१ तिमोथी 6:9 - केवट नया कारार9 मगर मातबर हुऐके इच्छा करेवाला आदमीसब सभे किसिमके पाप करैके लिए आसानीसे धोखा खैछै, आर जानवरके जुगुर फाँसमे फसैछै। ऊसब ऊ चीजसब करैले चाहैछै जे ओकरसिके लिए मूर्खतापूर्ण आर खतरनाक छै आर यी इच्छा ओकरासिके बर्बादीके तरफ ल्याजैतै आर नाश करि देतै। Faic an caibideil |
हमरासिके यी भी मालुम छै कि मूसाके विधि-विधान परमेश्वरके नजरमे सही भेल आदमीसिके लिए नैछै मगर परमेश्वरके विधि-विधानके बेवास्ता करिके जानी-जानीके आज्ञा नैमानेवाला आदमीसिके लिए, आर परमेश्वरके आराधना नैकरेवाला आर निरन्तर पाप करेवाला आदमीसिके लिए, आर परमेश्वरके सम्मान नैकरेवाला दुष्ट आदमीसिके लिए, आर आपन मयाँ-बाबुके आर दोसर आदमीसिके जान मारेवाला आदमीसिके लिए छै।
ओकरासिके बहुते भयानक हैतै! कहिनेकी ऊसब कयिनके जुगुर दुष्टतासे आपन जीवनके चलाबैछै, जे आपन छोटका भ्याके जान मारि देल्कै कहिनेकी ऊ ओकरासे जर्नी कर्ते रहै। कहिनेकी परमेश्वर ओकर छोटका भ्याके द्वारा चढैल बलिदानके स्वीकार कैल्कै रहे मगर ओकर चढैल बलिदानके स्वीकार नैकैल्कै रहे। ऊसब बालामके जुगुर छै, जे परमेश्वरके आदमीसिके पाप करैके लिए उक्साबैके कोशिश कैल्कै, ताकी ऊ, उटा दौलतके हासिल करे सकै जकर पेशकश ओकरा कैल गेलै रहे। ऊसब कोरहके जुगुर नाश भ्याजैतै, जेसब उटा अधिकारके विरुद्ध विद्रोह कैल्कै जे अधिकार परमेश्वर मूसाके देल्कै रहे।