6 मगर हमरसिके लिए यी बढियाँ छै कि अपनासब उटा काम करियै जे परमेश्वरके खुश करैछै आर ओकरामे सन्तोष करियै जे परमेश्वर अपनासिके दैछै।
तब येशू ओत्ते जमा भेल आदमीसिके कहैल्कै, “होशियार र! सभे किसिमके लोभ-लालचसे अपने आपके बच्याके राख, कहिनेकी आदमी जतनें भी ढेर मातबर कहिने नैहुए ओकर धन-दौलत ओकरा सच्चा जीवन दिए नैसक्तै।”
अहिने करिके सिपाहीसब पुछल्कै, “आब हमेसब कि करियै?” यूहन्ना कहैल्कै, “ककरो उप्पर अत्याचार करिके आर झुट्ठा दोष लग्याके पैसा नैले। मगर आपन दरमाहामे सन्तुष्ट र।”
हमेसब जानैछियै कि परमेश्वरके प्रेम करेवाला आदमीसब आर परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके लिए परमेश्वर ओकरसिके लिए आपन मकसदके मुताबिक सभे चीजमे भलाइये करैछै।
कहिनेकी हमरसिके समस्या छोटका छै आर बहुते लम्बा समयतक नैरहतै। कहिनेकी एकर परिणाम कहियो खतम नैहुएवाला महिमा हैतै, जे ऊ सभैसे बहुते बेसी हैतै जकर हमेसब कल्पना करे सकैछियै।
हमे जिबै ते, यी ख्रीष्टके आदरके लिए हैतै। जब हमे मरैछियै, ऊ हमर लिए उत्तम हैतै कहिनेकी तब हमे ख्रीष्टके संगे हैबै।
कहिनेकी शारीरिक कसरत तोरसिके शरीरके फैदा कर्तौ, मगर भक्ति सभे प्रकारसे फैदाके हैछै, कहिनेकी यी बात धर्तीमे जिन्दा रहैके समयमे आर मर्लके बाद भी इनामके प्रतिज्ञा करैछै।
मगर यदि आपनसिके लगत खैले खाना आर लगाबैले कपडा छै ते अपनासिके ओक्रहैमे सन्तोष करना चाही।
आपन जीवनके धन-दौलतके लालचसे मुक्त राख आर जे तोरसिकेलगत छौ ओक्रहैमे सन्तुष्ट र, कहिनेकी परमेश्वर खुद ही कहैल्कै छे, “हमे तोरासिके कहियो भी नैछोड्बौ, आर कहियो भी तोरासिके नैत्याग्बौ।”