१ तिमोथी 6:13 - केवट नया कारार13 सभैके जीवन दिएवाला परमेश्वरके आर पन्तियस राज्यपाल पिलातसके समनामे मुकदमा चलैके समयमे दृढताके साथ बोलेवाला येशू ख्रीष्टके गवाह बन्याके हमे तोरासिके आज्ञा दैछियौ, Faic an caibideil |
जेरंके एकटा बढियाँ सिपाही युद्धमे लडाई करैके समयमे कहियो हार नैमानैछै, तुहेंसब भी परमेश्वरमे भरोसा राखैले आर ओकर आज्ञापालन करैले कहियो भी नैछोडना चाही। कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके पक्डीके राख्, जकर खातिर तोरा बुलाहट भेल रहौ, आर बहुते आदमीसिके समनामे तुहें ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं कहिके साफ कहलहैं रहे।
आर येशू ख्रीष्टके तरफसे जकर वचनपर भरोसा कैल ज्या सकैछै। उहे ही छै जे मुर्दासे फेरसे जिन्दा भेलै आर ऊ यी संसारके सभे राजासिके शासक छै। ऊ आपनसिसे प्रेम करैछै आर ऊ आपन खून बहयाके अपनासिके आपनसिके पापसिसे बचाबैछै। ऊ अपनासिके एरंको समूहके आदमी बन्या देल्कै छे, जकर परमेश्वर ओकरसिके राजा छै आर ऊ अपनासिके परमेश्वर ओकर पिताके लिए पुजारी बन्या देल्कै छे। ओकरा आदर आर अधिकार सभे दिन आर हर समय मिल्ते रहै। आमेन।
तब ऊ हमरा कहैल्कै, “आब सभे कुछु समाप्त भ्यागेलै छे। हम्हीं छियै जे सभे चीजसिके शुरुआत कैलियै आर हम्हीं छियै जे सभे चीजसिके समाप्त कर्बै। हमे उहे परमेश्वर छियै जे समयके शुरुआतसे ल्याके एखनतक आर सभे दिनके लिए नैबदलैछियै। जे कोय भी प्यास्ल छै, हमे ओकरा उटा पानीके मोकासे फोकटमे पानी पियैके लिए देबै जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै।