Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 6:5 - केवट नया कारार

5 ओकरसिके दिमाग दुष्ट शंकासे भर्ल छै, आर ऊसब निरन्तर दोसर आदमीसिके संगे वाद-विवाद करैछै, आर ऊसब आब नै समझे सकैछै कि सच्चाई कि छै। ऊसब सोचैछै कि परमेश्वरके बारेमे शिक्षा देना पैसा कमाबैके रस्ता छै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 6:5
34 Iomraidhean Croise  

“अगर एकटा गाछ बढियाँ छै ते, ओकर फल भी बढियाँ हैतै। अगर एकटा गाछ खराब छै ते, ओकर फल भी खराब हैतै। कहिनेकी फलसे ही गाछ चिन्हल जैछै।


ऊ ओकरासिके कहैल्कै, धरमशास्त्रमे एरं लिख्ल छै, “हमर घर प्रार्थनाके घर कहलैल जैतै। मगर तुहेंसब एकरा डकेतसिके अड्डाके रुपमे इस्तमाल करैछैं।”


“हे यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब आर फरिसी समूहके आदमीसब, तोरसिके लिए यी बहुते भयानक हैतौ! हे ढोंगीसब! कहिनेकी तुहेंसब आदमीसिके लिए परमेश्वरके राज्यके केबाड बन्द करैछैं। तुहेंसब आपनहौं भी भितर नैढुकैछैं, आर ढुके चाहेवालाके भी भितर ढुकैले नैदैछैं।


यदि कोनो आदमी हमर बातसे असहमत छै ते, यी बात जानी लै कि हमेसब आर परमेश्वरके दोसर मण्डलीसिके लगत एकर अलावा कोनो दोसर रिवाज नैछै।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमरसिके प्रभु येशू ख्रीष्टसे मिल्ल अधिकारसे हमेसब तोरासिके आज्ञा दैछियौ कि कोनो एरंको संगी विश्वासीसे संगत नैकर जे हमरसिके सिखैल शिक्षाके आज्ञापालन नैकरैछै।


झुट्ठा शिक्षकसब यी सभे बात करैले छोडल्कै छे आर खाली बेकारके बातसब करैछै।


ऊसब बेसी नशा करेवाला आदमी आर मार-पीट करेवाला आदमी नै होना चाही। ऊसब दयालु, धीरजी आर शान्त आदमी होना चाही, आर ऊसब वाद-विवाद नैकरेवाला, आर पैसाके लालच नैकरेवाला आदमी होना चाही।


अहिने करिके, मण्डलीके सेवकसब आदर पाबैके योग्यके होना चाही। ऊसब इमानदार होना चाही, आर बेसी नशा करेवाला नै होना चाही। ऊसब दोसर आदमीसिके धोखा द्याके रुपिया-पैसा कमाबेवाला नै होना चाही।


परमेश्वरके अनादर करेवाला बनौटी आर मूर्ख खिसासिसे पुरा रुपसे अलग र, आर ईश्वरीय जीवन बिताबैके लिए अपने आपके निरन्तर तालिम दहैं।


कहिनेकी शारीरिक कसरत तोरसिके शरीरके फैदा कर्तौ, मगर भक्ति सभे प्रकारसे फैदाके हैछै, कहिनेकी यी बात धर्तीमे जिन्दा रहैके समयमे आर मर्लके बाद भी इनामके प्रतिज्ञा करैछै।


मगर हमरसिके लिए यी बढियाँ छै कि अपनासब उटा काम करियै जे परमेश्वरके खुश करैछै आर ओकरामे सन्तोष करियै जे परमेश्वर अपनासिके दैछै।


ऊसब परमेश्वरके भक्त हुऐके देखावा कर्तै, मगर ऊसब खुदके भक्त बनाबे सकेवाला शक्तिके इन्कार कर्तै। एरंको आदमीसिके संगे संगत नैकर।


यी झुट्ठा शिक्षकसब ख्रीष्टके सच्चा सन्देशके प्रचार करैसे रोकैके कोशिश करैछै, जेरं यान्नेस आर याम्ब्रेस मूसाके विरोध कैल्कै रहे। ओकरसिके दिमाग भ्रष्ट छै आर ऊसब आपन विश्वासके अनुसरण करैमे असफल भेल छै।


एरंको आदमीसिके सिखाबैले अनुमति नैदहैं, कहिनेकी ऊसब झुट्ठा शिक्षा सिख्याके पुरा परिवारके विश्वासके बर्बाद करैछै। ऊसब एरंको झुट्ठा शिक्षा पैसा कमाबैके लिए सिखाबैछै।


ऊसब उटा काम करैले छोडी देल्कै छे, जे सही छै आर ऊसब ओहिने प्रकारके खराब काम करैले शुरु करिदेल्कै छे, जे कि बओरके बेटा बालाम बहुते समय पहेला कैल्कै रहे। ऊ गलत काम करिके पैसा कमाना पसन्द कैल्कै।


यीसब लोभी हैतै आर ऊसब बन्ल बनैल कहानीसब सुन्याके तोरासिके धोखा देतौ ताकी तोरासिसे पैसा कमाबे सकै। परमेश्वर बहुते समय पहेला ही फैसला करि लेल्कै रहे कि ऊ ओकरासिके सजाय देतै आर ऊ एरं करैके लिए तैय्यार छै। परमेश्वर जरुर ओकरासिके नाश करि देतै।


ओकरासिके बहुते भयानक हैतै! कहिनेकी ऊसब कयिनके जुगुर दुष्टतासे आपन जीवनके चलाबैछै, जे आपन छोटका भ्याके जान मारि देल्कै कहिनेकी ऊ ओकरासे जर्नी कर्ते रहै। कहिनेकी परमेश्वर ओकर छोटका भ्याके द्वारा चढैल बलिदानके स्वीकार कैल्कै रहे मगर ओकर चढैल बलिदानके स्वीकार नैकैल्कै रहे। ऊसब बालामके जुगुर छै, जे परमेश्वरके आदमीसिके पाप करैके लिए उक्साबैके कोशिश कैल्कै, ताकी ऊ, उटा दौलतके हासिल करे सकै जकर पेशकश ओकरा कैल गेलै रहे। ऊसब कोरहके जुगुर नाश भ्याजैतै, जेसब उटा अधिकारके विरुद्ध विद्रोह कैल्कै जे अधिकार परमेश्वर मूसाके देल्कै रहे।


आर ओकरामे दालचिनी, सभे किसिमके मसल्ला, गमकौव्वा तेल, मुर्र, उजरा धुप, अंगुरके मद्द आर तेल, मैदा आर गहुम, ग्या-माल, भेंडासब, घोडासब आर रथसब रहै। आर जे आदमीसब चीजसब किनैछै आर बेचैछै ऊसब आब आदमीसिके दासके रुपमे कहियो बेचे नैसक्तै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan