Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 5:17 - केवट नया कारार

17 कोनो भी मण्डलीके बढियाँसे देखरेख करेवाला मण्डलीके अगुवासब उचित सम्मान आर प्रशस्त तलब पाना चाही, विशेष करिके ओकरासिके जे परमेश्वरके सन्देश सिखाबैके लिए आर प्रचार करैके लिए कडा मेहनत करैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 5:17
41 Iomraidhean Croise  

घटना हुऐसे पहलहै, हमे तोरासिके यी सभे घटनासिके बारेमे बतैलियौ छे।


तुहेंसब उहे घरमे बास बैठ आर ऊसब जे खाना खैले दैछौ उटा खो, कहिनेकी जनके ओकर रोजी मिलना चाही। घरे-घर बास नैबैठ।


प्रभु येशू कहैल्कै, “एकटा विश्वासयोग्य आर बुद्धिमान नोकर ऊ हैछै, जकरा ओकर मालिक आपन परिवारके नोकरसिके सम्हारैले आर ओकरासिके खियाबैके जिम्मेदारी दिये सकैछै।


हमे तोरासिके उटा फसल काटैले भेज्लियौ, जकरामे तुहेंसब कोनो मेहनत नैकैल्हैं छे। उटा फसलमे दोसर कोय मेहनत कैल्कै छे, आर तुहेंसब उटा फसलके जमा कर्भैं।”


एरंके उठैल पैसा ऊसब यरूशलेम सहरके मण्डलीके अगुवासिके बरनाबास आर शाउलके हातसे भेजी देल्कै।


हमे तोरासिके सभे कुछु करिके देखैलिहौं, कि तहुँसब अहिने करिके कडा मेहनत क्याके कमजोरसिके सहायता करे पड्तहौं। प्रभु येशूके वचन याद राख कि ऊ आपनहैं कहैल्कै छे, ‘लेनासे देना आरहौ आशिषमय छै।’ ”


ऊसब हमरासिके बहुते आदर कैल्कै। जब हमेसब तीन महिनाके बाद ओत्तेसे पानी जहाजमे चढिके बिदा हुए लाग्लियै ते हमरासिके जे कुछु चीजके जरुरत रहै, ऊसब पानी जहाजमे लादी देल्कै।


यदि कक्रहौ उपदेश दिएवाला वरदान मिल्लै छे ते, ऊ उपदेश दियैके काममे लाग्ल रहक। यदि कक्रहौ दोसरसिके जरुरतके पुरा करैके वरदान मिल्लै छे ते, ऊ खुल्ला दिलसे दक। यदि कक्रहौ अगुवाई करैके वरदान मिल्लै छे ते, ऊ गम्भीरताके साथ करक। यदि कक्रहौ दयाके काम करैके वरदान मिल्लै छे ते, ऊ खुशीके साथ करक।


यी दान ऊसब खुशीसे जमा कैल्कै रहे, आर सच्चे यीसब यरूशलेम सहरके आदमीसिके कर्जदार छै। कहिनेकी गैर-यहूदी आदमीसब यरूशलेम सहरके विश्वासीसिसे खुश-खबरीके आत्मिक आशिष पैल्कै, सेल्याके ओकरासिके लागैछै कि एकर बदलामे ऊसब कमसे कम ओकरासिके आर्थिक सहायता करे सकैछै।


प्रभुमे मेहनत करेवाला हमर विश्वासी बहिनसब त्रुफेना आर त्रोफोसके हमर नमस्कार कही दहैं। प्रभुमे बहुते मेहनत करेवाला हमर प्रिय विश्वासी बहिन पर्सिसके भी नमस्कार कही दहैं।


मगर परमेश्वरके अनुग्रहसे हमे चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमरापर ओकर अनुग्रहके परिणाम महान भेलै। मगर यदि हमे दोसर चुन्ल आर भेज्ल चेलासिसे बेसी भी मेहनत कैलियै ते, यी भी हमर तरफसे नैभेलै मगर परमेश्वरके अनुग्रह हमरा ओकर काम करैके लिए योग्य बनैल्कै छे।


सेल्याके हमे तोरासिसे बिन्ती करैछियौ कि एरंको आदमीसिके आज्ञाके पालन कर। आर हरेक आदमीके जे ओकरसिके जुगुर मेहनत करैछै आर एरंको समर्पणके साथ सेवा करैछै।


कहिनेकी हमेसब परमेश्वरके सहकर्मी छियै, आर तुहेंसब, कोरन्थी सहरके विश्वासीसब परमेश्वरके खेतसब छैं। संगहै संग, हमे तोरासिके उटा भवनसंगे तुलना करैछियै जकरा परमेश्वर निर्माण करि रहलै छे।


परमेश्वरके सहकर्मी हुऐके कारणसे हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ, कि ओकर अनुग्रहके बेकार हुऐले नैदहैं।


यी बात उचित छै कि जे आदमीसब परमेश्वरके वचनके सिखाबैछै, ओकरा परमेश्वरके वचन सिखेवाला आदमीसिसे भौतिक सहायता मिलना चाही।


ताकी जब ख्रीष्ट वापस ऐतै तब हमरा गर्व करैके कारण है कि हमर प्रयास आर कठिन मेहनत करना बेकार नैभेलै।


सेल्याके बहुते आनन्दके साथ प्रभुमे ओकरा स्वागत करिहैं, आर तुहेंसब ओकरा आर ओकर जुगुर दोसर आदमीसिके भी आदर करिहैं।


हे हमर सच्चा सहकर्मी, हमे तोरासे बिन्ती करैछियौ कि तुहें यी जनानीसिके एक दोसरसे मेल-मिलाप करैले सहायता कर, कहिनेकी ऊसब हमर संगमे खुश-खबरी फैलाबैमे विश्वासी भ्या क्लेमेस आर दोसर सहयोगीसिके संगे मिलिके एक्केसंगे मेहनत कैल्कै छे, ओकरसिके नाम उटा किताबमे लिख्ल छै जकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिल्तै।


अगर कोय आदमी आपन घर-परिवारके चलाबैले आर व्यवस्थित करे नैसकैछै ते, जरुर ही ऊ आदमी परमेश्वरके मण्डलीके भी देखभाल करैमे सक्षम नैहैतै।


यी जीवन पाबैके लिए हमेसब संघर्ष आर कडा मेहनत करैछियै, कहिनेकी अपनासब जिन्दा परमेश्वरमे आशा राखैछियै, जे सभे आदमीसिके विशेष करिके ओकरामे विश्वास करेवाला आदमीसिके उद्धारकर्ता छै।


जब मण्डलीके अगुवासिके समूह तोरसिके उप्परमे हात राखल्कौ आर परमेश्वर तोरासिके विशेष क्षमताके विषयमे बताबैके लिए सन्देश देल बात याद कर। यी क्षमताके बेवास्ता नैकर।


तुहेंसब केरंके आपन जीवन जियैछैं आर तुहेंसब कि सिखाबैछैं उटा बातमे होशियार र आर ओकरा करैमे लाग्ल र। नतिजा स्वरुप तोरसिकेद्वारा परमेश्वर तोरासिके खुदके आर सुनेवाला आदमीसिके भी बचैतै।


यदि तुहें विश्वासी भ्या-बहिनसिके हमर सिखैल बातसिके निरन्तर सिखैभैं, जकर बारेमे हमे तोरा एखन निर्देशन देलियौ छे आर तुहें विश्वासके सन्देशद्वारा मजगुत कैल गेल्हैं छे आर बढियाँ शिक्षाके अनुसरण कैल्हैं छे ते, तुहें येशू ख्रीष्टके एकटा बढियाँ सेवक हैभैं।


जबतक दी झन या बहुते आदमीसब यी नैकहैछै कि ऊसब मण्डलीके अगुवाके गलत काम कैल देखल्कै छे, तबतक न्याय करैके लिए मण्डलीके अगुवाके विरुद्धमे आरोप स्वीकार नैकर।


ओरंको मोसामातसिके आदर कर जकरसंगे ओकरसिके जरुरत पुरा करेवाला आर देखभाल करेवाला कोय भी नैछै।


मेहनत करेवाला किसान फसलके हिसाके पाबैके लिए पहेला आदमी हुऐके हकदार छै।


कि परमेश्वरके वचनके प्रचार कर, परिस्थिती बढियाँ है या खराब है परमेश्वरके वचन प्रचार करैले तैय्यार र। तुहें आदमीसिके ओकरसिके कैल खराब कामके देखाबे पडैछै, आर ओकरसिके पापके खातिर ओकरासिके धोपे पडैछै। मगर ओकरासिके हौसला दहैं। धीरजके साथ यी सभे काम कर आर ध्यानसे सिखा।


आपन अगुवासिके आज्ञापालन कर, ओकरसिके अधिनमे र। तोरसिके आत्मासिके रखवाली करना ओकरसिके काम छै। ओकरासिके तोरसिके विषयमे परमेश्वरके लेखा दिए पड्तै। यी काम ऊसब आनन्दके साथ करक आर उदासीके साथ नै, नैते एकरासे तोरासिके कोनो भी फैदा नैहैतौ।


आपन सभे अगुवासब आर सभे विश्वासीसिके नमस्कार कही दहैं। इटालिया देशके विश्वासीसब तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छे।


जेसब तोरसिके अगुवा रहौ आर जेसब तोरासिके परमेश्वरके वचन सुनैल्कौ छे, ओकरासिके स्मरण कर। एकर बारेमे याद कर कि ऊसब केरं जीवन जिलै आर मरि गेलै। तुहेंसब भी परमेश्वरमे ओहिने भरोसा देखा जेरं ऊसब देखैल्कै रहे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan