Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 6:11 - केवट नया कारार

11 मगर तिमोथी, तुहें परमेश्वरके सेवा करेवाला आदमी छैं, तोरा यी सभे चीजसिके करैसे दूर रहना चाही, जे सही छै खाली ओकरा करैके लिए हर सम्भव कोशिश कर। परमेश्वरके आदर दिएवाला जीवन जी। ख्रीष्टमे भरोसा राख। दोसर आदमीसिके प्रेम कर। परमेश्वरके आज्ञापालन करैके लिए कठिन परिस्थितीसिमे स्थिर र। दोसर आदमीसिके संगे भला आदमी बन।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 6:11
40 Iomraidhean Croise  

सेल्याके अपनासिके उहे करैके कोशिश करना चाही जे शान्तिके आर एक दोसरके विश्वासके मजगुत बनाबैके कारण बनैछै।


सेल्याके, हमर प्यारा विश्वासी भ्या-बहिनसब, मूर्ति-पूजासे कोनो लेना-देना नैराख।


एक-दोसरसे प्रेम करैके हर सम्भव कोशिश कर आर आत्मिक वरदानसब पाबैके लिए इमानदारीसे इच्छा कर, खास करिके परमेश्वरके सन्देश घोषणा करैके लिए।


व्यबिचारसे पुरा तरहसे दूर र, यी बात साफ जाहीर छै कि दोसर पाप शरीरके एतनें प्रभावित नैकरैछै जतनें यी पाप प्रभावित करैछै। व्यबिचार करेवाला आदमी आपन शरीरके विरुद्धमे पाप करैछै।


आपनसिके प्रभु हमरा ओकर अपार अनुग्रह निरन्तर देखैल्कै। ऊ हमरा विश्वास करैके क्षमता आर दोसर आदमीसिके प्रति प्रेम देल्कै कहिनेकी हमे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे रहियै।


एरंको व्यवहार कर कि कोय भी तोरासिके अनादर नैकरौ कहिनेकी तुहेंसब जवान छैं, मगर तोरसिके बोल्ल वचनद्वारा, तोरसिके व्यवहारद्वारा, दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमद्वारा, ख्रीष्टमे तोरसिके भरोसाद्वारा आर तोरसिके पापरहित जीवनद्वारा विश्वासीसिके लिए तोरासिके एकटा उदाहरण बने पड्तौ।


आर दोसर आदमीसिके यी बातके पुष्टि करना चाही कि ऊ सभे दिन बढियाँ काम कैल्कै छे, उदाहरणके लिए, आपन बालबच्चासिके बढियाँसे देखभाल कैल, यात्रा करेवाला आदमीसिके आपन घरमे स्वागत कैल, नम्र भ्याके नोकरके जुगुर विश्वासीसिके सेवा कैल, आर दुःखमे पडल आदमीसिके सहायता कैल होना चाही। ऊ अपने आपके सभे तरहके बढियाँ काम करैके लिए खुदके समर्पण कैल होना चाही।


तिमोथी परमेश्वरके देल काम करैके लिए सुनिश्चित कर। ईश्वरहीन आर बेकारके बातसब आर परमेश्वरके सच्चा शिक्षाके विरोध करेवाला शिक्षासिसे दूर र, जकरा ऊसब गलत तरिकासे “ज्ञान” कहैछै।


अहिने करिके जे विश्वासी खुदके उटा सभे खराब कामसे अलग करि लेतै, ते ओकर जीवन पवित्र हैतै। ऊ आपन मालिकके लिए उपयोगी हैतै आर कोनो भी किसिमके बढियाँ काम करैके लिए ऊ तैय्यार रहैछै।


सेल्याके तिमोथी तुहें जवान आदमीसिके आकर्षित करेवाला पापी इच्छासिसे बच। शुद्ध ह्रदयसे परमेश्वरके पुकारा करेवालासिके संगे परमेश्वरके समनामे सही हु, विश्वासमे लाग्ल र, दोसरके प्रेम कर आर शान्तिमे र।


मगर तिमोथी, तोरा बढियाँसे मालुम छौ कि हमे कि सिखाबैछियै आर केरंके जियैछियै, हमर जीवनके मकसद कि छै आर हमे कि विश्वास करैछियै। तोरा मालुम छौ कि हमे धीरज धारण करैछियै आर सभे प्रकारके आदमीसिके प्रेम करैछियै, हमे कठिनाईसब सहलियै छे।


ताकी परमेश्वरके आदमीसब सभे प्रकारके बढियाँ कामसब करैके लिए तैय्यार आर सुसज्जित हुए सकै।


सभे आदमीसिके संगे शान्तिमे रहैके आर एकटा पवित्र जीवन जियैके कोशिश कर। कहिनेकी पवित्रता बिना कोय भी प्रभुके देखे नैसक्तै।


ओकरा निश्चय ही खराब काम करैले बन्द करि देना चाही, एकर बदलामे ओकरा उहे करना चाही जे बढियाँ छै, दोसर आदमीसिके संगे शान्तिमे रहैके लिए कडा मेहनत करना चाही।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan