्रुस 1:1
40 Iomraidhean Croise  

बारहटा चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके नाम एरं छै: पहेला, सिमोन जकर नाम पत्रुस राखल्कै आर ओकर भ्या अन्द्रियास, जब्दियाके बेटा याकूब आर ओकर भ्या यूहन्ना,


एक दिन, गालील समुन्दरके किनार द्याके जैबेरियाँ येशू पत्रुस कहेल ज्यावाला सिमोन आर ओकर छोटका भ्या अन्द्रियासके समुन्दर किनारमे जाल फेक्ते देखल्कै, कहिनेकी ऊसब मछमारा रहै।


आर हमर आत्मा उद्धारकर्ता परमेश्वरमे आनन्द करैछै।


सेल्याके परमेश्वरके बुद्धि कहैछै, “हमे तोरसिकेलगत परमेश्वरके वक्तासब आर सन्देशवाहकसब भेज्बौ, मगर ऊसब ओकरासिमेसे ककरो जान मार्तै आर कक्रहौ सतैतै।


अन्द्रियास पत्रुसके येशूके लगत आनल्कै। येशू पत्रुसके देखिके कहैल्कै, “तुहें योआनेसके बेटा पत्रुस छैं, देख तोर नाम केफास हैतौ।” (“केफास” एकटा अरामी भाषाके नाम छै जकर मतलब “पत्थल” हैछै)


कोय अगर हमर सेवा कर्तै ते ऊ हमर चेला बनक आर तब जते हमे छियै हमर सेवक भी ओथै रहतै। जे कोय हमर सेवा करैछै, हमर पिता ओकर कदर कर्तै।”


तब येशू फेर ओकरासिके कहैल्कै, “तोरासिके शान्ति मिलौ! जेरंके पिता हमरा संसारमे भेजल्कै छे, ओहिने करिके हमे भी तोरासिके संसारमे भेजैछियौ।”


सिमोन पत्रुस एखन यी बारेमे बयान कैल्कै कि परमेश्वर केरंके शुरुमे गैर-यहूदी आदमीसिपर कृपा कैल्कै आर उहे आदमीसिके बीचमे से कुछु आदमीसिके आपन प्रजा बनैल्कै।


यी चिट्ठी हमे, पावल लिखैछियै। हमे येशू ख्रीष्टके सेवक छियै, आर चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए परमेश्वरके द्वारा चुन्ल गेलियै छे आर परमेश्वरके खुश-खबरी सुनाबैके लिए अलग कैल गेलियै छे।


हमर कहैके मतलब यी छै कि हमे तोरासिके मजगुत बनैमे सहायता कर्बौ आर तुहेंसब हमरा मजगुत बनैमे सहायता कर्भैं। तुहेंसब मजगुत भ्या जैभैं कहिनेकी तुहेंसब जानैछैं कि हमे केरं विश्वास करैछियै, आर हमे मजगुत भ्याजैबै कहिनेकी हमे जानैछियै कि तुहेंसब केरं विश्वास करैछैं।


कहिनेकी खुश-खबरीमे परमेश्वर आदमीसिके आपन नजरमे केरंके धर्मी घोषित करैछै कहिके देखाबैछै, आर धर्मी घोषित हुएवाला बात विश्वाससे ही शुरु हैछै आर विश्वाससे ही पुरा हैछै। जेरंके धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “जे आदमी परमेश्वरमे विश्वासके माध्यमसे धर्मी घोषित कैल जैछै, ऊ बचैछै।”


मगर परमेश्वर तोरासिके येशू ख्रीष्टमे एक बन्या देल्कौ छे, आर ख्रीष्टके द्वारा ऊ अपनासिके आपन बुद्धि दैछै। परमेश्वर अपनासिके धर्मी घोषित कैल्कै छे। ख्रीष्टके द्वारा अपनासब पवित्र बनैल छियै, आर ऊ अपनासिके पापसिसे छुटकारा देल्कै छे।


कहिनेकी चुन्ल आर भेज्ल चेलासिमेसे हमे कम महत्वपूर्ण छियै, एत्तेतक कि चुन्ल आर भेज्ल चेला कहलाबैके भी योग्यके नैछियै, कहिनेकी हमे परमेश्वरके मण्डलीसिके सतैलियै रहे।


हमे आपन चहेल भोजन खैके लिए आजाद छियै। हमे चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमे आपनसिके प्रभु येशूके देख्लियै छे। तुहेंसब प्रभुके लिए कैल गेल हमर सेवाके परिणाम छैं।


मगर हमेसब प्रचार करैले जारी राखैछियै कहिनेकी हमरासिमे ओहिने ही विश्वास छै जेरं भजनकारमे रहै, जेरं धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “हमे परमेश्वरपर विश्वास कैलियै, सेल्याके हमे कहैलियै।”


ख्रीष्ट, जे निष्पाप रहै, ओकरा परमेश्वर आपनसिके लिए पाप बन्या देल्कै ताकी अपनासब परमेश्वरके द्वारा धर्मी घोषित कैल जैयै कहिनेकी ख्रीष्ट आपनसिके पापसिके सजाय आपन उप्परमे ल्या लेल्कै।


कहिनेकी परमेश्वर, जे पत्रुसके यहूदी आदमीसिके बीचमे एकटा चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए नियुक्त कैल्कै, ऊ हमरा भी गैर-यहूदी आदमीसिके बीचमे चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए नियुक्त कैल्कै।


बित्ल समयमे, परमेश्वर आदमीसिके यी रहस्य प्रकट नैकैल्कै। मगर आब ऊ पवित्र आत्माके माध्यमसे आपन पवित्र चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके आर आपन वक्तासिके यी बातके खुलासा कैल्कै छे।


यी दान ख्रीष्ट ही मण्डलीके देल्कै: ऊ कुछु आदमीसिके चुन्ल आर भेज्ल चेला बनैके लिए, कुछु आदमीसिके परमेश्वरके वक्ता बनैके लिए, कुछु आदमीसिके खुश-खबरी सुनाबेवाला बनैके लिए, कुछु आदमीसिके मण्डलीके रेख-देख करेवाला बनैके लिए आर कुछु आदमीसिके शिक्षक बनैके लिए चुनल्कै।


आपनसिके एक्केटा प्रभु छै, जकरापर अपनासब विश्वास करैछियै, खाली ख्रीष्टके नाम पर ही अपनासिके बप्तिस्मा देल गेलै छे।


यी चिट्ठी हमे, पावल आर तिमोथीके तरफसे छै, जेसब येशू ख्रीष्टके दास छै। हमे यी चिट्ठी फिलिप्पी सहरके मण्डलीके देख-रेख करेवाला आर मण्डलीके सेवक सहित परमेश्वरके आदमीसिके लिखैछियै।


कहिनेकी परमेश्वर तोरासिके खाली ख्रीष्टमे विश्वास करैके ही नै मगर ओकरामे विश्वास करैके कारणसे दुःख भोगैके अवसर भी देल्कौ छे।


ताकी हमे ओकरामे एक भ्याके जिये सकियै। हमर धर्मी घोषित होना मूसाके विधि-विधानप्रतिके हमर आज्ञाकारितामे आधारित नैछै, मगर हमर धर्मी घोषित होना इहे छै, जे परमेश्वर ख्रीष्टमे भेल हमर विश्वासके कारणसे देल्कै छे।


हमरा तोर मयाँके येशू ख्रीष्टमे सच्चा विश्वासके याद आबैछै। तोर नानी लोइसके भी ओहिने विश्वास रहै, आर हमरा निश्चय छै कि ऊ विश्वास तोरामे भी छै।


हमे, पावल, यी चिट्ठी तोरा लिखैछियौ। हमे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमरा परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके विश्वासके मजगुत बनाबैके लिए आर ओकरासिके येशू ख्रीष्टके सच्चाई बुझाबैले सहायता करैके लिए हमरा नियुक्त कैल छै ताकी ऊसब परमेश्वरके खुश बनाबेवाला जीवन जिये सकै।


तीतस तुहें जे हमर आपने बेटाके जुगुर छैं कहिनेकी तुहें भी ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर पिता आर आपनसिके उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ।


हमेसब एरंके व्यवहार करैछियै जब आपनसिके आशा कैल उटा सुन्दर दिनके लिए हमेसब उम्मीदके साथ इन्तजार करैछियै: उटा दिन जब आपनसिके महान परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट आपन सारा महिमाके साथ धर्तीपर फेर वापस ऐतै।


हमे, याकूब यी चिट्ठी लिखैछियै। हमे परमेश्वर आर प्रभु येशू ख्रीष्टके सेवक छियै आर सभे देशसिमे छिरियाके रहेल यहूदी विश्वासीसिके जे बारह कुलसिके छै, तोरासिके हमर नमस्कार!


हमे, पत्रुस, जे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै, यी चिट्ठी लिखैछियै। हमे यी चिट्ठी परमेश्वरके चुन्ल ऊ आदमीसिके लिखैछियै जे पोन्टस, गलातिया, कापाडोकिया, एशिया प्रदेश आर बेथानियाँ प्रदेशके अलग-अलग सहरमे परदेशीसिके जुगुर रहैछै।


यी तकलीफसिके मकसद यी देखाबैके लिए छै कि तुहेंसब सचमे परमेश्वरमे भरोसा राखैछैं या नैराखैछैं। येशू ख्रीष्टमे भेल तोरसिके विश्वास सोनासे भी मूल्यवान छौ। जेरंके नाश हुएवाला सोनाके आगिनसे जाँच्ल जैछै आर शुद्ध बनैल जैछै, ओहिने करिके यदि तोरसिके विश्वास अग्निमय परीक्षासिके द्वारा जाँच्ल गेलके बाद भी मजगुत रहैछौ ते, यी येशू ख्रीष्ट फेर वापस आबैके दिनमे तोरासिके बहुते प्रशंसा, महिमा आर सम्मान दिलैतौ।


यी पत्थल तोरसिके लिए बहुते किमती छौ जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं। मगर जे आदमीसब ओकरापर विश्वास नैकरैछै ओकरसिके विषयमे धरमशास्त्र कहैछै कि, “राज मिसतिरीसब जेटा पत्थलके प्रयोग करैसे इन्कार करिदेल्कै, उटा पत्थल इमारतके जगके सभैसे महत्वपूर्ण पत्थल बनी गेलै छे।”


कुछु एरं बातसब छै जे हमे ओत्ते भेल मण्डलीके अगुवासिके कहैले चाहैछियै कहिनेकी हमे भी तोरसिके जुगुर एकटा मण्डलीके रेख-देख करेवाला छियै। हमे खुद उटा दुःखसिके देख्लियै छे जे बहुते समय पहेला ख्रीष्ट सहैल्कै। जब ऊ फेर वापस ऐतै ते, हमे भी ओकर महिमामे सामिल हैबै। आब हमे तोरासिके आग्रह करैछियौ,


उहे शक्तिशाली सामर्थ्यके द्वारा ऊ अपनासिके सभे बहुते बढियाँ आर अदभुद प्रतिज्ञासब देल्कै छे। इहे प्रतिज्ञासब ही संसारके दुष्ट मानव इच्छासिसे बचाबैछै आर ईश्वरीय स्वभावमे सामिल बनाबैछै, जे ख्रीष्टमे विश्वास नैकरेवाला आदमीसब करैले नैचाहैछै।


हमे, यहूदा, तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ। हमे येशू ख्रीष्टके एकटा सेवक आर याकूबके छोटका भ्या छियै। हमे तोरासिके लिखैछियौ, जकरासिके परमेश्वर आपन उप्परमे विश्वास करैके लिए बोलैल्कौ छे। हमरसिके परमेश्वर पिता तोरासिसे प्रेम करैछौ आर तोरासिके येशू ख्रीष्टमे सुरक्षित राखैछौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan