१ तिमोथी 4:7 - केवट नया कारार7 परमेश्वरके अनादर करेवाला बनौटी आर मूर्ख खिसासिसे पुरा रुपसे अलग र, आर ईश्वरीय जीवन बिताबैके लिए अपने आपके निरन्तर तालिम दहैं। Faic an caibideil |
हमरासिके यी भी मालुम छै कि मूसाके विधि-विधान परमेश्वरके नजरमे सही भेल आदमीसिके लिए नैछै मगर परमेश्वरके विधि-विधानके बेवास्ता करिके जानी-जानीके आज्ञा नैमानेवाला आदमीसिके लिए, आर परमेश्वरके आराधना नैकरेवाला आर निरन्तर पाप करेवाला आदमीसिके लिए, आर परमेश्वरके सम्मान नैकरेवाला दुष्ट आदमीसिके लिए, आर आपन मयाँ-बाबुके आर दोसर आदमीसिके जान मारेवाला आदमीसिके लिए छै।
बिना कोनो शंकाके, हमेसब कहे सकैछियै कि परमेश्वरद्वारा प्रकट कैल शिक्षासब पुरा रुपसे सच्चा छै, यानिकी येशू ख्रीष्ट आदमीके रुपमे ऐलै, ऊ पवित्र आत्माद्वारा परमेश्वरके बेटा साबित भेलै, स्वर्गदूतसब ओकरा देखल्कै, ऊ स्वर्गके महिमामे लजैल गेलै, आदमीसब ओकर बारेमे जात-जातके आदमीसिमे प्रचार कैल्कै, आर संसारके बहुते आदमीसब ओकरापर विश्वास कैल्कै।
मगर तिमोथी, तुहें परमेश्वरके सेवा करेवाला आदमी छैं, तोरा यी सभे चीजसिके करैसे दूर रहना चाही, जे सही छै खाली ओकरा करैके लिए हर सम्भव कोशिश कर। परमेश्वरके आदर दिएवाला जीवन जी। ख्रीष्टमे भरोसा राख। दोसर आदमीसिके प्रेम कर। परमेश्वरके आज्ञापालन करैके लिए कठिन परिस्थितीसिमे स्थिर र। दोसर आदमीसिके संगे भला आदमी बन।