१ तिमोथी 5:21 - केवट नया कारार21 परमेश्वर आर येशू ख्रीष्टके समनामे आर चुन्ल स्वर्गदूतसिके समनामे हमे तोरा कडा आज्ञा दैछियौ कि कोनो भेदभाव आर पक्षपात नैकरिके यी नियमसब तुहें पालन कर। Faic an caibideil |
अगर तोरासिमेसे कोय भी हमरा आपन परमेश्वरके रुपमे स्वीकार करैले आर हमर शिक्षाके पालन करैले इन्कार करैछै, कहिनेकी तुहें डराबैछैं कि एरंको पापी आदमीसब तोर मजाक उडैतौ, तब हमे, आदमीके बेटा इन्कार कर्बौ कि तुहें हमर चेला छैं, जब हमे पवित्र स्वर्गदूतसिके साथ धर्तीपर वापस ऐबै। तब सभेको हमर चम्कल तेजके देख्तै जे हमर पिताके जुगुर छै।”
तोरासिके ऊ दूतसिके विषयमे भी सोचना चाही, जे उटा अधिकारसे सन्तुष्ट नैरहै, जे परमेश्वर ओकरासिके देल्कै रहे, मगर स्वर्गमे आपन घरके त्यागी देल्कै, परमेश्वर ओकरासिके निच्चा अनहारमे अनन्त सिक्कडसब ल्याके बान्ही देल्कै, जते परमेश्वर ओकरासिके उटा महान दिनके लिए राखी रहलै छे जब परमेश्वर ओकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला सजाय देतै।