Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 6:18 - केवट नया कारार

18 ओकरासिके बहुते बढियाँ कामसब करैके लिए कहैं। ऊसब बढियाँ काम करैमे मातबर हुए पडैछै आर जरुरत पडल आदमीसिके उदारताके साथ दै आर ओकरसिके संगमे जे छै से चीजसब बाँट-चुट कर्ते रहै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 6:18
38 Iomraidhean Croise  

अगर कोय तोरासे कुछु माँगैछौ ते ऊ चीज ओकरा दहैं। तोरसे पहिंच उधारी माँगेवालाके इन्कार नैकरिहैं।


अहिने ही ऊ आदमीके संगे हैतै जे सभे कुछु आपन लिए जमा करैछै, मगर परमेश्वरके सेवा करैके लिए आपन क्षमतासिके आर धन-दौलतसिके उपयोग नैकरैछै।”


यूहन्ना जबाब देल्कै, “जकरा दीटा कमिज छै, ऊ एकटा तकरा दहैं जकरा नैछै, आर जकर लगत ख्यावाला चीज छै उहो ओहिने कर।”


परमेश्वर कोन तरहसे नासरत गाँवके निवासी येशूके पवित्र आत्मा आर शक्तिसे अभिषेक कैल्कै। आर कोन तरहसे ऊ सभे जगहमे घुमि-घुमिके भलाइके काम कर्ते रहै आर शैतानसे सतैल आदमीसिके ठीक करि देते रहै, कहिनेकी परमेश्वर ओकर संगमे रहै।


तब चेलासब सभेकोय आपन-आपन क्षमताके मुताबिक यहूदिया प्रदेशमे रहेवाला ख्रीष्टके सभे विश्वासी भ्या-बहिनसिके लिए सहायता दियैके निर्णय कैल्कै।


योप्पा सहरमे तबीता नामके एकटा विश्वासी जनानी चेला रहै। यूनानी भाषामे ओकर नाम डोरकास छै, जकर मतलब छै “हरिण।” ऊ हरदम दोसराके भलाइ करै आर गरिब-गुरुवा आदमीसिके सहायता करै।


विश्वासीसिके जरुरी पडल चीजके लिए सहायता कर। मैजमानके स्वागत सत्कार कर्ते र।


यदि कक्रहौ उपदेश दिएवाला वरदान मिल्लै छे ते, ऊ उपदेश दियैके काममे लाग्ल रहक। यदि कक्रहौ दोसरसिके जरुरतके पुरा करैके वरदान मिल्लै छे ते, ऊ खुल्ला दिलसे दक। यदि कक्रहौ अगुवाई करैके वरदान मिल्लै छे ते, ऊ गम्भीरताके साथ करक। यदि कक्रहौ दयाके काम करैके वरदान मिल्लै छे ते, ऊ खुशीके साथ करक।


हरेक ऐतबारके दिन तोरासिमेसे सभेको आपन-आपन कमाइके मुताबिक कुछु दान अलग करिके राखिहैं, ताकी जब हमे ऐबै ते तोरासिके दान जमा करैले नैपडौ।


कहिनेकी यदि ककरो मनमे दोसर आदमीसिके दान दियैके विचार छै ते जे कुछु ओकरलगत छै ओकरे आधारपर ओकर दान स्वीकार योग्य हैतै नै कि एकर आधारपर जे ओकरलगत नैछै।


तुहेंसब आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके अनुग्रहके जानैछैं, कि ऊ मातबर भ्याके भी तोरसिके खातिर गरिब बन्लै ताकी ओकर गरिबीसे तुहेंसब मातबर हुए सक्हैं।


सेल्याके मौका पाबै तक अपनासब सभे आदमीसिके संगे भलाइ कर, विशेष करिके ख्रीष्टमे विश्वासी भ्या-बहिनसिके लिए।


चोरी करेवाला आदमी आब चोरी नैकरक। मगर ऊ मेहनत करक कि ऊ आपन हातसे कैल उपयोगी कामसिके द्वारा जरुरतमे पडल दोसर आदमीसिके भी सहायता करे सकै।


आर दोसर आदमीसिके यी बातके पुष्टि करना चाही कि ऊ सभे दिन बढियाँ काम कैल्कै छे, उदाहरणके लिए, आपन बालबच्चासिके बढियाँसे देखभाल कैल, यात्रा करेवाला आदमीसिके आपन घरमे स्वागत कैल, नम्र भ्याके नोकरके जुगुर विश्वासीसिके सेवा कैल, आर दुःखमे पडल आदमीसिके सहायता कैल होना चाही। ऊ अपने आपके सभे तरहके बढियाँ काम करैके लिए खुदके समर्पण कैल होना चाही।


उहे येशू ख्रीष्ट अपनासिके सभे पापसे छुटकारा दिलाबैके लिए आर नैतिक रुपसे शुद्ध बनाबैके लिए खुदके बलिदान कैल्कै ताकी अपनासब ओकर आपन विशेष आदमीसब बने सकियै जेसब बढियाँ काम करैके बडका इच्छा राखैछै।


हमरद्वारा उप्परमे लिख्ल यी बात सही छै आर एकरापर भरोसा कैल ज्या सकैछै, आर हमे चाहैछियै कि जब तुहें विश्वासीसिके यी बातसब सिखाबैछैं यी बातसिके निरन्तर जोड दहैं। ताकी जेसब परमेश्वरपर विश्वास कैल्कै छे, ऊसब बढियाँ कामसब करैके लिए आपन समय दियैके लिए मन लगाबै। यी शिक्षासब सभैके लिए बढियाँ आर फैदाके छै।


मगर भलाइ करना आर जे कुछु तोरसिकेलगत छौ, ओकरा जरुरत पडल आदमीसिके संगे बाँटचुट कर, कहिनेकी परमेश्वर एरं बलिदानसिसे खुश हैछै।


हे हमर प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, ध्यान दहैं। परमेश्वर ऊ आदमीसिके चुनल्कै छे, जे संसारके नजरमे गरिब छै ताकी ऊसब विश्वासमे मातबर भ्याजै आर उटा राज्यके हकवाला बनै, जकरा परमेश्वरके प्रेम करेवाला आदमीसिके दियैके वादा कैल्कै छे।


ओकरा निश्चय ही खराब काम करैले बन्द करि देना चाही, एकर बदलामे ओकरा उहे करना चाही जे बढियाँ छै, दोसर आदमीसिके संगे शान्तिमे रहैके लिए कडा मेहनत करना चाही।


मगर यदि ककरो लगत संसारके धन-दौलत छै तैय्योपर भी आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिके जरुरतमे पड्ल देखिके ओकरासिके सहायता करैले इन्कार करैछै ते, परमेश्वरके प्रेम ओकरामे केरंके बास करे सकैछै?


हे प्रिय दोस्त, खराब काम करेवाला आदमीके देख-सिख्खा नैकर, मगर भलाइके काम करेवाला आदमीके अनुसरण कर। जे कोय बढियाँ काम करैछै, यी बात यी देखाबैछै कि ऊ परमेश्वरके बेटा-बेटी छै। जे कोय खराब काम करैछै, यी बात देखाबैछै कि ऊ परमेश्वरके नैचिन्हैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan