Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 6:12 - केवट नया कारार

12 जेरंके एकटा बढियाँ सिपाही युद्धमे लडाई करैके समयमे कहियो हार नैमानैछै, तुहेंसब भी परमेश्वरमे भरोसा राखैले आर ओकर आज्ञापालन करैले कहियो भी नैछोडना चाही। कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके पक्डीके राख्, जकर खातिर तोरा बुलाहट भेल रहौ, आर बहुते आदमीसिके समनामे तुहें ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं कहिके साफ कहलहैं रहे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 6:12
39 Iomraidhean Croise  

परमेश्वरके सच्चाईके वचनमे आर ओकर शक्तिमे, हमेसब धार्मिकताके हतियारसब दहिना हातमे हमलाके लिए आर बायाँ हातमे बचावके लिए प्रयोग करैछियै।


दोसर आदमीसिके सहायता करैके लिए धन दियैके यी सेवा देखाबैछै कि तुहेंसब आपन प्रतिज्ञा पुरा कैल्हैं छे सेल्याके बहुते आदमीसब परमेश्वरके महिमा करैछै कहिनेकी तुहेंसब स्वीकार कैल्हैं कि ख्रीष्टके खुश-खबरी सच छै आर आब तुहेंसब आपन वचनके पालन करैछैं आर ओकरसिके आर सभैके सहायता करैमे उदारता प्रकट कर्ते रहैछैं।


आर उहे संघर्ष जे तुहेंसब हमरामे पहेला देख्लहैं जब हमे तोरसिके संगे फिलिप्पी सहरमे रहियै आर जेरं दुःखके विषयमे तुहेंसब एखन सुनैछैं, ओरंको दुःख हमरा एखन आरहौ भी एत्ते जेलमे छै।


ख्रीष्टके द्वारा मिलेवाला शान्ति तोरसिके हृदयमे राज्य करौ। कहिनेकी तुहेंसब एक्केटा शरीरके अलग-अलग भागसब छैं। सेल्याके तुहेंसब एक दोसरामे शान्तिके साथ जियैके लिए बोलैल छैं। आर परमेश्वरके निरन्तर धन्यवाद दिएवाला बन।


तुहेंसब परमेश्वरके खुश करेवाला जीवन जी, जे तोरासिके आपन राज्य आर महानतामे बोलाबैछौ।


परमेश्वर हमरसिके प्रचार कैल खुश-खबरीके तोरासिके उद्धार पाबैके लिए प्रयोग कैल्कै ताकी आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके आदरमे तुहेंसब भी सामिल हुए सक्हैं।


तिमोथी तुहें जे हमर बेटाके जुगुर छैं, हमर देल आदेशसब यी छै: हमे तोरासे बिन्ती करैछियौ कि परमेश्वरके वक्तासब पहेला तोर विषयमे कहेल बात याद कर। ऊ झुट्ठा शिक्षकसिके विरुद्धमे खुश-खबरीके सच्चाईके लिए बढियाँसे लडैके लिए उटा शब्दसब प्रयोग कर।


तुहें निरन्तर ख्रीष्टमे विश्वास कर आर साफ विवेक राख। कुछु आदमीसब साफ विवेकके इन्कार कैल्कै छे। नतिजा स्वरुप ऊसब आब ख्रीष्टमे विश्वास नैकरैछै।


जब मण्डलीके अगुवासिके समूह तोरसिके उप्परमे हात राखल्कौ आर परमेश्वर तोरासिके विशेष क्षमताके विषयमे बताबैके लिए सन्देश देल बात याद कर। यी क्षमताके बेवास्ता नैकर।


सभैके जीवन दिएवाला परमेश्वरके आर पन्तियस राज्यपाल पिलातसके समनामे मुकदमा चलैके समयमे दृढताके साथ बोलेवाला येशू ख्रीष्टके गवाह बन्याके हमे तोरासिके आज्ञा दैछियौ,


एरं करिके, ऊसब आपन लिए खजानाके जुगुर ओकर बढियाँ कामसब जमा कर्तै, जे स्वर्गमे ओकरसिके भविष्यके जीवनके लिए मजगुत आधार हैतै ताकी ऊसब परमेश्वरके चहेल जेरं निश्चित रुपसे आपन सच्चा जीवनके अनुभव करे सकै।


ऊ अपनासिके बचैल्कै आर अपनासिके एकटा पवित्र जीवन जियैके लिए बोलैल्कै छे, आर अपनासब बढियाँ काम करैके कारणसे ऊ अपनासिके नैचुनल्कै छे, मगर ओकर आपन योजना आर अनुग्रहके आधारमे छै। यी संसारके सृष्टि हुऐसे पहेला ही परमेश्वर येशू ख्रीष्टके आपनसिके लिए मरैके लिए भेजिके आपन अनुग्रह अपनासिपर देखाबैके योजना बन्या लेल्कै रहे।


तुहें हमरा बहुते आदमीसिके समनामे ख्रीष्टके विषयमे सन्देश सिखैते सुन्लहैं छे। सेल्याके, हमे चाहैछियै कि तुहें भी आपन भरोसा कैल दोसर विश्वासीसिके इहे सन्देश सिखा, आर ऊ विश्वासीसब भी दोसर विश्वासीसिके इहे सन्देश सिखाबैके योग्य हैतै।


जेरंके एकटा बढियाँ सिपाही युद्धमे लडाई करैके समयमे कहियो हार नैमानैछै, हमे भी ख्रीष्टके लिए कडा मेहनत करैले कहियो भी नैछोडलियै छे। हमे येशू ख्रीष्टके द्वारा हमरा देल काम पुरा कैलियै छे। हमे अन्ततक ख्रीष्टके प्रति विश्वासयोग्य भेल छियै।


तोरासिके यी बात मालुम कराबे चाहैछियौ कि आपनसिके विश्वासी भ्या तिमोथी जेलसे छोडी देल गेलै छे। अगर ऊ जल्दी ऐतै ते, हमे ओकरसंगे तोरसिके भेट करैले ऐबौ।


कहिनेकी यदि अपनासब अन्ततक दृढताके साथ आपन शुरुआतके विश्वासके थामिके राखैछियै ते, अपनासब ख्रीष्टके संगे सहभागी भ्या जैछियै।


आब एत्ते दीटा बात छै, ओकर प्रतिज्ञा आर ओकर कसम, जे कहियो नै बदले सकैछै आर जकर बारेमे परमेश्वर कहियो झुठ नैकहे सकैछै। सेल्याके अपनासब जेसब परमेश्वरके लगत सुरक्षा पाबैके लिए ऐलियै छे आर जे आशा ऊ अपनासिके देल्कै छे, ओकरा थाम्ले छियै आर बहुते उत्साहित छियै।


खराबीके बदला खराबी नैकरेवाला आर अपमानके बदला अपमान नैकरेवाला, बरु ओकर बदलामे आशीर्वाद दिएवाला हु, कहिनेकी दोसर आदमीसिके आशीर्वाद दियैके लिए परमेश्वर तोरासिके बोलैल्कौ छे। यदि तुहेंसब एरं कर्भैं ते, परमेश्वर तोरासिके भी आशिष देतौ।


परमेश्वर जे पूर्ण रुपसे अनुग्रहकारी छै, आपनसिके ख्रीष्टके संगे भेल सम्बन्ध हुऐके कारण आपन अनन्त महिमामे अपनासिके साझेदार हुऐके लिए बोलैल्कै छे। तुहेंसब कुछु समयके लिए कष्ट भोग्लके बाद परमेश्वर तोरासिके बढियाँ बनैतौ ताकी तोरासिमे कोनो दोष नैरहौ आर येशू तोरसिके हृदयके मजगुत बनैतौ आर ओकरापर तोरसिके भरोसाके वास्तवमे स्थिर बन्या देतौ।


आर परमेश्वर अपनासिके यी वादा कैल्कै छे कि ऊ अपनासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके ऊ उद्धारके विषयमे लिखैके लिए सकभर कोशिश कर्ते रहियै जे येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके तरफसे आबैछै आर जकरामे अपनासब सभेको सहभागी छियै। मगर आब हमे यी चिट्ठीके द्वारा तोरासिके उत्साहित करैके दबाब महसुस करैछियै ताकी तुहेंसब ख्रीष्टियन विश्वासके पक्डीके राखैके लिए आरहौ भी कडा प्रयास कर्भैं। परमेश्वर आपन आदमीसिके लिए यी विश्वास एक्केबेर सभे दिनके लिए द्या देल्कै छे, आर एकरा बदल्ल नै ज्या सकैछै।


उटा शिक्षाके याद कर जे तुहें बहुते पहेला सुन्लहैं रहे आर विश्वास कैल्हैं रहे। जे तोरा सिखैल गेलौ रहे ओकर अनुसरण कर, पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा। यदि तुहें गलत काम कर्ते रहैछैं ते हमे अचानक ऐबौ, जेरंके रातके समयमे चोर आबैछै आर तुहें उटा समयके भी नैजाने सक्भैं जब हमे तोरा सजाय दियैके लिए आबी जैबौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan