Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ तिमोथी 5:12 - केवट नया कारार

12 फेर बिहा करिके ऊसब अपने आपपर सजाय आन्तै कहिनेकी ऊसब फेर बिहा नैकरिके ख्रीष्टके सेवा करैके पहेला प्रतिज्ञाके पालन नैकैल्कै छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ तिमोथी 5:12
8 Iomraidhean Croise  

यदि कोय आदमी भुख्ल छै ते ऊ आपन घरहैसे खैके आबक, ताकी जब तुहेंसब एक साथ जमा हैछैं ते, तुहेंसब सही ढंगसे व्यवहार कर्भैं आर परमेश्वर तोरा सजाय नैदेतौ। दोसर बातसिके बारेमे जब हमे ऐबौ, तब सुल्झैबौ।


हमे निराश छियै कि परमेश्वर जे तोरासिके ख्रीष्टके अनुग्रहके द्वारा आपन आदमी हुऐके लिए बोलैल्कौ, ओकरा एतनें जल्दी त्यागीके तुहेंसब एकटा अलग शिक्षापर विश्वास करैले शुरु करि देल्हैं। जे दोसर आदमीसब यी खुश-खबरी छै कहिके कहैछै।


मगर कम उमेरके मोसामातसिके नाम मोसामातसिके सूचीमे नैलिख, कहिनेकी जब ओकरसिके शारीरिक इच्छा मोसामातके रुपमे ख्रीष्टके सेवा करैके प्रतिज्ञासे बेसी मजगुत हैछै, तब ऊसब फेर बिहा करैके इच्छा करैछै।


एकर साथे-साथ ऊसब घरे-घर घुमिके कोढनियाँ हुऐले सिखैछै आर खाली कोढनियाँ नै मगर दोसर आदमीसिके बारेमे गलत बात फैलाबैछै, आर दोसरके काममे बेकारमे दखल दैछै आर जे बात नैकहना चाही उटा बातसब कहैछै।


हे हमर विश्वासी भ्या-बहिनसब, तोरसिमेसे बहुते झन परमेश्वरके वचनके शिक्षक नैबन। कहिनेकी तुहेंसब जानैछैं अपनासब शिक्षकसिके न्याय दोसरसिसे बेसी कठोरताके साथ कैल जैतै।


कहिनेकी न्याय करैके समय आबी गेलै छे कि पहेला परमेश्वरके आदमीसिके न्याय कैल जै, आर जब कि ऊ पहेला अपनासब विश्वासीसिके न्याय कर्तै, इहे ल्याके उटा भयानक चीजसिके विषयमे सोच जे ऊ आदमीसिके संगे हैतै जेसब उटा खुश-खबरीके नैमानैछै जे परमेश्वरके तरफसे आबैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan