3 हमे प्रार्थना करैछियौ कि परमेश्वर पिता आर ओकर बेटा येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह, कृपा आर शान्ति दौ। यी सभे आपनसिके लिए छै, जे सच्चाईके पालन करैछै आर एक दोसरके प्रेम करैछै।
कहिनेकी यदि अपनासब ख्रीष्ट येशूके संगे एक छियै ते आपनसिके खतना भेल छै या नैभेल छै यी बात महत्वपूर्ण नैछै। मगर महत्वपूर्ण बात यी छै कि अपनासब ख्रीष्टके आपन उद्धारकर्ताके रुपमे विश्वास करैछियै, आर परमेश्वर आर दोसर आदमीसिके प्रति प्रेम राखैछियै।
आपनसिके प्रभु हमरा ओकर अपार अनुग्रह निरन्तर देखैल्कै। ऊ हमरा विश्वास करैके क्षमता आर दोसर आदमीसिके प्रति प्रेम देल्कै कहिनेकी हमे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे रहियै।
सुनिश्चित कर कि तुहें आपन आदर्शके रुपमे ऊ सच्चा शिक्षाके सुरक्षित राख जे तुहें हमरासे सुन्लहैं। एरंको विश्वास आर प्रेमके साथ कर कहिनेकी तुहें येशू ख्रीष्टके संगे एकतामे छैं।
सच्चा प्रेम यी छै: यी आपनसिके द्वारा परमेश्वरके कैल प्रेम नैछै मगर परमेश्वर अपनासिके कैल प्रेम छै। परमेश्वर आपन बेटाके आपनसिके पापके सजायसिके मेटाबैके लिए प्रायश्चितके बलिदानके रुपमे भेजल्कै।