11 मगर कम उमेरके मोसामातसिके नाम मोसामातसिके सूचीमे नैलिख, कहिनेकी जब ओकरसिके शारीरिक इच्छा मोसामातके रुपमे ख्रीष्टके सेवा करैके प्रतिज्ञासे बेसी मजगुत हैछै, तब ऊसब फेर बिहा करैके इच्छा करैछै।
ओरंको झुट्ठा आदमीसब बिहा नैकरना चाही आर कोनो-कोनो खानासब नैखाना चाही कहिके सिखाबैछै। मगर परमेश्वर उटा ख्यावाला चीजसब ऊ विश्वासीसिके लिए बनैल्कै छे जे परमेश्वरके धन्यवाद देलके बाद ख्या पडैछै कहिके सच्चा शिक्षा मालुम छै।
फेर बिहा करिके ऊसब अपने आपपर सजाय आन्तै कहिनेकी ऊसब फेर बिहा नैकरिके ख्रीष्टके सेवा करैके पहेला प्रतिज्ञाके पालन नैकैल्कै छे।
सेल्याके हमे चाहैछियै कि कम उमेरके मोसामातसब बिहा करक, बालबच्चा पाबक, आर घरद्वार सम्भालक आर दुश्मन हमरसिके विरुद्धमे खराब बात बोलैके मौका नैदै।
तुहेंसब मोसामातसिके सूचीमे खाली साठ सालसे उप्परके उमेरके मोसामातके आर जे आपन पतिके प्रति वफादार छै ओकरे नाम खाली लिख।
धर्तीपर तोरसिके जीवन बहुते आरामदायक भेलौ छे आर एत्ते तुहेंसब भोग-विलासके जीवन जिल्हैं छे। एरं करिके, तुहेंसब ऊ जानवरके जुगुर भेल छैं जकरा पाली-पोसीके काटिके खैले राखैछै। ओकरेसिके जुगुर, तोरासिके भी यी मालुम नैछौ कि तोरसिके फैसला हुएवाला छौ।
जब ऊसब आदमीसिके सिखाबैछै, ऊसब बेकारके आर घमण्डसे भर्ल शब्दसिके इस्तमाल करैछै। ऊसब आदमीसिके बताबैछै कि ओकरसिके आपन शरीर जे करैले चाहैछै उटा लजलग्गा काम करे सकैछै आर ऊसब आदमीसिके फेरसे पाप करैके लिए भरम्या दैछै जे आदमीसब कुछु समय पहेला ही दुष्ट जीवनशैली त्यागल्कै छे।
तुहें ओकरा जरुर ही बहुते पिडा आर तकलीफ दिल्वैभ जे ओकर विलासी जीवन आर ओकर अपने आपके प्रति घमण्डके बराबर छै। ऊ अपने आपके कहैल्कै, ‘हमे एकटा रानीके जुगुर आदमीसिपर राज्य कर्बै। हमे एकटा मोसमात नैछियै आर हमे दुःखके अनुभव नैकर्बै।’
जब ओकरसंगे व्यबिचार करेवाला आर ओकर भोग-विलासके मजा लिएवाला धर्तीके राजासब ओकर जरैसे उठेवाला धुवाँ देख्तै ते ऊसब ओकर लिए कान्तै आर शोक मनैतै।